Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




फिलिप्पी 1:30 - केवट नया कारार

30 आर उहे संघर्ष जे तुहेंसब हमरामे पहेला देख्लहैं जब हमे तोरसिके संगे फिलिप्पी सहरमे रहियै आर जेरं दुःखके विषयमे तुहेंसब एखन सुनैछैं, ओरंको दुःख हमरा एखन आरहौ भी एत्ते जेलमे छै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




फिलिप्पी 1:30
21 Iomraidhean Croise  

हमे यी सभे बात तोरासिके यी कारणसे कहैलियौ छे, कि हमरामे तोरासिके शान्ति हौ कहिनेकी तुहें हमरसंगे रहैछैं। संसारमे तोरासिके संकट हैतौ, मगर हिम्मत कर, हमे यी संसारके शासक यानी शैतानके पराजित करि देलियै छे।”


एत्तेतक कि रोमी महाराजाके महलके सभे सिपाही आर बाँकी सभे आदमीसिके लगत यी प्रकट भेलै छे कि, हमे ख्रीष्टके सेवा करैके कारणसे जेलमे छियै।


ख्रीष्टके देल हमर भितरमे काम करेवाला अदभुद शक्तिसे ही हमे यी काम करैले एत्तेतक कठिन मेहनत करैछियै।


तुहेंसब यी जान कहिके हमे चाहैछियै कि केरंके तुहेंसब आर लाउडिकिया सहरमे भेलसब आर ऊ सभैके खातिर, जकरा हमे नैदेख्लियै छे, हमे कठिन मेहनत करैछियै।


मगर जेरं तुहेंसब खुद भी जानैछैं, कि हमेसब पहेला फिलिप्पी सहरमे कष्ट भोग्लियै आर उपद्रव सहेलके बाद हमरासिके तोरसिके सहरके आदमीसिके द्वारा घोर विरोध भेलपर भी तोरासिके परमेश्वरके खुश-खबरी सुनाबैके लिए हमरासिके परमेश्वरद्वारा साहास मिल्लै।


जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, तुहेंसब भी परमेश्वरमे भरोसा राखैले आर ओकर आज्ञापालन करैले कहियो भी नैछोडना चाही। कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके पक्डीके राख्, जकर खातिर तोरा बुलाहट भेल रहौ, आर बहुते आदमीसिके समनामे तुहें ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं कहिके साफ कहलहैं रहे।


जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, हमे भी ख्रीष्टके लिए कडा मेहनत करैले कहियो भी नैछोडलियै छे। हमे येशू ख्रीष्टके द्वारा हमरा देल काम पुरा कैलियै छे। हमे अन्ततक ख्रीष्टके प्रति विश्वासयोग्य भेल छियै।


आपनसिके अगल-बगल एरंको बहुते आदमीसब छै जकर जीवन अपनासिके बताबैछै कि विश्वासके कि मतलब छै। सेल्याके या, सभे रोकेवाला चीजसब आर सभे ओझराबेवाला पापके दूर करिके अपनासब उटा रस्तापर चल जकरापर अपनासिके चलना चाही।


पापके विरुद्ध आपन संघर्षमे एखनतक तोरासिके उटा स्तरतक संघर्ष नै सहे पड्लौ छे जते आदमीसब तोरसिके हत्या करिदौ।


ऊसब शैतानपर जित हासिल कैल्कै छे। ऊसब ओकरा बलि-भेंडाके खूनके शक्तिसे हरैल्कै छे, जे ओकरासिके ओकरसिके पापसिसे छुटकारा दिलाबैके लिए मरि गेलै रहे। ऊसब ओकरा हरया देल्कै कहिनेकी ऊसब यी स्वीकार कर्ते रहलै कि बलि-भेंडा ओकरसिके परमेश्वर रहै। जब कि ओकरासिके सतैल गेलै एत्तेतक कि जान मारि देल गेलै, मगर ऊसब आपन स्वीकारसे पाछु नैहट्लै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan