फिलिप्पी 1:27 - केवट नया कारार27 मगर जे भी हुए, तुहेंसब एकटा बातके ध्यान राख कि तोरसिके जीवनके आचरण-व्यवहार ख्रीष्टके खुश-खबरीके योग्य होना चाही। अहिने करिके चाहे हमे आबिके तोरसिके भेट करियौ या दूर रहिके हमे तोरसिके बारेमे सुनियौ, मगर हमरा इहे बात पता चलै कि तुहेंसब एक आत्मामे स्थिर छैं आर एक मनके भ्याके एक साथ मिलिके उटा विश्वासके लिए संघर्ष करैछैं, जे कि खुश-खबरीपर आधारित छै। Faic an caibideil |
आर तोरसिके संगे भी इहे भेलौ छे। तुहेंसब सच्चा खुश-खबरी सुन्लहैं छे, जे यी विषयमे बताबैछै कि परमेश्वर तोरासिके केरंके बचाबैछै। आर ख्रीष्टमे तुहेंसब विश्वास करैके कारण, परमेश्वर आपन आदमीसिके दियैके प्रतिज्ञा कैल पवित्र आत्मा तोरासिके देल्कौ छे। तुहेंसब परमेश्वरके छैं कहिके देखाबैके लिए पवित्र आत्मा तोरसिकेलगत एकटा चिन्हके रुपमे छौ।
हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके ऊ उद्धारके विषयमे लिखैके लिए सकभर कोशिश कर्ते रहियै जे येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके तरफसे आबैछै आर जकरामे अपनासब सभेको सहभागी छियै। मगर आब हमे यी चिट्ठीके द्वारा तोरासिके उत्साहित करैके दबाब महसुस करैछियै ताकी तुहेंसब ख्रीष्टियन विश्वासके पक्डीके राखैके लिए आरहौ भी कडा प्रयास कर्भैं। परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए यी विश्वास एक्केबेर सभे दिनके लिए द्या देल्कै छे, आर एकरा बदल्ल नै ज्या सकैछै।