Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




फिलिप्पी 1:26 - केवट नया कारार

26 ताकी जब हमे फेर तोरसिकेलगत ऐबौ, तब जे काम येशू हमरद्वारा करैछै, उटा कारणसे तोरसिकेलगत ख्रीष्ट येशूमे गर्व करैके आरहौ बहुते कारणसब हैतौ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




फिलिप्पी 1:26
14 Iomraidhean Croise  

अहिने करिके एखनी तुहेंसब शोक मनाबैछैं, मगर फेर हमे तोरासिके दिखाई देबौ आर तखनी तुहेंसब आनन्दित हैभैं। आर तोरसिके आनन्द कोय छिने नैसक्तौ।


एखनतक तुहेंसब हमर चेला हुऐके नातासे पितासे कुछु नैमाँग्लहैं छे। माँग ते तोरासिके देल जैतौ। ताकी तुहेंसब पुरा आनन्दित भ्याजहैं।


हमेसब फेर तोरसिके समनामे आपन बडै नैकरैछियै, मगर तोरासिके हमरासिपर गर्व करैके मौका दैछियौ, ताकी तुहेंसब ओकरासिके जबाब दिए सक्हैं, जेसब आदमीके भितरी चरित्रमे नै मगर बाहरी देखावटी बातसिमे गर्व करैछै।


हमे तीतसके समनामे तोरसिके बारेमे गर्व कैलियै रहे, तकर खातिर हमरा लज्जित नैहुए पड्लै। जेरंके हमेसब सभे दिन तोरासिके सच कहैलियौ, ओहिने करिके तीतसके समनामे तोरसिके विषयमे हमरसिके गर्व करना सेहो सच साबित भेलै।


तोरासिपर हमरा पुरा भरोसा छै आर हमे तोरासिपर बहुते गर्व करैछियै। हमे खुब उत्साहित छियै आर हमर सभे कष्टसिमे हमे आनन्दसे भरपुर रहैछियै।


मगर निराश भेल आदमीसिके सान्त्वना दिएवाला परमेश्वर तीतसके आगमनसे हमरासिके सान्त्वना देल्कै।


हरेक आदमी आपन कामके जाँच करक कि ओकर काम बढियाँ छै कि नैछै। यदि ऊ बढियाँ काम कैल्कै छे ते ऊ आपन कामपर गर्व करे सकैछै। मगर ओकरा आपन कामके तुलना दोसर आदमीसिके संगे नैकरना चाही।


अन्तमे हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, प्रभुमे आनन्दित र। तोरासिके उहे बातसब घुरी-घुरी लिखना हमरा झन्झट नैलागैछै, कहिनेकी उहे बातसब तोरासिके झुट्ठा शिक्षासे सुरक्षित राख्तौ।


कहिनेकी परमेश्वरके आत्मामे आराधना करेवाला, ख्रीष्ट येशूमे गर्व करेवाला आर आपने मानव प्रयासमे भरोसा नैराखेवाला अपनासब ही छियै, जेसब वास्तवमे ही परमेश्वरके आदमीसब छियै।


हमे प्रभुमे बहुते आनन्दित छियै कि आब बहुते दिनके बाद हमर लिए उपहार भेजिके हमर लिए तोरसिके वास्ता फेर बढ्ल छौ। तुहेंसब सच्चे हमर लिए चिन्तित रहैं, मगर तोरासिके हमरा सहायता करैके मौका नैमिल्लौ।


प्रभुमे सभे दिन आनन्दित र, हमे फेर कहैछियौ आनन्दित र।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan