Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




फिलिप्पी 1:20 - केवट नया कारार

20 हमर उत्कट इच्छा आर आशा यी छै कि हमे कहियो लज्जित नैहैबै, मगर पहेला कैल जुगुर ख्रीष्टके बारेमे बोलैके हमरा साहास हैतै। चाहे हमे जियै या मरियै हमे हमर सारा जीवनसे ख्रीष्टके लगातार आदर देबै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




फिलिप्पी 1:20
41 Iomraidhean Croise  

येशू एरंको यी बताबैके लिए कहैल्कै कि पत्रुस केरंके मर्तै आर परमेश्वरके महिमा कर्तै। एतनें कहिके ऊ ओकरा कहैल्कै, “हमर चेला बनिके र।”


मगर हमे आपन जीवनके कोनो मोलके आर आपन लिए प्रिय नैसोचैछियै। हमे खाली एतनें चाहैछियै, कि परमेश्वरके अनुग्रहके खुश-खबरीके गवाही दियैले हमर दौड आर प्रभु येशूसे हमरा मिल्ल हमर सेवकाई हमे पुरा करे सकियै।


मगर पावल जबाब देल्कै, “तुहेंसब एरंके कानीके कथिले हमर मन दुःखी बनाबैछैं? हमे ते प्रभु येशूके कारण यरूशलेम सहरमे खाली बान्हल जैके लिए ही नै, मगर मरैके लिए भी तैय्यार छियै।”


ओकरसिके प्रार्थना कैल भेलके बाद ऊसब जमा भेल जगहमे कम्प भेलै, आर ऊसब सभे झन पवित्र आत्मासे भरिके आर ऊसब साहासके साथ परमेश्वरके वचन सुनाबे लाग्लै।


सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपनासिपर भेल परमेश्वरके दया याद दिल्याके हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ, आपन-आपन जीवनके जिन्दा बलिदानके रुपमे परमेश्वरमे अर्पण कर। तोरसिके बलिदान पवित्र आर परमेश्वरके खुश करेवाला होना चाही। परमेश्वरके आराधना करैके सही तरिका इहे छै।


आशा अपनासिके कहियो लज्जित हुऐले नैदैछै, कहिनेकी परमेश्वरके देल पवित्र आत्माद्वारा ऊ आपनसिके हृदय आपन प्रेमसे भरि देल्कै छे।


आपन शरीरके अंगसिके दुष्ट काममे प्रयोग हुऐके लिए समर्पण नैकर। मगर मौतसे जीवनमे आन्ल आदमीके जुगुर आपन जीवनके आर आपन शरीरके अंगसिके सही काम करैके लिए परमेश्वरके लगत पुरा समर्पण करि दहैं।


तुहेंसब आत्मिक बातसब बुझे नैसकैछैं, सेल्याके हमे दैनिक जीवनके उदाहरणसे तोरासिके बताबैछियौ। जेरंके एकबेर तुहेंसब आपन शरीरके अंगसिके अशुद्धता आर आरहौ बेसी पापके लिए समर्पण कैल्हैं, आब ओहिने करिके आपन शरीरके अंगसिके धर्मी जीवन जियैके लिए समर्पण कर, जे पवित्रताके तरफ ल्याजैछै।


कहिनेकी सृष्टि बडका आशासे परमेश्वर आपन सच्चा सन्तानसिके प्रकट कर्तै कहिके उटा आबेवाला दिनके लिए इन्तजार करैछै।


जेरं धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “देख, हमे यरूशलेम सहरमे एकटा पत्थल राखैछियै, जे आदमीसिके ठोकर द्याके गिराबैके कारण बनैछै, मगर ओकरामे विश्वास करेवाला कोय भी लज्जित नैहैतै।”


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, जेरंके यी बात पक्का छै कि हमरा तोरासिपर घमण्ड छै कि तुहेंसब आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके संगे एकजुट छैं, ओहिने करिके यी भी पक्का छै कि हमरा सभे दिन जान मार्ल जैके खतरा छै।


परमेश्वर तोरसिके लिए बडका मोल चुकैल्कौ छे जब ऊ ख्रीष्टके क्रूसपर बलिदान कैल्कै, सेल्याके आपन शरीरके द्वारा परमेश्वरके महिमा कर।


ओकरा दीटा बातके विषयमे सोचे पडैछै: आपन पतनीके खुश करना आर शरीरमे आर आत्मामे परमेश्वरके खुश करना। ओहिने करिके, विवाहित जनानी आर अविवाहित जनानीमे भी फरक छै। अविवाहित जनानी परमेश्वरके केरंके सेवा करिके खुश बनाबियै कहिके चिन्ता करैछै। मगर विवाहित जनानी संसारके बातसिके चिन्तामे रहैछै कि आपन पतिके कोन तरिकासे खुश राखियै।


कहिनेकी यदि हमे प्रभुसे मिल्ल अधिकारके विषयमे बेसी गर्व कर्बो कर्बै ते यी बात हमर लिए कोनो लाजके बात नैहैतै। यी अधिकार तोरसिके विश्वासके नाश करैके लिए नै, मगर तोरसिके विश्वासके बढाबैमे सहायता करैके लिए प्रभु हमरा देल्कै छे।


सेल्याके एरं आशा राखिके हमेसब साहासके साथ बोलैछियै।


हमेसब येशूके जुगुर हर समय निरन्तर जान मार्ल जैके खतरामे रहैछियै ताकी जे काम हमेसब करैछियै ओकरद्वारा आदमीसब येशूके जीवनके देखे सकै।


आर ख्रीष्ट यी खातिर सभैके लिए मर्लै, ताकी जेसब जिन्दा छै, ऊसब आब खाली खुदके खुश करैके लिए नैजियै, मगर ओकर लिए जियै। ख्रीष्ट ओकरसिके खातिर मर्लै आर परमेश्वर ओकरा फेर जिन्दा बनैल्कै।


हमे तीतसके समनामे तोरसिके बारेमे गर्व कैलियै रहे, तकर खातिर हमरा लज्जित नैहुए पड्लै। जेरंके हमेसब सभे दिन तोरासिके सच कहैलियौ, ओहिने करिके तीतसके समनामे तोरसिके विषयमे हमरसिके गर्व करना सेहो सच साबित भेलै।


तोरासिपर हमरा पुरा भरोसा छै आर हमे तोरासिपर बहुते गर्व करैछियै। हमे खुब उत्साहित छियै आर हमर सभे कष्टसिमे हमे आनन्दसे भरपुर रहैछियै।


आर प्रभुमे जे भ्यासब छै, ओकरासिमेसे बहुते झन हमे एखन जेलमे हुऐके कारणसे उत्साहित भ्याके, परमेश्वरके वचन बिना डर्याके प्रचार करैके लिए साहासी भेलै छे।


जब हमे तोरासिके खुश-खबरी सुनैलियौ ते तुहेंसब प्रभु येशूमे विश्वास कैल्हैं आर ओकर सेवाके लिए आपन जीवनके बलिदान करि देल्हैं। सेल्याके यदि खुश-खबरी सुनाबैके कारण हमरा मारि भी देल जै, ते हमे भी तोरसिके संगे आनन्दित आर खुश रहबै।


आर आब हमे तोरसिके खातिर ख्रीष्टके तकलीफमे सामिल भेल छियै, कहिनेकी हमर शारीरिक तकलीफके कारण ख्रीष्टके शरीर, यानिकी मण्डलीके लिए आरहौ बाँकी रहेल ख्रीष्टके तकलीफ पुरा करैले हमे सहायता करैछियै।


शान्ति दिएवाला परमेश्वर आपनहैं पुरा रुपसे तोरासिके पवित्र बनाबौ आर तोरसिके सारा आत्मा, प्राण आर शरीर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके फेर वापस आबैके दिनतक निर्दोष रहौ।


मगर कोय आदमी ख्रीष्टियन हुऐके कारणसे दुःख भोगैछै ते ऊ लाज नैमानक। बल्की, परमेश्वरके प्रशंसा कर कि तुहें इहे ल्याके दुःख सहैछैं कहिनेकी तुहें ख्रीष्टके छैं।


तुहेंसब जे हमर प्यारा बच्चासिके जुगुर छैं, निरन्तर ख्रीष्टमे एक भ्याके र। ताकी जब ऊ फेर यी संसारमे वापस ऐतै, अपनासिके साहास है आर ओकर फेर वापस आबैके समयमे अपनासिके ओकर आगुमे शर्माबे नैपडै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan