Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




फिलिप्पी 1:15 - केवट नया कारार

15 कुछु आदमीसब डाह आर झगडौवा हुऐके कारणसे ख्रीष्टके बारेमे खुश-खबरी प्रचार करैछै आर कुछु आदमीसब बढियाँ विचारके साथ ख्रीष्टके बारेमे प्रचार करैके लिए हमर सहायता करैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




फिलिप्पी 1:15
22 Iomraidhean Croise  

मगर ऊसब आपन सभे काम आदमीसिके देखाबैले करैछै। ऊसब धरमशास्त्रके पदके पत्री बडका बन्याके आपन मथामे आर हातमे बान्हैछै, आर धर्मी छियै कहिके देखाबैके लिए आपन कपडाके कोनामे लम्बा-लम्बा झालर बनाबैछै।


तुहेंसब ऊ सन्देशके जानैछ जे परमेश्वर हमरासिके यानिकी इस्राएलीसिके भेजल्कै। ऊ शान्तिके बारेमे खुश-खबरी सुनैल्कै जे आदमीसिके येशू ख्रीष्टमे विश्वासके द्वारा मिले सकैछै। ऊ सभे आदमीसिके प्रभु छै।


मगर ओकरासिमेसे कुछु विश्वासीसब साइप्रस टापु आर कुरेनीवासीसब रहै, जेसब एन्टीओखिया सहरमे आबिके बहुते गैर-यहूदी आदमीसिके भी प्रभु येशू ख्रीष्टके बारेमे खुश-खबरी प्रचार कैल्कै।


तब चुन्ल आर भेज्ल चेलासब हरेक दिन परमेश्वरके मन्दिरमे आर आदमीसिके घर-घरमे जैके येशू ही उद्धारकर्ता ख्रीष्ट छै कहिके सिखाबैले आर खुश-खबरी प्रचार करैले नैछोडल्कै।


तब फिलिप बोलैले शुरु कैल्कै, आर धरमशास्त्रसे इहे खण्डसे शुरु करिके ओकरा येशूके खुश-खबरी सुनैल्कै। सेल्याके ऊ हाकिम बुझी गेलै आर येशूपर विश्वास कैल्कै।


मगर फिलिप सामरिया प्रदेशके एकटा सहरमे जैके ओकरासिके ख्रीष्टके विषयमे प्रचार करे लाग्लै।


तब ऊ तुरन्ते दमसकस सहरके यहूदी आदमीसिके सभाघरसिमे येशू ही परमेश्वरके बेटा छै कहिके प्रचार करे लाग्लै।


मगर जेसब स्वार्थी छै आर सचके नैमानैछै, मगर कुकर्मके पालन करैछै, ओकरासिपर परमेश्वर आपन क्रोध आर गोस्सा देखैतै।


मगर हमेसब यी प्रचार करैछियै कि अपनासिके आपनसिके पापसिसे छुटकारा दिलाबैके लिए ख्रीष्ट क्रूसमे मर्लै। यहूदी आदमीसिके लिए यी ठोकर लागैके बात भेलै आर गैर-यहूदी आदमीसिके लिए यी मूर्ख बात ठहर्लै।


आर यदि हमे आपन सारा धन-दौलत गरिब आदमीसिके बाँटी दियै आर एत्तेतक कि अगर हमे ओकरासिके आपन शरीरके जराबैले द्या दियै, मगर हमे आदमीसिके प्रेम नैकरैछियै ते, यी सभे हमर लिए कोनो कामके नैछै।


कहिनेकी परमेश्वरके बेटा येशू ख्रीष्ट जकर हमरसिकेद्वारा यानिकी हमर आर सिलास, तिमोथीके द्वारा तोरसिके बीचमे प्रचार भेलौ, ओकरामे कखनिहौं “हौं” आर कखनिहौं “नै” वाला बात नैछै, मगर ओकरामे सभे दिनसे खाली “हँ” छै।


कहिनेकी एरंको आदमीसब सच्चा चुन्ल आर भेज्ल चेलासब नैछै आर छलसे काम करेवाला छै। ऊसब ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेलासब हुऐके दिखावा करैछै।


कहिनेकी हमरा यी डर छै कि जब हमे तोरसिकेलगत ऐबौ तब हमे तोरासिके ओरं नैपाबियौ जेरं हमे चाहैछियौ आर तहुँसब भी हमरा ओरं नैपाभैं जेरं तुहेंसब चाहैछैं। कहीं एरं नैहै कि हमे तोरसिके बीचमे झगडा, डाहा, क्रोध, स्वार्थ, ईर्ष्या, चुगलखोरी, अहंकार आर बखेडा पाबियौ।


कहिनेकी हमेसब आपन नै बल्की येशू ख्रीष्ट प्रभु छै कहिके प्रचार करैछियै। हमेसब येशूके सेवामे तोरसिके सेवक छियै।


तीतसके खतना नैहुऐके विषय एकटा मुद्दा बनी गेलै जब कुछु झुट्ठा विश्वासी भ्यासब आपनसिके समूहमे गुप्त रुपसे आबी गेलै आर आपनसिके उद्धारकर्ता येशूमे भेल आपनसिके आजादीके नाश करैके कोशिश कर्ते रहै ताकी ऊसब अपनासिके फेर यहूदी विधि-विधानके दास बनाबे सकै।


स्वार्थ या अहंकारमे कुछु नैकर मगर नम्रतामे दोसरके आपनसे बेसी महत्व दहैं।


बिना कोनो शंकाके, हमेसब कहे सकैछियै कि परमेश्वरद्वारा प्रकट कैल शिक्षासब पुरा रुपसे सच्चा छै, यानिकी येशू ख्रीष्ट आदमीके रुपमे ऐलै, ऊ पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके बेटा साबित भेलै, स्वर्गदूतसब ओकरा देखल्कै, ऊ स्वर्गके महिमामे लजैल गेलै, आदमीसब ओकर बारेमे जात-जातके आदमीसिमे प्रचार कैल्कै, आर संसारके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan