हमर उत्कट इच्छा आर आशा यी छै कि हमे कहियो लज्जित नैहैबै, मगर पहेला कैल जुगुर ख्रीष्टके बारेमे बोलैके हमरा साहास हैतै। चाहे हमे जियै या मरियै हमे हमर सारा जीवनसे ख्रीष्टके लगातार आदर देबै।
तोरसिके सभैके लिए एरं सोचना हमर लिए सही छै, कहिनेकी तोरसिके लिए हमर मनमे विशेष जगह छै। चाहे हमे कैदमे छियै या खुश-खबरीके सच्चाईके साबित आर रक्षा करैछियै, हरेक समयमे तुहेंसब परमेश्वरके अनुग्रहमे हमरसंगे सामिल भेल छैं।
मगर जेरं तुहेंसब खुद भी जानैछैं, कि हमेसब पहेला फिलिप्पी सहरमे कष्ट भोग्लियै आर उपद्रव सहेलके बाद हमरासिके तोरसिके सहरके आदमीसिके द्वारा घोर विरोध भेलपर भी तोरासिके परमेश्वरके खुश-खबरी सुनाबैके लिए हमरासिके परमेश्वरद्वारा साहास मिल्लै।