Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




फिलिप्पी 1:13 - केवट नया कारार

13 एत्तेतक कि रोमी महाराजाके महलके सभे सिपाही आर बाँकी सभे आदमीसिके लगत यी प्रकट भेलै छे कि, हमे ख्रीष्टके सेवा करैके कारणसे जेलमे छियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




फिलिप्पी 1:13
17 Iomraidhean Croise  

पावल जबाब देल्कै, “जल्दीसे या देरी से, हमे परमेश्वरसे प्रार्थना करैछियै कि खाली तुहें ही नै, मगर ऐज जतनें आदमी हमर बात सुनैछै, ऊ आदमीसब हमरे जुगुर ख्रीष्टियन बनी जै मगर खाली एरं सिक्कडसे बान्हल नै।”


जब ऊसब बाहार निक्लीके जैते रहै, ऊसब एक दोसरके कहैल्कै, “यी आदमी एरंको कोनो अपराध नैकैल्कै छे कि ओकरा मौतके सजाय देल जै या कि ओकरा जेलमे राख्ल जै।”


तीन दिनके बाद पावल यहूदी आदमीसिके प्रमुख आदमीसिके बोलाबैले भेजल्कै। ऊसब जमा भेलके बाद ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “हे भैय्यासब, हमे ते आपन आदमीसिके विरुद्धमे या बाप-पुर्खाके रिती-रिवाजके विरुद्धमे कोनो काम नैकैलियै रहे। तैय्योपर भी हमरा बन्दी बन्याके यरूशलेम सहरसे रोमी अधिकारीके हातमे सौंप्ल गेलै छे।


सेल्याके हमे तोरसिसे बातचित करैले तोरासिके बोलैलिहौं छे। हमे यी सिक्कडसे बान्हल छियै कहिनेकी हमे विश्वास करैछियै कि इस्राएलीसिके आशा, यानिकी, मसीह पहेला ही आबी गेलै छे।”


पावल ओत्ते पुरा दी सालतक आपन भाडा लेल डेरामे रहलै, आर जे ओकरकते आबै, ऊ सभैसे भेटघाट कर्ते रहलै।


परमेश्वर तुहेंसब गैर-यहूदी आदमीसिके लिए यी सभे कैल्कै छे, सेल्याके हमे पावल, तोरसिके लिए प्रार्थना करैछियौ। हमे जेलमे छियै कहिनेकी हमे तोरसिके लिए ख्रीष्ट येशूके सेवा करैछियौ।


सेल्याके, हमे जे प्रभु येशूके सेवा करैके कारणसे कैदी छियै, तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि उटा बोलावटके संगे जकरासे परमेश्वर तोरासिके आपन सन्तान हुऐके लिए बोलैल्कौ छे, ओकर मुताबिक जीवन जी।


यी खुश-खबरीके खातिर हमे एकटा राजदूत छियै, जब कि हमे एखन जेलमे छियै। तुहेंसब प्रार्थना कर कि हमे, जेरं हमे बोलना चाही, ओहिने करिके बिना डरके साथ खुश-खबरीके प्रचार करे सकियै।


आर उहे संघर्ष जे तुहेंसब हमरामे पहेला देख्लहैं जब हमे तोरसिके संगे फिलिप्पी सहरमे रहियै आर जेरं दुःखके विषयमे तुहेंसब एखन सुनैछैं, ओरंको दुःख हमरा एखन आरहौ भी एत्ते जेलमे छै।


तोरसिके सभैके लिए एरं सोचना हमर लिए सही छै, कहिनेकी तोरसिके लिए हमर मनमे विशेष जगह छै। चाहे हमे कैदमे छियै या खुश-खबरीके सच्चाईके साबित आर रक्षा करैछियै, हरेक समयमे तुहेंसब परमेश्वरके अनुग्रहमे हमरसंगे सामिल भेल छैं।


सभे परमेश्वरके आदमीसब, विशेष करिके रोमी महाराजाके घरानाके विश्वासीसब तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छौ।


हमे खुश-खबरीके प्रचार करैके कारणसे एकटा अपराधीके जुगुर जेलमे दुःख भोगैछियै। मगर कोनो भी चीज आदमीसिके परमेश्वरके खुश-खबरी फैलाबैसे रोके नैसकैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan