1 येशू पवित्र आत्मासे परिपूर्ण भ्याके यर्दन लद्दीसे वापस ऐलै, आर पवित्र आत्मा ओकरा सुनसान जगहमे ल्यागेलै।
तब येशू बप्तिस्मा ल्याके तुरन्ते पानीसे उप्पर ऐलै, तब आकाश उघर्लै आर परमेश्वरके आत्माके पेर्वाके रुपमे उतर्ते आर आपन उप्परमे ऐते देखल्कै।
उटा दिन पवित्र आत्माके अगुवाईमे शिमियोन परमेश्वरके मन्दिरमे ऐलै, जखनी विधि-विधानके अनुसार बालक येशूके मयाँ-बाबु ओकरा ल्याके परमेश्वरके मन्दिरमे ऐलै।
बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना यी प्रचार कर्ते यर्दन लद्दीके आस-पासके सभे इलाका महर ऐलै, “पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा आर बप्तिस्मा ले आर परमेश्वर तोरसिके कैल पापसिके माफी देतौ।”
केनान एनोशके बेटा रहै, एनोश शेतके बेटा रहै, शेत आदमके बेटा रहै, आदम परमेश्वरके बेटा रहै।
येशू पवित्र आत्माके सामर्थ्य पाबिके गालील जिलामे वापस लौटिके ऐलै, आर ओकर नामके चर्चा अगल-बगलके सभे गाँवमे फैली गेलै।
परमेश्वरके आत्मा हमर उप्परमे छै, कहिनेकी गरिबसिके खुश-खबरी सुनाबैके लिए परमेश्वर हमरा नियुक्त कैल्कै छे। हमरा बन्दीसिके शैतानसे आजाद करैके लिए, अनराहसिके दृष्टि दियैके लिए आर सभेको जे दब्ल-कुचल्ल छै, ओकरासिके आजाद करैके लिए भेज्ल गेलै छे,
तब यूहन्ना एरं कहिके गवाही देते कहैल्कै, “हमे परमेश्वरके आत्माके स्वर्गसे पेर्वाके रुपमे उतरिके येशूपर आबिके बैठ्ल देख्लियै।
परमेश्वरसे भेज्ल आदमी परमेश्वरेके बात बोलैछै कहिनेकी परमेश्वर ओकरा पवित्र आत्माके भरपूरी देल्कै छे।
मगर येशू परमेश्वरद्वारा स्वर्गमे उठ्याके लजैलसे पहेला ऊ आपनद्वारा चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके पवित्र आत्माके शक्तिसे आदेश देल्कै।
परमेश्वर कोन तरहसे नासरत गाँवके निवासी येशूके पवित्र आत्मा आर शक्तिसे अभिषेक कैल्कै। आर कोन तरहसे ऊ सभे जगहमे घुमि-घुमिके भलाइके काम कर्ते रहै आर शैतानसे सतैल आदमीसिके ठीक करि देते रहै, कहिनेकी परमेश्वर ओकर संगमे रहै।
जब ऊसब पोखरसे निक्लीके बाहार ऐलै, तब परमेश्वरके आत्मा फिलिपके उठ्याके ल्यागेलै, आर ऊ नपुंसक ओकरा फेर नैदेखल्कै आर ऊ परमेश्वर ओकरा बच्या लेल्कै छे कहिके आनन्द मनैते आपन देश वापस चल गेलै।