3 बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना यी प्रचार कर्ते यर्दन लद्दीके आस-पासके सभे इलाका महर ऐलै, “पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा आर बप्तिस्मा ले आर परमेश्वर तोरसिके कैल पापसिके माफी देतौ।”
हमे ते तोरासिके पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा कहिके पानीके बप्तिस्मा दैछियौ, मगर हमरसे पाछु आबेवाला एकटा आदमी हम्रहौसे शक्तिशाली छै, जकर जुत्ता उठाबैके योग्य हमे नैछियै। ऊ तोरासिके पवित्र आत्मा आर आगिनसे बप्तिस्मा देतौ।
आर ऊ बहुते इस्राएलीसिके आपन प्रभु परमेश्वरके तरफ वापस घुमैतै।
ऊ आपन आदमीसिके पापसिसे माफ करैके द्वारा ओकरासिके उद्धारके बारेमे ज्ञान देतै।
येशू पवित्र आत्मासे परिपूर्ण भ्याके यर्दन लद्दीसे वापस ऐलै, आर पवित्र आत्मा ओकरा सुनसान जगहमे ल्यागेलै।
यीसब बात यर्दन लद्दीके उपार बेथानियाँ गाँवमे भेलै रहे, जते बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना आदमीसिके बप्तिस्मा देते रहै।
बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके चेलासब आबिके कहैल्कै, “गुरुजी, जे आदमी तोरसंगे यर्दन लद्दीके पुरुबमे रहौं, जकर विषयमे तुहें बात कैल रहे; देख, ऊ आदमी बप्तिस्मा दैछै, आर सभेको ओकरलगत जैछै।”
ओकर आबैसे पहेला बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना सभे इस्राएलीसिके पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा आर बप्तिस्मा ले कहिके प्रचार कैल्कै।
पावल कहैल्कै, “बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना आदमीसिके बप्तिस्मा देल्कै जे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैल्कै रहे। मगर ऊ इस्राएलीसिके कहैल्कै येशूमे विश्वास कर जे ओकरबाद ऐतै, जे ख्रीष्ट छै।”
ते आब कहिने इन्तजार करैछ? उठ आर बप्तिस्मा ल्या आर येशूके नामके पुकारा करिके आपन पापके माफी पाब।’