3 हमे तोरासिके कहैछियौ, एरं नैछै मगर यदि तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैभैं ते तुहेंसब सभेकोय ओहिने करिके नाश हैभैं।
तब ऊ भूत जैछै आर आपनसे बेसी दुष्ट आरहौ सातटा भूत आपन संगमे आनैछै आर ऊ आदमीके भितर ढुकिके ऊ भूतसब ओत्ते बास करैछै, आर ऊ आदमीके दशा पहिलासे आरहौ खराब हैछै। यी दुष्ट पिढीके आदमीसिके भी अहिने हैतै।”
जब राजा यी बात सुनल्कै ऊ क्रोधित भेलै, आर आपन सिपाहीके भेजिके ऊ हत्यारासिके जान मरवैल्कै, आर ओकरसिके सहरमे आगिन लग्या देल्कै।
“पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा कहिनेकी स्वर्गके राज्य नज्दिक ऐल छै।”
तब येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “कि एरंके मार्ल ज्यावाला यी गालील जिलाके रहेवाला आदमीसब गालील जिलाके रहेवाला दोसर आदमीसिसे बेसी पापी रहै कहिके तुहेंसब सोचैछैं?
आर ऊ अठार झनके विषयमे तुहेंसब कि कहभैं? जेसब तखनी मर्लै जब सिलोआमके मीनार ओकरसिके उप्परमे गिर्लै रहै। कि मरेवाला आदमीसब यरूशलेम सहरके दोसर आदमीसिसे बेसी पापी रहै?
हमे तोरासिके कहैछियौ, एरं नैछै मगर यदि तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैभैं ते तुहेंसब सभेकोय ओहिने करिके नाश हैभैं।”
ख्रीष्टके नाममे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैनेसे पापके माफी मिलैछै कहिके यरूशलेम सहरसे ल्याके सारा संसारमे जात-जातके आदमीसिके प्रचार कैल जाना चाही।
सेल्याके पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगाब आर परमेश्वरके लगत लौटिके आब, ताकी तोरसिके पापसब माफ भ्याजहौं। तब तुहेंसब परमेश्वरके तरफसे आत्मिक सामर्थ्य पैभ।