लूका 1:1 - केवट नया कारार1 अति माननीय थियोफिलसके लिए, बहुते आदमीसब आपनसिके बीचमे घटिके पुरा भेल घटनासिके विवरण लिखैके कोशिश कैल्कै। Faic an caibideil |
बिना कोनो शंकाके, हमेसब कहे सकैछियै कि परमेश्वरद्वारा प्रकट कैल शिक्षासब पुरा रुपसे सच्चा छै, यानिकी येशू ख्रीष्ट आदमीके रुपमे ऐलै, ऊ पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके बेटा साबित भेलै, स्वर्गदूतसब ओकरा देखल्कै, ऊ स्वर्गके महिमामे लजैल गेलै, आदमीसब ओकर बारेमे जात-जातके आदमीसिमे प्रचार कैल्कै, आर संसारके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै।
आपनसिके हृदयके ऊ आपन खूनसे पवित्र बनैल्कै ताकी अपनासब जाने सकियै कि आब अपनासिमे कोनो गल्ती नैछै। आपनसिके शरीरके ऊ पानीसे लुहैल्कै, यी चिन्हके रुपमे कि ऊ अपनासिके शुद्ध करिदेल्कै छे। सेल्याके, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपनासब आपनसिके पुरा मन आर एरंको विश्वासके साथ परमेश्वरके नज्दिक चल जे आब हिलेवाला नैछै।
हमरसिके बडका इच्छा छै कि जबतक तुहेंसब जिन्दा रहभैं, तबतक तुहेंसब प्रेमपूर्ण सेवाके काम कर्ते रहभैं, यी सुनिश्चित करैके लिए कि जे तुहेंसब आशा करैछैं उटा सच भ्याजैतै। तब तुहेंसब लापरवाह नै बन्भैं। बरु तुहेंसब ऊ आदमीसिके उदाहरणके अनुसरण कर्भैं जेसब आपन विश्वास आर धीरजके कारण परमेश्वरके प्रतिज्ञाके प्राप्त करेवाला छै।