Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




गलाती 1:1 - केवट नया कारार

1 हमे, पावल, तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ आर हमे एकटा चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरा चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए आदमीसिके कोनो भी समूह या कोनो आदमीद्वारा चुन्ल नैछियै, मगर येशू ख्रीष्टद्वारा आर परमेश्वर पिताद्वारा चुन्ल गेलियै छे, जे येशूके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




गलाती 1:1
35 Iomraidhean Croise  

परमेश्वर पिता आर हमे एक छियै।”


तब येशू फेर ओकरासिके कहैल्कै, “तोरासिके शान्ति मिलौ! जेरंके पिता हमरा संसारमे भेजल्कै छे, ओहिने करिके हमे भी तोरासिके संसारमे भेजैछियौ।”


येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, हमे, बेटा आपन तरफसे कुछु नैकरे सकैछियै। मगर हमर परमेश्वर पिताके जे कैल हमे देखैछियै, हमे खाली उहे करैछियै। कहिनेकी परमेश्वर पिता जे करैछै, हमे, बेटा उहे करैछियै।


तब हमे कहैलियै, ‘हे प्रभु, आब हमे कि करियै?’ प्रभु हमरा कहैल्कै, ‘उठिके दमसकस सहरमे जो, आर जे कुछु तोरा करैके लिए ठहरैल छै ओत्ते तोरा सभे बतैल जैतौ।’


आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दिएवाला स्रोतके तुहेंसब मार्लह जकरा परमेश्वर मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, हमेसब यी बातके गवाह छियै।


मगर तुहें उठिके सहरमे जो, आर कोय तोरा बतैतौ कि हमे तोरासे कि करवाबैले चाहैछियौ।”


यी चिट्ठी हमे, पावल लिखैछियै। हमे येशू ख्रीष्टके सेवक छियै, आर चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए परमेश्वरके द्वारा चुन्ल गेलियै छे आर परमेश्वरके खुश-खबरी सुनाबैके लिए अलग कैल गेलियै छे।


कहिनेकी अगर तुहें येशूके प्रभु कहिके आपन मुखसे स्वीकार कैल्हैं, आर परमेश्वर ओकरा मुर्दासे जिन्दा कैल्कै कहिके आपन हृदयमे विश्वास कर्भैं ते, तोर उद्धार हैतौ।


कहिनेकी ख्रीष्ट इहे ल्याके मर्लै आर फेर मुर्दासे जिन्दा भ्यागेलै ताकी ओकरा जिन्दा आर मुर्दा दोनो आदमी प्रभुके रुपमे स्वीकार करै।


हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। हमे ख्रीष्ट येशूके चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐले परमेश्वरके इच्छाद्वारा बोलैल छियै। हमे एत्ते आपनसिके विश्वासी भ्या सोस्थेनेससंगे छियै जे हमरा सहायता करैछै।


यी चिट्ठी हमेसब, पावल आर तिमोथीके तरफसे छै। हमे परमेश्वरके इच्छासे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमेसब यी चिट्ठी कोरन्थी सहरके मण्डलीके आर अखैया प्रदेशके सभे सन्तसिके लिखैछियै।


मगर तब परमेश्वर फैसला कैल्कै कि आपन बेटाके हमरा प्रकट करै, ताकी हमे गैर-यहूदी आदमीसिके बीचमे येशूके विषयमे खुश-खबरी प्रचार करे सकियै। परमेश्वर ही छै जे हमर जनम हुऐसे पहेला ही हमरा चुनी लेल्कै, आर आपन अनुग्रहके कारण ऊ हमरा ओकर सेवा करैके लिए बोलैल्कै। जब येशू अपने आपके हमरा प्रकट कैल्कै, तब हमे सल्लाह लियैके लिए ककरो लगत नै गेलियै।


आर हमरसे पहेला चुन्ल आर भेज्ल चेला हुएवालासिकते हमे यरूशलेम सहरमे नै गेलियै, मगर तुरन्ते हमे अरब देशमहर गेलियै, आर ओत्तेसे दोबारा हमे दमसकस सहरमे वापस घुमिके ऐलियै।


हमे परमेश्वरके सभे आदमीसिमेसे सभैसे कम महत्वपूर्ण छियै। मगर परमेश्वर हमरापर अनुग्रहकारी रहै कि हमे गैर-यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी सुनाबे सक्लियै कि ख्रीष्ट अपार आशिषके मूल छै, जे समझसे बाहार छै।


हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। परमेश्वर हमरा इहे ल्याके चुनल्कै कि हमे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला बनियै ताकी हमे यी सन्देशके प्रचार करे सकियै कि परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे, जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैसे आबैछै।


आर आब सही समयमे, परमेश्वर यी खुश-खबरी प्रकट कैल्कै आर हमेसब सभे आदमीसिके यी बातके प्रचार करैछियै। आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर हमर प्रचारके कामद्वारा यी आज्ञा देते हमरा जिम्मेदारी देल्कै कि हमे ओकर खातिर यी काम करियै।


आर आब, शान्ति दिएवाला परमेश्वर, जे आपनसिके प्रभु येशूके मुर्दासे फेर जिन्दा बनैल्कै, तोरासिके उटा सभे चीजसे पुरा करौ जकर तोरासिके ओकर इच्छा पुरा करैके लिए जरुरत छौ। येशू ख्रीष्टके शक्तिके द्वारा ऊ तोरासिमे उटा सभे चीज उत्पन्न करौ जे ओकरा खुश करैछै। येशू कहियो खतम नैहुएवाला करारके द्वारा भेंडासिके महान चरवाहा बनी गेलै छे, जकरापर ओकर खूनके द्वारा सही कैल गेलै छे। ओकर महिमा सभे दिन हैते रहै। आमेन।


ख्रीष्टके कैल कामद्वारा परमेश्वरपर तोरसिके भरोसा छौ, जे ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बन्याके महिमा देल्कै, ताकी तोरसिके आशा आर विश्वास परमेश्वरमे रहौ।


हमे ऊ छियै जे सभे दिन जिन्दा छियै। हमे एकबेर मरि गेलियै रहे, मगर आब हमे जिन्दा छियै आर हमे सभे दिन जिन्दा रहबै। देख, हमरलगत मौत आर पातालपर, मर्ल आदमीसिके जगहपर अधिकार छै।


आर येशू ख्रीष्टके तरफसे जकर वचनपर भरोसा कैल ज्या सकैछै। उहे ही छै जे मुर्दासे फेरसे जिन्दा भेलै आर ऊ यी संसारके सभे राजासिके शासक छै। ऊ आपनसिसे प्रेम करैछै आर ऊ आपन खून बहयाके अपनासिके आपनसिके पापसिसे बचाबैछै। ऊ अपनासिके एरंको समूहके आदमी बन्या देल्कै छे, जकर परमेश्वर ओकरसिके राजा छै आर ऊ अपनासिके परमेश्वर ओकर पिताके लिए पुजारी बन्या देल्कै छे। ओकरा आदर आर अधिकार सभे दिन आर हर समय मिल्ते रहै। आमेन।


आर स्मुर्ना सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके शुरुआत कैलियै आर हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके समाप्त कर्बै, हमे एकबेर मरि गेलियै रहे। मगर आब हमे जिन्दा छियै आर हमे सभे दिन जिन्दा रहबै। हमे तोरासे यी कहैछियौ:


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan