Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




एफिसी 5:3 - केवट नया कारार

3 तुहेंसब विश्वासीसब हुऐके कारणसे तोरसिके बीचमे व्यबिचार आर कोनो अशुद्धता या लोभके नाम भी नैलेल जै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




एफिसी 5:3
58 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी हृदयसे ही खराब विचार, हत्या, परस्त्रीगमन, व्यबिचार, चोरी, झुट्ठा गवाही आर निन्दा बाहार निक्लैछै।


तब येशू ओत्ते जमा भेल आदमीसिके कहैल्कै, “होशियार र! सभे किसिमके लोभ-लालचसे अपने आपके बच्याके राख, कहिनेकी आदमी जतनें भी ढेर मातबर कहिने नैहुए ओकर धन-दौलत ओकरा सच्चा जीवन दिए नैसक्तै।”


धनके लोभी फरिसी समूहके आदमीसब यीसब बात सुनिके ओकर मजाक उडाबे लाग्लै।


मगर ओकरसिके लिए एकटा चिट्ठी लिखिके भेजी देना चाही कि ऊसब आदमीसिके द्वारा मूर्तिके चढैल भोजनके नैखाक, व्यबिचारसे अलग रहक आर घैच मोचारिके मार्ल जानवरके मास आर जानवरके खून नैखाक।


हमे कोनो आदमीके सोना, चानी या कपडाके लोभ नैकैलियै।


ऊसब सभे किसिमके पापसे भर्ल छै। ऊसब लोभ आर घृणा करैछै, दोसरके डाहा करैछै आर दोसर आदमीसिके हत्या करैछै। ऊसब झर-झगडा करैछै, छल-कपट करैछै आर झुठ बोलैछै, एक दोसरके चुगलखोरी करैछै,


हमे तोरासिके कहैछियौ प्रभुमे ओकरा स्वागत कर, जेरं परमेश्वरके आदमीसिके एक-दोसरके स्वागत करना चाही। ओकरा चाहेवाला कोनो भी सहायता ओकरा दहैं, कहिनेकी ऊ बहुते आदमीके आर हमर भी सहायता कैल्कै छे।


आपन शरीरके अंगसिके दुष्ट काममे प्रयोग हुऐके लिए समर्पण नैकर। मगर मौतसे जीवनमे आन्ल आदमीके जुगुर आपन जीवनके आर आपन शरीरके अंगसिके सही काम करैके लिए परमेश्वरके लगत पुरा समर्पण करि दहैं।


अपनासिके अनैतिक काममे फसना नैछै, जेरं ओकरसिमेसे कुछु आदमीसब कैल्कै आर एक्के दिनमे तेईस हजार आदमीसब मर्लै रहे।


तोरसिके मण्डलीमे कुछु आदमीसब व्यबिचार करैछै कहिके बहुते आदमीसब हमरा कहैल्कै छे, एरंको व्यबिचार जे परमेश्वरके नैचिन्हेवाला आदमीसिके बीचमे भी नैहैछै। तोरसिमेसे कोय एकझन आपन सौतिन मयाँके संगे अनैतिक सम्बन्ध राख्ले छै कहिके हमे सुन्लियै छे।


तोरसिमेसे कोय आदमी कहभैं “भोजन शरीरके लिए छै आर शरीर भोजनके लिए छै” यी बात सच छै मगर परमेश्वर आपनसिके शरीर आर भोजन दोनोके नाश कर्तै, शरीर व्यबिचारके लिए नैछै मगर आपनसिके शरीर प्रभुके लिए छै आर ओकर सेवा करैके लिए छै।


व्यबिचारसे पुरा तरहसे दूर र, यी बात साफ जाहीर छै कि दोसर पाप शरीरके एतनें प्रभावित नैकरैछै जतनें यी पाप प्रभावित करैछै। व्यबिचार करेवाला आदमी आपन शरीरके विरुद्धमे पाप करैछै।


आर कहीं एरं नैहै कि जब हमे दोबारा तोरसिसे भेट करैले वापस ऐबौ, हमर परमेश्वर हमरा लज्जित बनाबै। आर हमरा बहुते झनके लिए फेर शोक करे पडै, जेसब पहेला पाप कैल्कै रहे, आर आपन कैल अशुद्ध व्यवहार, व्यबिचार, आर भोग-विलासके लिए पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैल्कै छे।


कहिनेकी अविश्वासी आदमीसिके गुप्तमे कैल कामके विषयमे कहना भी लाजके बात छै।


कहिनेकी तुहेंसब यी बात बढियाँसे जानैछैं कि कोनो भी व्यबिचारी आदमी, गन्दा काम करेवाला आदमी या लोभी आदमीके ख्रीष्ट या परमेश्वरके राज्यमे कोनो हिस्सा नैमिल्तै। लोभी आदमी एकटा मूर्तिपूजा करेवाला आदमीके जुगुर छै, जे यी संसारके चीजसिके आराधना करैछै।


मगर जे भी हुए, तुहेंसब एकटा बातके ध्यान राख कि तोरसिके जीवनके आचरण-व्यवहार ख्रीष्टके खुश-खबरीके योग्य होना चाही। अहिने करिके चाहे हमे आबिके तोरसिके भेट करियौ या दूर रहिके हमे तोरसिके बारेमे सुनियौ, मगर हमरा इहे बात पता चलै कि तुहेंसब एक आत्मामे स्थिर छैं आर एक मनके भ्याके एक साथ मिलिके उटा विश्वासके लिए संघर्ष करैछैं, जे कि खुश-खबरीपर आधारित छै।


सेल्याके तोरसिके पापी स्वभावसे जुड्ल खराब कामसब करैले बन्द कर जे यी धर्तीपर छै: यानिकी व्यबिचार, अशुद्धता, कामुकता, शारीरिक इच्छा आर लोभी नैबन जे मूर्तिपूजा करैके जुगुर छै।


कहिनेकी परमेश्वरके इच्छा यी छै कि तुहेंसब पवित्र बन, यानिकी शारीरिक इच्छाके मुताबिक कोनो पाप नैकर।


कहिनेकी परमेश्वर अपनासिके अनैतिक जीवन जियैके लिए नै, मगर पवित्र जीवन जियैके लिए बोलैल्कै छे।


एकर बदलामे, ऊसब दोसर आदमीसिके लिए बढियाँ कामसब करे पडैछै, परमेश्वरके भक्ति करेवाला जनानीसिके लिए इहे उचित व्यवहार छै।


ऊसब बेसी नशा करेवाला आदमी आर मार-पीट करेवाला आदमी नै होना चाही। ऊसब दयालु, धीरजी आर शान्त आदमी होना चाही, आर ऊसब वाद-विवाद नैकरेवाला, आर पैसाके लालच नैकरेवाला आदमी होना चाही।


कहिनेकी रुपिया-पैसाके प्रेम सभे प्रकारके खराबीके जड छै। कुछु आदमीसब कले-कले ख्रीष्टके विषयमे शिक्षासिके उप्परमे विश्वास करैके लिए छोडी देल्कै कहिनेकी ऊसब रुपिया-पैसा हुऐके बहुते इच्छा कर्ते रहै, आर ऊसब बहुते किसिमसे कष्ट भोगैछै, एकटा एरंको आदमीके जुगुर जे अपने आपके एकटा हतियारसे भोकी लेल्कै छे।


कहिनेकी आदमीसब खाली अपने आपके प्रेम कर्तै, रुपिया पैसाके मोह कर्तै, घमण्डी हैतै, ऊसब दोसर आदमीसिके निन्दा कर्तै, मयाँ-बाबुके आज्ञापालन नैकर्तै, धन्यवादी नैहैतै आर परमेश्वरके सम्मान नैकरिके दुष्ट बन्तै।


एरंको आदमीसिके सिखाबैले अनुमति नैदहैं, कहिनेकी ऊसब झुट्ठा शिक्षा सिख्याके पुरा परिवारके विश्वासके बर्बाद करैछै। ऊसब एरंको झुट्ठा शिक्षा पैसा कमाबैके लिए सिखाबैछै।


कहिनेकी मण्डलीके देख-रेख करेवाला आदमी परमेश्वरके काम करे पडैके कारणसे दोषरहित होना चाही। ऊ आपन चहेल बात पुरा हुऐके चाहना करेवाला या तुरन्ते रिसाबेवाला या मतवाला या झग्डौहा या धन-दौलतके लिए ठगेवाला नै होना चाही।


अहिने करिके बुढ जनानीसब सभे बातमे एरं व्यवहार करै जे हरेक बातमे जे ऊ करैछै परमेश्वरके सम्मान दैछै, दोसर आदमीके बारेमे खराब बात नैबोलेवाली, आर बेसी नशा करेवाली नैहै, मगर ऊसब दोसर जनानीसिके बढियाँ जीवन जियैके तरिका सिखाबे पडैछै।


तोरसिमेसे कोय भी व्यबिचारी या अब्राहमके पोता एसावके जुगुर अधर्मी नैहु। कहिनेकी ऊ बडका बेटा रहै, इहे ल्याके ओकरलगत खास उत्तराधिकारी हुऐके अधिकार रहै। मगर ऊ आपन जनमके अधिकारके सम्मान नैकैल्कै आर इहे ल्याके ऊ आपन छोटका भ्या याकूबके यी अधिकारके एक छाँकके भोजनके लिए बेचि देल्कै।


जेरंके चरवाहासब आपन भेंडासिके रखवाली करैछै, ओहिने करिके तोरासिके हरेकके रखवाली करना चाही जकरा परमेश्वर तोरसिके देखरेखमे राखल्कौ छे। एकरा स्वेच्छासे कर, कहिनेकी परमेश्वर इहे चाहैछै कि तुहें एरं कर। एरं खाली इहे ल्याके नैकर कहिनेकी तोरासिके एरं करैके लिए मजबूर कैल गेलौ छे। यी काम इहे ल्याके नैकर कहिनेकी तुहेंसब धन कमाबैके लिए चाहैछैं मगर परमेश्वर आर आदमीसिके सेवा करैके इच्छाके साथ कर।


परमेश्वर जरुर ही ऊ झुट्ठा शिक्षकसिके सजाय देतै, जे आपन दुष्ट, लजलग्गा इच्छाके मुताबिक काम करैछै आर आपन उप्परमे परमेश्वरके अधिकारके अस्वीकार करैछै। ऊसब हठी आर अहंकारी हैछै। ऊसब स्वर्गमे भेल महिमित प्राणीसिके बारेमे अपमान करैले नैडराबैछै।


ऊसब हरेक जनानीके संगे व्यबिचार करैले चाहैछै, जकरा ऊसब देखैछै। ऊसब पाप करैके मौका खोजैसे कहियो पाछु नैहटैछै। ऊसब ऊ आदमीसिके धोखा दैछै जेसब ख्रीष्टमे मजगुतीसे विश्वास नैकरैछै, आर ऊसब ओकरासिके पापके तरफ ल्याजैछै। ओकरसिके बेसीसे बेसी चीजसिके पाबैके सभे दिन बढते रहेवाला इच्छाके कारण परमेश्वर ओकरासिके सजाय देतै।


यीसब लोभी हैतै आर ऊसब बन्ल बनैल कहानीसब सुन्याके तोरासिके धोखा देतौ ताकी तोरासिसे पैसा कमाबे सकै। परमेश्वर बहुते समय पहेला ही फैसला करि लेल्कै रहे कि ऊ ओकरासिके सजाय देतै आर ऊ एरं करैके लिए तैय्यार छै। परमेश्वर जरुर ओकरासिके नाश करि देतै।


मगर कुछु छै जे हमे तोरामे गलत पाबैछियौ: कहिनेकी तुहें ऊ आदमीसिके विरोध नैकरैछैं जे तोर मण्डलीमे झुट्ठा शिक्षा दैछौ, जेरंके भविष्यवक्ता बालाम पहेलाके समयमे देल्कै रहे। भविष्यवक्ता बालाम राजा बालाकके सिखैल्कै कि इस्राएलीसिके पाप करैके लिए उक्साबैके लिए कि करना चाही। ऊ ओकरासिके मूर्तिसिके चढैल भोजन खैके लिए आर अनैतिक रुपसे जीवन जियैले सिखैल्कै।


हमे ओकरा पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके लिए अवसर देलियै छे, मगर ऊ आपन अनैतिक व्यवहारके बन्द करैसे इन्कार करैछै।


मगर जे हमरापर विश्वास नैराखैछै, ओकरासिके जबरजस्ती गन्धकसे जरेवाला उटा तालाबमे फेक्ल जैतै, जे कि दोसर मौत छै। आर यी नतिजा ओकरसिके भी हैतै, जेसब आदमीसिके समनामे हमरा स्वीकार करैसे डराबैछै, खराब कामसब करैछै, जेसब हत्यारासब छै, जेसब व्यबिचार करैछै, जादु-टोना करैछै आर मूर्तिसिके पूजा करैछै या झुठ बोलैछै।”


मगर ऊ आदमीसब जे दुष्ट काम करैछै, जादु-टोना करैछै, जेसब व्यबिचार करैछै, आर मूर्तिसिके पूजा करैछै या ऊसब जे झुठ बोलैछै, ऊसब कहियो भी सहरमे प्रवेश नैकरे सक्तै।


ऊसब आपन कैल हत्या, जादु-टोना, व्यबिचार आर चोरीसे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैल्कै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan