Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




एफिसी 5:2 - केवट नया कारार

2 ख्रीष्टके उदाहरणके अनुसरण कर्ते हुए, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमसे भर्ल जीवन जी, ख्रीष्ट तोरासे प्रेम कैल्कौ आर तोरसिके पापसिके उठाबैके लिए खुदके बलिदान करिदेल्कै। आर परमेश्वर यी बातसे खुश रहै, कहिनेकी उटा बलिदान ओकर लिए गमकौव्वा धुपके जुगुर रहै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




एफिसी 5:2
54 Iomraidhean Croise  

जेरंके हमे, आदमीके बेटा खुद एकटा महान शासकके जुगुर आपन सेवा करवाबैके लिए नै ऐलियै छे, एकर बदलामे हमे दोसरसिके सेवा करैके लिए आर दोसरसिके बचाबैके लिए आपन जान दियैले ऐलियै छे।”


एकटा नया आज्ञा हमे तोरासिके दैछियौ: तुहेंसब एक दोसराके प्रेम कर। जेरंके हमे तोरासिसे प्रेम कैलियौ छे, तहुँसब एक दोसराके ओहिने प्रेम कर।


स्वर्गसे उतरिके ऐल जिन्दा रोटी हम्हीं छियै। यी रोटी ख्यावाला सभे दिन जिन्दा रहतै। हमर दिएवाला रोटी हमर आपने शरीर छै। संसारके आदमीसब जीवन पाबै कहिके हमे आपन शरीर देबौ।”


येशू आपनसिके पापके लिए मर्लै आर परमेश्वर अपनासिके धर्मी घोषित करैके लिए येशूके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै।


जे काम मूसाके विधि-विधान नैकरे सकल्कै, उटा काम परमेश्वर कैल्कै, कहिनेकी आपनसिके पापी स्वभाव मूसाके विधि-विधानके कमजोर बनैल्कै रहे। ऊ आपन बेटाके पापके बलिदान हुऐके लिए आपनसिके जुगुर शरीरमे भेजल्कै। एरंके ऊ मानव शरीरमे पापके न्याय कैल्कै।


मगर आपनसिसे जे प्रेम कैल्कै छे ओकरद्वारा यी सभे खराब चीजसिमे पुरा तरहसे जित आपनसिके छै।


जे कुछु भी तुहेंसब करैछैं ऊ सभे कुछु प्रेमसे कर।


जेरंके निस्तार पावन मनाबैसे पहेला यहूदी आदमीसब आपन घरसे सभेटा खमीरके निकालैछै, ओहिने करिके तोरासिके यी अनैतिक काम करेवाला आदमीके भी आपन मण्डलीसे बाहार निकाली देना चाही। फेर तुहेंसब उटा रोटीके जुगुर भ्या जैभैं जकरामे कोनो खमीर नैहैछै। जकर मतलब छै कि तुहेंसब एकटा विश्वासीके समूह हैभैं जे समूहमे एरंको कोय आदमी नैहैतै जे जानी-जानीके पाप करैछै कहिनेकी जब तुहेंसब ख्रीष्टमे विश्वास कैल्हैं, तब परमेश्वर तोरासिके भितरसे शुद्ध बनैल्कौ। कहिनेकी ख्रीष्ट अपनासिके आपनसिके पापसे छुटकारा देल्कै छे आर ऊ एकटा भेंडाके जुगुर छै जकरा यहूदी आदमीसब निस्तार पावनके समयमे बलिदान कैल्कै।


परमेश्वरके धन्यवाद है, ख्रीष्टके संगे आपनसिके एकताके कारण ऊ सभे दिन ओकरसंगे आपनसिके अगुवाई करैछै आर अपनासिके जित दिलाबैछै। एकर मतलब यी छै कि अपनासब जते भी जैछियै, ओत्ते खुश-खबरीके घोषणा करैछियै ताकी सभे आदमीसब सुनै आर परमेश्वरके जाने सकै।


कहिनेकी अपनासब ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके लिए जरैल गेल धुपके जुगुर छियै। आपनसिके द्वारा प्रचार कैल गेल खुश-खबरी उद्धार पैल आर उद्धार नैपैल सभे आदमीसिमे फैली रहेल सुगन्धके जुगुर छियै।


तुहेंसब आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रहके जानैछैं, कि ऊ मातबर भ्याके भी तोरसिके खातिर गरिब बन्लै ताकी ओकर गरिबीसे तुहेंसब मातबर हुए सक्हैं।


आपनसिके परमेश्वर आर पिताके इच्छाके मुताबिक येशू ख्रीष्ट अपने आपके आपनसिके पापसिके कारण बलिदान करिदेल्कै ताकी अपनासब यी वर्तमान संसारके आदमीसिके खराब प्रभावसे बचिके रहियै।


एरं कहे सकैछियै कि जब ख्रीष्ट क्रूसपर मर्लै तब हमे भी ओकरसंगे मरि गेलियै। आब हमे जिन्दा नैछियै, मगर ख्रीष्ट हमरामे जियैछै। जेरंके आब हमे जियैछियै, हमे परमेश्वरके बेटापर भरोसा करिके जिन्दा छियै, जे हमरासे एतनें प्रेम करैछै कि ऊ हमर खातिर आपन जान द्या देल्कै।


यानिकी परमेश्वर संसार बनाबैसे पहेला ही अपनासिके ख्रीष्टके कारण आपन प्रजा हुऐके लिए चुनल्कै। ताकी अपनासब ओकर समनामे पवित्र आर दोषरहित हुए सकियै।


ताकी जब तुहेंसब ओकरापर भरोसा कर्भैं, तब ख्रीष्ट तोरसिके हृदयमे रहौ। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर आर एक-दोसरके लिए तोरसिके प्रेम तोरासिके मजगुत बनाबौ आर तोरासिके गिरैसे बचाबौ।


हमे प्रार्थना करैछियै कि तुहेंसब यी बात जाने सक्हैं कि ख्रीष्ट अपनासिके कतनें प्रेम करैछै ताकी परमेश्वर तोरासिके ओकर चरित्रसे भरे सकौ।


बरु, प्रेमसे सच बोलीके अपनासब हरेक बातमे परिपक्क आर ख्रीष्टके जुगुर भ्याजैयै, जे आपनसिके शरीर यानिकी मण्डलीके शिर छै।


सभे दिन नम्र आर कोमल बन। एक दोसरके संगे धीरज राख, प्रेमके कारण एक दोसरके व्यवहारके सहन कर।


सेल्याके आपन स्वभावके विषयमे विशेष रुपसे होशियार र। तोरसिके स्वभाव निर्बुद्धि आदमीसिके जुगुर नै, मगर बुद्धिमान आदमीसिके जुगुर हौ।


हे पतिसब आपन-आपन पतनीसिके प्रेम कर, जेरंके ख्रीष्ट भी मण्डलीके प्रेम कैल्कै आर ओकर लिए आपन जान देल्कै।


हमे सभे कुछु पाबि लेलियै छे आर बहुते भी छै, जे चीज तुहेंसब इपाफ्रोडिटसके द्वारा भेज्लहैं रहे उटा पाबिके हमे सन्तुष्ट भेलियै छे। तोरसिके उपहारसब हमर लिए पुजारीद्वारा परमेश्वरके चढैल मिठा सुगन्धवाला दान आर बलिदानके जुगुर छै। उटा परमेश्वरके लिए स्वीकार योग्य आर मनमोहक छै।


तोरासिके करे पडेवाला सबसे महत्वपूर्ण बात एक दोसरके प्रेम करना छौ। एरं कर्भैं ते तुहेंसब पूर्ण रुपसे एक हैभैं।


मगर आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके प्रति प्रेमके विषयमे कक्रहौ तोरासिके लिखैके जरुरत नैछै, कहिनेकी एक दोसरके प्रेम करिहैं कहिके तुहेंसब आपनहैं परमेश्वरसे शिक्षा पैल्हैं छे।


ख्रीष्ट पाप आर मौतके शक्तिसे मोल तिरिके सभैके बचाबैके लिए आपन बलि देल्कै। ओकर मौतद्वारा परमेश्वर सही समयमे सबूत देल्कै कि ऊ सभे आदमीसब उद्धार पाबै कहिके चाहैछै।


एरंको व्यवहार कर कि कोय भी तोरासिके अनादर नैकरौ कहिनेकी तुहेंसब जवान छैं, मगर तोरसिके बोल्ल वचनद्वारा, तोरसिके व्यवहारद्वारा, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमद्वारा, ख्रीष्टमे तोरसिके भरोसाद्वारा आर तोरसिके पापरहित जीवनद्वारा विश्वासीसिके लिए तोरासिके एकटा उदाहरण बने पड्तौ।


उहे येशू ख्रीष्ट अपनासिके सभे पापसे छुटकारा दिलाबैके लिए आर नैतिक रुपसे शुद्ध बनाबैके लिए खुदके बलिदान कैल्कै ताकी अपनासब ओकर आपन विशेष आदमीसब बने सकियै जेसब बढियाँ काम करैके बडका इच्छा राखैछै।


हरेक प्रधान पुजारी पापके माफीके लिए बलिदान आर दान चढाबैके लिए नियुक्त भेल हैछै। सेल्याके यी जरुरी छै कि आपनसिके प्रधान पुजारी येशूके लगत भी चढाबैके लिए कुछु है।


मगर ख्रीष्ट पापरहित रहै, आर ऊ अपने आपके परमेश्वरके लिए एकटा कहियो खतम नैहुएवाला आर आत्मिक बलिदानके रुपमे दान चढ्या देल्कै। इहे कारणसे ओकर खून बहुते बेसी शक्तिशाली छै आर आपनसिके विवेकके शुद्ध बनाबैछै। आब अपनासब जिन्दा परमेश्वरके सेवा करे सकैछियै आर ऊ चीजसिके नैकरैछियै जे मौतके तरफ ल्याजैछै।


सेल्याके यी जरुरी रहै कि परमेश्वरके पाल आर ओकरामे भेल सभे चीजसिके विधिके मुताबिक शुद्ध करैके लिए जानवरके बलि देल जाना रहै आर यी स्वर्गके चीजसिके नकल छै। मगर स्वर्गके ऊ चीजसिके विधिके मुताबिक शुद्ध करैके लिए, जानवरके खूनसे बेसी उत्तम बलिदानके जरुरत रहै।


सभैसे बेसी महत्वपूर्ण बात यी छै कि एक दोसरके इमानदारीसे प्रेम कर। कहिनेकी यदि तुहेंसब आदमीसिके प्रेम कर्भैं ते, तुहेंसब सभे दिन ओकरसिके द्वारा कैल गेल कोनो भी गलत कामके माफी दियैके लिए तैय्यार रहभैं।


एक्रहैसे प्रेम कि छै कहिके अपनासिके मालुम हैछै, कि येशू ख्रीष्ट आपनसिके लिए आपन जान देल्कै। सेल्याके अपनासिके भी आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके लिए आपन जान दियैके लिए तैय्यार रहे पडैछै।


ओकर आज्ञा इहे छै, कि अपनासिके ओकर बेटा येशू ख्रीष्टके नाममे विश्वास करे पडैछै आर ओकर आज्ञा देल बमोजिम अपनासिके एक-दोसरके प्रेम करे पडैछै।


आर येशू ख्रीष्टके तरफसे जकर वचनपर भरोसा कैल ज्या सकैछै। उहे ही छै जे मुर्दासे फेरसे जिन्दा भेलै आर ऊ यी संसारके सभे राजासिके शासक छै। ऊ आपनसिसे प्रेम करैछै आर ऊ आपन खून बहयाके अपनासिके आपनसिके पापसिसे बचाबैछै। ऊ अपनासिके एरंको समूहके आदमी बन्या देल्कै छे, जकर परमेश्वर ओकरसिके राजा छै आर ऊ अपनासिके परमेश्वर ओकर पिताके लिए पुजारी बन्या देल्कै छे। ओकरा आदर आर अधिकार सभे दिन आर हर समय मिल्ते रहै। आमेन।


ऊसब यी नया गीत बलि-भेंडा यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयमे गाबैछै, “तोरलगत यी किताबके खोलैके लिए मोहरसिके लियैके आर तोडैके अधिकार छै, कहिनेकी तोर जान मारि देल गेल्हौं रहे आर आपन मौतके खूनसे तुहें हरेक कुलसब, हरेक भाषासब, आदमी आर हरेक जात-जातके आदमीसे, परमेश्वरके लिए आदमीसिके मोल चुक्याके किनि लेलह छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan