1 तुहेंसब परमेश्वरके सन्तान छैं जकरासे ऊ प्रेम करैछै, सेल्याके ओकर जुगुर बनैके कोशिश कर।
एरं कर्भैं ते तुहेंसब स्वर्गमे भेल परमेश्वर पिताके बेटा-बेटीसब हैभैं। कहिनेकी परमेश्वर भी भला आर बुरा दोनो तरहके आदमीसिके सुरुजके रौद दैछै, आर धर्मी आदमी आर पापी आदमी दोनोके लिए बर्षा बरसाबैछै।
सेल्याके, जेरंके स्वर्गमे रहेवाला परमेश्वर पिता सभे समय सही काम करैछै, ओहिने करिके तहुँसब भी सभे समय उहे कर जे सही छै।”
मगर जतनें आदमीसब ओकरा स्वीकार कैल्कै आर ओकरामे विश्वास कैल्कै, ओकरासिके ऊ परमेश्वरके सन्तान बनैके अधिकार देल्कै।
जेरंके परमेश्वर ख्रीष्टमे तोरासिके माफ कैल्कौ, ओहिने करिके एक दोसराके माफ करिके तुहेंसब एक दोसरपर दयालु आर कोमल मनके बन।
ताकी तुहेंसब भ्रष्ट आर दुष्ट आदमीसिसे भर्ल यी संसारमे परमेश्वरके सिद्ध बेटा-बेटीसिके जुगुर साफ आर निर्दोष जीवन जी। यी संसारके आदमीसिके बीचमे तोरासिके आकाशके तारासिके जुगुर अनहारमे चमकना चाही जब तुहेंसब ओकरासिके उटा वचन बताबैछैं जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै।
सेल्याके परमेश्वर तोरासिके आपन आदमी हुऐके लिए चुन्लकौ छे आर तोरासिके प्रेम करैछौ, इहे ल्याके तुहेंसब करुणा, दया, दीनता, नम्रता आर धीरज धारण कर।
हे प्रिय दोस्तसब, यदि परमेश्वर अपनासिके एरं प्रेम कैल्कै छे ते, अपनासिके भी एक-दोसरके प्रेम करना चाही।