9 “ऊ उप्पर चढिके गेलै” कहैके मतलब कोन चीज छै? एकर मतलब यी छै कि ऊ धर्तीके निच्चा भागसिमे उतर्लै भी रहे।
कहिनेकी जेरंके योना परमेश्वरके वक्ता बडका माछके पेटमे तीन दिन आर तीन रात रहै, ओहिने करिके हमे, आदमीके बेटा यी धर्तीके गर्भमे तीन दिन आर तीन रात रहबै।
येशू ओकरा कहैल्कै, “हमर चरणके पक्डीके हमरा नैरोक, कहिनेकी हमे एखनतक पिताके लगत नै गेलियै छे। मगर हमर भ्या-बहिनसिके लगत जैके कहिदहैं, ‘हमर पिता आर तोरसिके पिता, हमर परमेश्वर आर तोरसिके परमेश्वरके लगत हमे जैछियै।’ ”
कोय भी स्वर्गमे नैगेलै छे, मगर खाली हमे, आदमीके बेटा स्वर्गसे निच्चा ऐलियै छे।
कहिनेकी परमेश्वरके द्वारा दिएवाला रोटी उहे छै, जे स्वर्गसे उतरिके आबिके संसारके आदमीसिके जीवन दैछै।”
हमर आपन इच्छा पुरा करैले नै, मगर हमरा भेजेवालाके इच्छा पुरा करैले हमे स्वर्गसे ऐलियै छे।
येशू जे बात कहैल्कै रहे कि “स्वर्गसे ऐल रोटी हम्हीं छियै” उहे कारणसे यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकर विरोधमे कुड-कुडाबे लाग्लै।
स्वर्गसे उतरिके ऐल जिन्दा रोटी हम्हीं छियै। यी रोटी ख्यावाला सभे दिन जिन्दा रहतै। हमर दिएवाला रोटी हमर आपने शरीर छै। संसारके आदमीसब जीवन पाबै कहिके हमे आपन शरीर देबौ।”
स्वर्गसे ऐल रोटी इहे छै। यी तोरसिके पिता पुर्खासिके खैल रोटीके जुगुर नैछै। ऊसब उटा रोटी खैल्कै आर मरिके गेलै। मगर यी रोटी ख्यावाला आदमी सभे दिन जितै।”
यदि तुहेंसब हमे, आदमीके बेटाके उप्पर स्वर्गमहर जैते देख्भैं, जते हमे पहेला रहियै ते, कि कर्भैं?
येशू जबाब देल्कै, “हमे आपन बारेमे खुद ही कहैछियै, तैय्योपर हमर कहेल बात सच छै, कहिनेकी हमे जानैछियै, हमे कतेसे ऐलियै छे, आर हमे कते जैछियै। मगर तोरासिके यी बात मालुम नैछौ।
तुहें आदमीके कुछु समयके लिए स्वर्गदूतसिसे कम शक्तिशाली बनैलह, मगर एकरबाद तुहें ओकरा एकटा राजाके जुगुर महिमा आर सम्मान देलह छे।
मगर अपनासब येशूके देखैछियै! ओकरा कुछु समयके लिए स्वर्गदूतसिसे कम महत्वपूर्ण बनैल गेलै रहे, ताकी परमेश्वरके अनुग्रहसे ऊ सभैके लिए मरि जै। आर कहिनेकी ऊ तकलीफ उठैल्कै आर मरि गेलै, परमेश्वर ओकरा महिमा आर आदर देल्कै।