Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




एफिसी 4:6 - केवट नया कारार

6 अपनासब एक्केटा परमेश्वरके आराधना करैछियै जे आपनसिके सभैके पिता छै। ऊ आपनसिके सभैके उप्परमे राज्य करैछै, ऊ अपनासब सभैके द्वारा काम करैछै आर ऊ अपनासब सभैमे रहैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




एफिसी 4:6
31 Iomraidhean Croise  

हमरासिके परीक्षामे पडैले नैद्या, मगर पापमे फसाबेवाला बातसे दूर राख, (कहिनेकी राज्य, पराक्रम, आर महिमा सभे दिन तोरे छौं, आमेन)।


मगर तुहेंसब एरंके प्रार्थना कर: हे हमरसिके परमेश्वर पिता जे स्वर्गमे छह, तोर नाम पवित्र कैल जहौं।


येशू ओकरा जबाब देल्कै, “हमे अपने आपके एरंके आदमीसिके देखाबैछियै जे हमरासे प्रेम करैछै आर जे हमर शिक्षाके पालन करैछै, हमर परमेश्वर पिता ओकरा प्रेम कर्तै, तब हमे आपन परमेश्वर पिताके साथ ओकरलगत आबिके ओकरसंगे रहबै।


तुहें के छह कहिके हमे ओकरासिके प्रकट कैलिहौं आर प्रकट करैते रहभौं, ताकी जे प्रेमसे तुहेंसब हमरा प्रेम कैलह, उटा प्रेम ओकरासिमे भी रहै, आर हमे ओकरासिमे रहियै।


येशू ओकरा कहैल्कै, “हमर चरणके पक्डीके हमरा नैरोक, कहिनेकी हमे एखनतक पिताके लगत नै गेलियै छे। मगर हमर भ्या-बहिनसिके लगत जैके कहिदहैं, ‘हमर पिता आर तोरसिके पिता, हमर परमेश्वर आर तोरसिके परमेश्वरके लगत हमे जैछियै।’ ”


कहिनेकी सभे कुछु परमेश्वरसे आबैछै। ऊ सभे कुछु बनैल्कै छे, आर सभे चीज ओकरे छै। ओकरा सभे दिन महिमा मिल्ना चाही! आमेन!


आपनसिके जीवनमे काम करैके परमेश्वरके अलग-अलग तरिका छै, मगर यी उहे परमेश्वर छै जे अपनासिके ओकर लिए काम करैके क्षमता दैछै।


मूर्तिसिके परमेश्वरके मन्दिरमे कोनो जगह नैछै। कहिनेकी अपनासब ते जिन्दा परमेश्वरके मन्दिर छियै, जेरंके परमेश्वर धरमशास्त्रमे कहैल्कै छे, “हमे यी आदमीसिके संगे रहबै आर ओकरसिके बीचमे चलफिर कर्बै, आर हमे ओकरसिके परमेश्वर हैबै आर ऊसब हमर आदमी हैतै।”


ख्रीष्ट सभे शासनसब, अधिकारसब, शक्तिसब, आर राज्यसिसे उप्पर छै। ओकर पदवी खाली यी युगमे ही नै, मगर आबेवाला युगसिमे भी हरेक शासकसिके पदवीसे उप्पर छै।


हे गैर-यहूदी आदमीसब तुहेंसब ख्रीष्टके साथ एकजुट हुऐके कारण तोरासिके भी परमेश्वरके दोसर आदमीसिके संगे जोड्ल जैछौ। तुहेंसब एकटा एरंको इमारतके जुगुर बनैछैं जते परमेश्वरके आत्मा रहैछै।


ताकी जब तुहेंसब ओकरापर भरोसा कर्भैं, तब ख्रीष्ट तोरसिके हृदयमे रहौ। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर आर एक-दोसरके लिए तोरसिके प्रेम तोरासिके मजगुत बनाबौ आर तोरासिके गिरैसे बचाबौ।


हमे हमर पिता परमेश्वरसे आर प्रभु येशू ख्रीष्टसे प्रार्थना करैछियै कि ऊसब तुहें विश्वासी भ्या-बहिनसिके शान्ति दौ। ऊसब एरं करौ कि तुहेंसब एक दोसरसे प्रेम करहैं आर ख्रीष्टमे निरन्तर विश्वास कर्ते रहैं।


आर जे परमेश्वरके आज्ञापालन करैछै, ऊ परमेश्वरके संगे एक भ्याके रहैछै आर परमेश्वर ओकरसंगे एक भ्याके रहैछै। आर ओकर देल पवित्र आत्माके द्वारा अपनासब जानैछियै, कि ऊ आपनसिके संगे एक भ्याके रहैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan