Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




एफिसी 4:5 - केवट नया कारार

5 आपनसिके एक्केटा प्रभु छै, जकरापर अपनासब विश्वास करैछियै, खाली ख्रीष्टके नाम पर ही अपनासिके बप्तिस्मा देल गेलै छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




एफिसी 4:5
28 Iomraidhean Croise  

सेल्याके तुहेंसब जो, आर जात-जातके आदमीसिके हमर चेला बना। ओकरासिके एकटा चिन्हके रुपमे बप्तिस्मा दहैं कि ऊसब परमेश्वर आर हमे, परमेश्वरके बेटा आर पवित्र आत्माके अनुसरण करैछै।


तुहेंसब ऊ सन्देशके जानैछ जे परमेश्वर हमरासिके यानिकी इस्राएलीसिके भेजल्कै। ऊ शान्तिके बारेमे खुश-खबरी सुनैल्कै जे आदमीसिके येशू ख्रीष्टमे विश्वासके द्वारा मिले सकैछै। ऊ सभे आदमीसिके प्रभु छै।


सेल्याके आब सभे इस्राएलीसब यी बात निश्चित रुपसे जानी ल्या कि इहे येशूके, जकरा तुहेंसब क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार्लह, परमेश्वर ओक्रहै प्रभु आर ख्रीष्ट दोनो बनैल्कै छे।”


कहिनेकी परमेश्वर एक्केटा छै। ऊ यहूदी आदमीसिके ओकरसिके विश्वासके आधारमे धर्मी घोषित करैछै आर गैर-यहूदी आदमीसिके भी ओकरसिके विश्वासके आधारमे धर्मी घोषित करैछै।


तुहेंसब जे करैछैं उटा बात बढियाँ नैछै कहिनेकी ख्रीष्ट दीटा समूहमे बाँट्ल नैछै। हमे, पावल तोरसिके लिए क्रूसमे जान मार्ल नैगेलियौ। तुहेंसब हमर नाममे बप्तिस्मा नैलेल्हैं छे।


हमे यी चिट्ठी कोरन्थी सहरमे भेल परमेश्वरके मण्डलीके लिखैछियै जकरा ख्रीष्ट येशूमे एक बन्याके आपन आदमी हुऐके लिए परमेश्वर अलग कैल्कौ छे आर ऊ तोरासिके आपन पवित्र आदमी हुऐके लिए बोलैल्कौ छे। आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके प्रार्थना करैके लिए सभे आदमीसिके पवित्र बनैल जुगुर ऊ तोरासिके भी पवित्र बनैल्कौ छे, कहिनेकी ऊ आपनसिके सभैके प्रभु छै।


कहिनेकी अपनासब सभेको यहूदी आदमीसब छियै आर जेसब गैर-यहूदी आदमीसब छियै, जे दास छियै आर जे दास नैछियै अपनासब एक्केटा पवित्र आत्माके द्वारा एक्केटा शरीर हुऐके लिए बप्तिस्मा पैलियै छे आर अपनासब सभेको उहे पवित्र आत्मा पैलियै छे, जेरंके अपनासब एक्केटा कटौरीमेसे पियैछियै।


अलग-अलग तरहके काम छै जे अपनासब प्रभुके लिए करैछियै, मगर अपनासब एक्केटा प्रभुके सेवा करैछियै।


जब भी कोय आदमी तोरसिकेलगत आबैछौ आर तोरासिके एकटा अलग येशूके विषयमे बताबैछौ ते तुहेंसब ऊ नया आदमीके स्वीकार करैके लिए बहुते उत्सुक रहैछैं। ऊ उटा येशू नैछै जकर बारेमे हमेसब तोरासिके बतैलियौ रहे। आर तुहेंसब खुशीके साथ ओकरापर ध्यान दैछैं जब तोरासिके पवित्र आत्मा आर खुश-खबरी प्राप्त हैछौ, जे ऊ आत्मा आर खुश-खबरीके जुगुर नैहैछै जे हमेसब तोरसिकेलगत आन्लियौ रहे।


कहिनेकी यदि अपनासब ख्रीष्ट येशूके संगे एक छियै ते आपनसिके खतना भेल छै या नैभेल छै यी बात महत्वपूर्ण नैछै। मगर महत्वपूर्ण बात यी छै कि अपनासब ख्रीष्टके आपन उद्धारकर्ताके रुपमे विश्वास करैछियै, आर परमेश्वर आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम राखैछियै।


यी तबतक चल्तै जबतक कि अपनासब आपनसिके विश्वास आर परमेश्वरके बेटाके विषयमे आपन समझमे एक नैभ्याजैछियै। तब अपनासब परिपक्क भ्याजैबै, जेरं ख्रीष्ट छै आर अपनासब पुरा तरहसे ओकरे जुगुर भ्याजैबै।


आर हरेक आदमीसिके परमेश्वर पिताके महिमाके लिए येशू ख्रीष्टके प्रभु कहिके स्वीकार करे पड्तै।


मगर येशू ख्रीष्टके हमर प्रभुके रुपमे चिन्हैके कारण, जे सभे चीजसिसे मूल्यवान छै, हमे उटा सभे चीजके हानी सोच्लियै, ओकरे कारण हमे सभे चीज त्यागी देलियै, आर ऊ सभे चीजके कचरा सोच्लियै, ताकी हमे ख्रीष्टके हुए सकियै।


हमे, पावल, यी चिट्ठी तोरा लिखैछियौ। हमे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरा परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके विश्वासके मजगुत बनाबैके लिए आर ओकरासिके येशू ख्रीष्टके सच्चाई बुझाबैले सहायता करैके लिए हमरा नियुक्त कैल छै ताकी ऊसब परमेश्वरके खुश बनाबेवाला जीवन जिये सकै।


तीतस तुहें जे हमर आपने बेटाके जुगुर छैं कहिनेकी तुहें भी ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर पिता आर आपनसिके उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ।


जेसब तोरसिके अगुवा रहौ आर जेसब तोरासिके परमेश्वरके वचन सुनैल्कौ छे, ओकरासिके स्मरण कर। एकर बारेमे याद कर कि ऊसब केरं जीवन जिलै आर मरि गेलै। तुहेंसब भी परमेश्वरमे ओहिने भरोसा देखा जेरं ऊसब देखैल्कै रहे।


जे आदमीसब आपन विश्वासके त्यागी दैछै, ओकरासिके फेरसे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके स्थितिमे वापस आनैके कोनो रस्ता नैछै, कहिनेकी ऊसब खुद परमेश्वरके बेटाके फेरसे क्रूसपर चढाबैछै आर ओकरा शर्मिन्दा बनाबैछै जकर कारण दोसर आदमीसब ख्रीष्टके निचा देखैछै।


मगर यदि कोय कहे सकैछै, “तुहें येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं, आर हमे बढियाँ कामसब करैछियै।” मगर हमे कहैछियौ कि काम बिनाके तोर विश्वास हमरा साबित कर आर हमे आपन विश्वास आपन बढियाँ कामके द्वारा तोरा देखैबौ।


पहेलाके समयमे ओकरसिके बचैल जाना आब आपनसिके बचैल जानाके एकटा उदाहरण छै जब अपनासब बप्तिस्मा लैछियै। ऊ पानी जकरामे अपनासब बप्तिस्मा लैछियै, ऊ आपनसिके शरीरसे मैल नैहटाबैछै, मगर यी एकटा चिन्ह छै कि अपनासब परमेश्वरसे माफी माँग्लियै छे, ताकी आगु चलिके आपनसिके मन परेशान नैरहै। अपनासिके माफी कैल ज्या सकैछै कहिनेकी येशू ख्रीष्ट मौतके बाद फेरसे मुर्दासे जिन्दा भेलै छे,


हमे, सिमोन पत्रुस तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ, हमे येशू ख्रीष्टके सेवक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमे तुहेंसब सभैके लिए लिखैछियौ जेसब आपनसिके जुगुर समान बहुमूल्य विश्वास प्राप्त कैल्कै छे, यी विश्वास आपनसिके परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा अपनासिके देल गेलै छे, जे अपनासिके परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित करैछै।


मगर हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, तोरासिके एक-दोसरके सहायता कर्ते रहना चाही ताकी ऊ पवित्र सच्चाईसिमे जकरापर तुहेंसब विश्वास करैछैं, एक-दोसरके बनाबे सक्हैं। तोरासिके पवित्र आत्माके शक्तिसे मार्गदर्शन पाबिके प्रार्थना करना चाही।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके ऊ उद्धारके विषयमे लिखैके लिए सकभर कोशिश कर्ते रहियै जे येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके तरफसे आबैछै आर जकरामे अपनासब सभेको सहभागी छियै। मगर आब हमे यी चिट्ठीके द्वारा तोरासिके उत्साहित करैके दबाब महसुस करैछियै ताकी तुहेंसब ख्रीष्टियन विश्वासके पक्डीके राखैके लिए आरहौ भी कडा प्रयास कर्भैं। परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए यी विश्वास एक्केबेर सभे दिनके लिए द्या देल्कै छे, आर एकरा बदल्ल नै ज्या सकैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan