Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




एफिसी 4:3 - केवट नया कारार

3 यी काममे आपन सबसे बढियाँ कोशिश कर ताकी तुहेंसब लगातार मेल-मिलापमे र, कहिनेकी तुहेंसब पवित्र आत्माद्वारा एक बनैल गेल्हैं छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




एफिसी 4:3
16 Iomraidhean Croise  

अगर एकटा देशके आदमीसब एक दोसरासे ही लड्ते रहतै ते, ऊसब ढेर दिनतक टिके नैसक्तै।


एकटा नया आज्ञा हमे तोरासिके दैछियौ: तुहेंसब एक दोसराके प्रेम कर। जेरंके हमे तोरासिसे प्रेम कैलियौ छे, तहुँसब एक दोसराके ओहिने प्रेम कर।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके देल अधिकारसे हमे तोरासिके अनुरोध करैछियौ कि तुहेंसब एक-दोसरसे सहमत हु ताकी तोरसिके बीचमे कोनो फुट नैहौ, बरु एक दोसरसे समान विचार राखिके आर समान मकसद राखिके मेल-मिलापमे र।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आब अन्तमे तोरासिके आनन्द मिलौ, सिद्ध बन्ते जो, हमर सल्लाह सुन, आपसमे एक मनके भ्याके शान्तिपूर्वक र। आर प्रेम आर शान्ति दिएवाला परमेश्वर तोरसिके संगे रहतौ।


यी तबतक चल्तै जबतक कि अपनासब आपनसिके विश्वास आर परमेश्वरके बेटाके विषयमे आपन समझमे एक नैभ्याजैछियै। तब अपनासब परिपक्क भ्याजैबै, जेरं ख्रीष्ट छै आर अपनासब पुरा तरहसे ओकरे जुगुर भ्याजैबै।


अपनासब सभे विश्वासी एक्केटा शरीरके अंगसिके जुगुर छियै। अपनासिके एक्केटा पवित्र आत्मा मिल्लै, जेरंके तोरासिके एक्केटा आशा देल गेलौ रहे, जब तोरासिके परमेश्वरके आदमीसब हुऐके लिए चुन्ल गेलौ।


आर तोरसिके लिए ओकरसिके कामके खातिर ओकरासिके बहुते प्रेम कर आर ओकरासिके बहुते उच्च आदर कर। तुहेंसब एक दोसरसे शान्तिपूर्ण व्यवहार कर।


सभे आदमीसिके संगे शान्तिमे रहैके आर एकटा पवित्र जीवन जियैके कोशिश कर। कहिनेकी पवित्रता बिना कोय भी प्रभुके देखे नैसक्तै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan