Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




एफिसी 4:1 - केवट नया कारार

1 सेल्याके, हमे जे प्रभु येशूके सेवा करैके कारणसे कैदी छियै, तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि उटा बोलावटके संगे जकरासे परमेश्वर तोरासिके आपन सन्तान हुऐके लिए बोलैल्कौ छे, ओकर मुताबिक जीवन जी।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




एफिसी 4:1
36 Iomraidhean Croise  

एरंके सारा यहूदिया प्रदेश, गालील जिला आर सामरिया प्रदेश भरके मण्डलीमे शान्ति भेलै आर मण्डलीके उन्नति भेले गेलै, आर ऊसब प्रभुके भय आर पवित्र आत्माके द्वारा सहायता प्राप्त कैल्कै आर बहुते आदमीसब प्रभु येशूपर विश्वास कैल्कै आर मण्डलीमे वृद्धी भेलै।


कहिनेकी परमेश्वर आपन वरदान आर बुलाहटसे कहियो भी आपन मन नैबदलैछै।


सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपनासिपर भेल परमेश्वरके दया याद दिल्याके हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ, आपन-आपन जीवनके जिन्दा बलिदानके रुपमे परमेश्वरमे अर्पण कर। तोरसिके बलिदान पवित्र आर परमेश्वरके खुश करेवाला होना चाही। परमेश्वरके आराधना करैके सही तरिका इहे छै।


सेल्याके हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि हमर उदाहरणके अनुसरण कर।


हमे पावल जे तोरसिके समनामे कायर छियै, मगर तोरसिसे दूर रहेला पर साहास देखाबैछियै, तोरासिके ख्रीष्टके नम्रता आर कोमलताके कारण आग्रह करैछियौ।


सेल्याके अपनासब ख्रीष्टके राजदूतसब छियै। परमेश्वर ओकर सन्देशके स्वीकार करैके लिए आपनसिके द्वारा आदमीसिसे आग्रह करैछै। हमेसब ख्रीष्टके तरफसे तोरासिके निवेदन करैछियौ, कि परमेश्वरके संगे शान्ति कायम कर।


परमेश्वरके सहकर्मी हुऐके कारणसे हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ, कि ओकर अनुग्रहके बेकार हुऐले नैदहैं।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके बिन्ती करैछियै कि तुहेंसब ओहिने ही व्यवहार कर जेरं व्यवहार हमे करैछियै, कहिनेकी एकटा यहूदी आदमी हुऐके कारण हमे मूसाके विधि-विधानके पालन करैले छोडी देलियै। हमे तोरसिके जुगुर बनी गेलियै, जेसब यहूदी आदमीसब नैछैं। तुहेंसब हमर बढियाँसे देखभाल कैल्हैं।


कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके सृष्टि छियै, ख्रीष्ट येशूमे बढियाँ काम करैके लिए अपनासिके नया आदमीके रुपमे सृष्टि कैल गेलै जकरा परमेश्वर पहलहैसे अपनासब करियै कहिके तैय्यार कैल्कै रहे।


परमेश्वर तुहेंसब गैर-यहूदी आदमीसिके लिए यी सभे कैल्कै छे, सेल्याके हमे पावल, तोरसिके लिए प्रार्थना करैछियौ। हमे जेलमे छियै कहिनेकी हमे तोरसिके लिए ख्रीष्ट येशूके सेवा करैछियौ।


सेल्याके प्रभु हमरा देल अधिकारके साथ हमे तोरासिके यी बताबैछियौ कि जेरं अविश्वासी आदमीसब ओकरसिके बेकारके विचारके साथ आपन रीतिमे चलैछै, आब तुहेंसब फेर एरं जीवन नैजिते र।


अपनासब सभे विश्वासी एक्केटा शरीरके अंगसिके जुगुर छियै। अपनासिके एक्केटा पवित्र आत्मा मिल्लै, जेरंके तोरासिके एक्केटा आशा देल गेलौ रहे, जब तोरासिके परमेश्वरके आदमीसब हुऐके लिए चुन्ल गेलौ।


ख्रीष्टके उदाहरणके अनुसरण कर्ते हुए, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमसे भर्ल जीवन जी, ख्रीष्ट तोरासे प्रेम कैल्कौ आर तोरसिके पापसिके उठाबैके लिए खुदके बलिदान करिदेल्कै। आर परमेश्वर यी बातसे खुश रहै, कहिनेकी उटा बलिदान ओकर लिए गमकौव्वा धुपके जुगुर रहै।


मगर जे भी हुए, तुहेंसब एकटा बातके ध्यान राख कि तोरसिके जीवनके आचरण-व्यवहार ख्रीष्टके खुश-खबरीके योग्य होना चाही। अहिने करिके चाहे हमे आबिके तोरसिके भेट करियौ या दूर रहिके हमे तोरसिके बारेमे सुनियौ, मगर हमरा इहे बात पता चलै कि तुहेंसब एक आत्मामे स्थिर छैं आर एक मनके भ्याके एक साथ मिलिके उटा विश्वासके लिए संघर्ष करैछैं, जे कि खुश-खबरीपर आधारित छै।


ख्रीष्ट येशूमे परमेश्वरके स्वर्गीय बुलाहटके इनाम पाबैके लिए हमे निशाना महर दौड्ते जैछियै।


हमेसब यी भी प्रार्थना करैछियै कि तुहेंसब एरंके व्यवहार करे सक्हैं जेरंके प्रभुके आदमीसिके व्यवहार करे पडैछै आर तुहेंसब प्रभुके सभे बातमे खुश बनैभैं आर तुहेंसब निरन्तर सभे किसिमके उपयोगी कामसब कर्भैं। आर परमेश्वरके चिन्हैमे तुहेंसब बढ्ते जैभैं।


सेल्याके जेरंके येशू ख्रीष्टके प्रभु कहिके तुहेंसब विश्वास कैल्हैं, ओहिने करिके ओकरामे एक भ्याके जिल आदमीके जुगुर जीवन बिता।


इपाफ्रास जे तोरसिके सहरसे छै, आर ख्रीष्ट येशूके दास छै, तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे। आर ऊ सभे दिन तोरसिके लिए लगनशील भ्याके यी प्रार्थना करैछौ कि तुहेंसब परमेश्वरके सभे इच्छामे पूर्ण रुपसे आज्ञाकारी हुऐके कारणसे विश्वस्त हुए सक्हैं।


तुहेंसब परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन जी, जे तोरासिके आपन राज्य आर महानतामे बोलाबैछौ।


सेल्याके हमेसब तोरसिके सभैके लिए लगातार प्रार्थना भी करैछियै कि हमरसिके परमेश्वर तोरासिके उटा काम करैके लिए काबिल बनैतौ जे कामके लिए ऊ तोरासिके बोलैल्कौ छे। आर ऊ आपन शक्तिसे तोरसिके सभे बढियाँ मकसदसिके पुरा करौ आर सभे उटा कामके ऊ सफल बनाबौ जे तोरसिके विश्वासके फल छै।


ऊ अपनासिके बचैल्कै आर अपनासिके एकटा पवित्र जीवन जियैके लिए बोलैल्कै छे, आर अपनासब बढियाँ काम करैके कारणसे ऊ अपनासिके नैचुनल्कै छे, मगर ओकर आपन योजना आर अनुग्रहके आधारमे छै। यी संसारके सृष्टि हुऐसे पहेला ही परमेश्वर येशू ख्रीष्टके आपनसिके लिए मरैके लिए भेजिके आपन अनुग्रह अपनासिपर देखाबैके योजना बन्या लेल्कै रहे।


दाससब आपन मालिकके चीज चोरी नैकरै, मगर खुदके सभे दिन इमानदार साबित करै। ताकी आदमीसब ओकरसिके बढियाँ व्यवहारपर ध्यान दै आर ऊसब जे करैछै ओकरासे आदमीसिके परमेश्वर, आपनसिके उद्धारकर्ताके विषयमे सन्देश सुनैके लिए इच्छुक बनैतै।


सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, जेसब परमेश्वरसे सम्बन्ध राखैछैं, तुहेंसब स्वर्गमे ओकरसंगे सामिल हुऐके लिए बोलैल गेल्हैं छे। प्रभु येशूपर ध्यान दहैं, जे आपनसिके लिए परमेश्वरके सन्देशवाहक आर प्रधान पुजारी छै।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब तुहेंसब यी संसारमे परदेशीसब आर यात्रीसिके जुगुर रहैछैं। हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि ऊ सभे पापमय इच्छासिसे दूर र, कहिनेकी एरंको इच्छासब आत्माके विरोधमे हमेशा लडैछै।


खराबीके बदला खराबी नैकरेवाला आर अपमानके बदला अपमान नैकरेवाला, बरु ओकर बदलामे आशीर्वाद दिएवाला हु, कहिनेकी दोसर आदमीसिके आशीर्वाद दियैके लिए परमेश्वर तोरासिके बोलैल्कौ छे। यदि तुहेंसब एरं कर्भैं ते, परमेश्वर तोरासिके भी आशिष देतौ।


परमेश्वर जे पूर्ण रुपसे अनुग्रहकारी छै, आपनसिके ख्रीष्टके संगे भेल सम्बन्ध हुऐके कारण आपन अनन्त महिमामे अपनासिके साझेदार हुऐके लिए बोलैल्कै छे। तुहेंसब कुछु समयके लिए कष्ट भोग्लके बाद परमेश्वर तोरासिके बढियाँ बनैतौ ताकी तोरासिमे कोनो दोष नैरहौ आर येशू तोरसिके हृदयके मजगुत बनैतौ आर ओकरापर तोरसिके भरोसाके वास्तवमे स्थिर बन्या देतौ।


परमेश्वर आपन शक्तिके द्वारा अपनासिके उटा सभे कुछु देल्कै छे, जे अपनासिके एकटा ईश्वरीय जीवन जियैके लिए चाही। यी सम्भव छै कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके चिन्हैछियै आर ऊ उहे छै जे अपनासिके आपन महिमा आर नैतिक भलाइके द्वारा आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कै छे।


आब् हे जनानी, हमे तोरा आग्रह करैछियौ कि अपनासिके एक दोसरसे प्रेम करना चाही। यी एकटा नया आज्ञा नैछौ मगर उटा आज्ञा छै जे आज्ञा अपनासब ख्रीष्टके अनुयायी हुऐके समयसे ही मालुम रहै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan