Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




एफिसी 3:8 - केवट नया कारार

8 हमे परमेश्वरके सभे आदमीसिमेसे सभैसे कम महत्वपूर्ण छियै। मगर परमेश्वर हमरापर अनुग्रहकारी रहै कि हमे गैर-यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी सुनाबे सक्लियै कि ख्रीष्ट अपार आशिषके मूल छै, जे समझसे बाहार छै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




एफिसी 3:8
33 Iomraidhean Croise  

तब नोकर फेर मालिकके कहैल्कै, ‘हे मालिक, जेरं तुहें कहेलह रहे तोर आज्ञा मुताबिक काम भेल छौं, मगर आरहौ जगह खाली छै।’


ओकर अनुग्रहके भरपूरीसे अपनासब सभेको आशिष पर आशिष पैलियै छे।


तब येशूके खातिर अपमान सहैके योग्यके ठहर्लियै कहिके यी बातमे आनन्द मनैते ऊसब महासभाके उपस्थितिसे निक्लीके गेलै।


मगर प्रभु येशू ओकरा कहैल्कै “तुहें जो! हमे ओकरा हमर सेवा करैके लिए चुन्लियै छे, जे गैर-यहूदी आदमीसब, राजासब आर इस्राएलीसिके बीचमे हमर बारेमे प्रचार कर्तै।


आहा! परमेश्वरके धन आर बुद्धि आर ज्ञान सच्चे बहुते महान छै! कोय भी ओकर फैसलाके व्याख्या नैकरे सकैछै, कोय भी ओकर रस्ताके नैसम्झे सकैछै!


एक दोसरके परिवारके सदस्यके रुपमे प्रेम कर, अपनासे बेसी दोसराके आदर कर।


या तुहें परमेश्वरके भलाइ, सहनशीलता आर धीरजके तुच्छ सम्झैछैं? आर कि यी नैसम्झैछैं कि परमेश्वरके भलाइ तोरा पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके लिए सिखाबैछै?


मगर परमेश्वर तोरासिके येशू ख्रीष्टमे एक बन्या देल्कौ छे, आर ख्रीष्टके द्वारा ऊ अपनासिके आपन बुद्धि दैछै। परमेश्वर अपनासिके धर्मी घोषित कैल्कै छे। ख्रीष्टके द्वारा अपनासब पवित्र बनैल छियै, आर ऊ अपनासिके पापसिसे छुटकारा देल्कै छे।


कहिनेकी चुन्ल आर भेज्ल चेलासिमेसे हमे कम महत्वपूर्ण छियै, एत्तेतक कि चुन्ल आर भेज्ल चेला कहलाबैके भी योग्यके नैछियै, कहिनेकी हमे परमेश्वरके मण्डलीसिके सतैलियै रहे।


मगर धरमशास्त्रमे जे बात लिख्ल छै ओकर मतलब यी छै, “नैते कोय कहियो देखल्कै छे, आर नैते कोय कहियो सुनल्कै छे, आर नैते कोय कहियो ऊसब अदभुत चीजसिके बारेमे कल्पना कैल्कै छे, जे परमेश्वर ऊ आदमीसिके लिए तैय्यार कैल्कै छे जेसब ओकरासे प्रेम करैछै।”


कहिनेकी परमेश्वर, जे पत्रुसके यहूदी आदमीसिके बीचमे एकटा चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए नियुक्त कैल्कै, ऊ हमरा भी गैर-यहूदी आदमीसिके बीचमे चुन्ल आर भेज्ल चेला हुऐके लिए नियुक्त कैल्कै।


परमेश्वर एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी आबेवाला दिनमे ऊ संसारके आदमीसिके देखाबे सकै कि ओकर अनुग्रह कतनें महान छै। ऊ आपनसिके लिए जे कुछु कैल्कै छे ओकरामे अपनासब जे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे छियै, अपनासिमे ओकरद्वारा अनुग्रह देखैल छै।


परमेश्वर तुहेंसब गैर-यहूदी आदमीसिके लिए यी सभे कैल्कै छे, सेल्याके हमे पावल, तोरसिके लिए प्रार्थना करैछियौ। हमे जेलमे छियै कहिनेकी हमे तोरसिके लिए ख्रीष्ट येशूके सेवा करैछियौ।


हमे प्रार्थना करैछियै कि ओकर महिमाके दौलतसे परमेश्वर तोरासिके आपन पवित्र-आत्मासे तोरासिके शक्ति दौ ताकी तुहेंसब आपन आत्मामे मजगुत हुए सक्हैं।


हमे प्रार्थना करैछियै कि तुहेंसब यी बात जाने सक्हैं कि ख्रीष्ट अपनासिके कतनें प्रेम करैछै ताकी परमेश्वर तोरासिके ओकर चरित्रसे भरे सकौ।


तुहेंसब जरुर ही सुन्लहैं छे कि परमेश्वर हमरा खुश-खबरीके प्रचार करैके जिम्मेदारी ओकर अनुग्रहसे देल्कै छे।


स्वार्थ या अहंकारमे कुछु नैकर मगर नम्रतामे दोसरके आपनसे बेसी महत्व दहैं।


हमर परमेश्वर आपन असीम महिमाके भण्डारसे जे येशू ख्रीष्टमे रहैछै, तोरसिके सभे जरुरतके पुरा करि देतौ।


परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए यी रहस्य प्रकट करैके निर्णय कैल्कै ताकी ऊसब जानी जै कि ओकर योजना, जे जात-जातके आदमीसिके लिए छै से कतनें अदभुद आर महिमामय छै। ऊ रहस्य खुद ख्रीष्ट ही छै, जे तोरासिमे छौ। आर उहे यी बातके आशाके आधार छै कि तुहेंसब परमेश्वरके महिमामे सहभागी हैभैं।


हमे विश्वासी हुऐसे पहेला ख्रीष्टके बारेमे अपमानके बातसब बोल्ते रहियै, आर विश्वासीसिके सताबियै, आर ओकरसिके प्रति क्रूर व्यवहार करियै। तखनतक हमे ख्रीष्टमे विश्वास नैकैलियै रहे आर सेल्याके हमे यी बात नैबुझ्लियै रहे कि हमे जे काम कर्ते रहियै उटा काम गलत रहै। सेल्याके ख्रीष्ट हमरप्रति दयालु भेलै।


यी बात सही छै आर एकरापर भरोसा करे सकैछियै कि येशू ख्रीष्ट अपनासब, पापी आदमीसिके बचाबैके लिए यी संसारमे ऐलै, आर ऊ पापी आदमीसिमेसे सभैसे बडका पापी आदमी हम्हीं छियै।


एकर खातिर, परमेश्वर हमरा खुश-खबरीके प्रचारक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला नियुक्त कैल्कै। ऊ हमरा गैर-यहूदी आदमीसिके विश्वासके सच्चा शिक्षा सिखाबैके लिए चुन्लकै। हमे सच कहैछियौ, हमे झुठ नैबोलैछियौ।


यी खुश-खबरीके खातिर, परमेश्वर हमरा एकटा खुश-खबरीके प्रचारक, चुन्ल आर भेज्ल चेला, आर खुश-खबरीके शिक्षकके रुपमे नियुक्त कैल्कै।


सेल्याके हमे तोरा चेतावनी दैछियौ कि तोरा हमरासे शुद्ध सोना खरीद करना चाही ताकी वास्तवमे तुहें धनवान बने सक्हैं। तोरा हमरासे पिन्हैके लिए उजरा कपडा भी खरीद करना चाही ताकी तोर शरीर झाँप्ल रहौ आर तुहें शर्मिन्दा नैहैं। आर तोरा आपन आँखके इलाज करैके लिए हमरासे दवा भी खरीद करना चाही ताकी तुहें देखे सक्हैं।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan