Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




एफिसी 3:2 - केवट नया कारार

2 तुहेंसब जरुर ही सुन्लहैं छे कि परमेश्वर हमरा खुश-खबरीके प्रचार करैके जिम्मेदारी ओकर अनुग्रहसे देल्कै छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




एफिसी 3:2
27 Iomraidhean Croise  

जब ऊसब उपास सहित प्रभुके आराधना कर्ते रहै ते पवित्र आत्मा कहैल्कै, “हमर लिए शाउल आर बरनाबासके ऊ सेवाके लिए अलग कर जकर लिए हमे ओकरासिके बोलैलियै छे।”


तब पावल आर बरनाबास निडर भ्याके कहैल्कै, “परमेश्वरके वचन सभैसे पहेला तोरहैसिके सुनाना जरुरी रहै। मगर तुहेंसब एकरा नकारी देल्ह छे आर अपने आपके कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके अयोग्य ठहरैलह छे। सेल्याके आब हमेसब गैर-यहूदी आदमीसिके लगत जैबै।


तब प्रभु हमरा कहैल्कै, ‘जो, कहिनेकी हमे तोरा गैर-यहूदी आदमीसिकते दूर-दूर तक भेज्बौ।’ ”


मगर प्रभु येशू ओकरा कहैल्कै “तुहें जो! हमे ओकरा हमर सेवा करैके लिए चुन्लियै छे, जे गैर-यहूदी आदमीसब, राजासब आर इस्राएलीसिके बीचमे हमर बारेमे प्रचार कर्तै।


अपनासिके परमेश्वरसे अनुग्रह मिल्लै छे आर येशू ख्रीष्टके द्वारा चुन्ल आर भेज्ल चेलाके काम मिल्लै छे ताकी जात-जातके आदमीसब ख्रीष्टमे विश्वास करे सकै आर ओकर आज्ञापालन करे सकै। यी ओकर नामके लिए आदर आन्तै।


हमे तुहें गैर-यहूदी आदमीसिके कहैछियौ। जब कि हमे गैर-यहूदी आदमीसिके लिए चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै, ते हमे आपन सेवकाईमे घमण्ड कर्बै।


हमरा देल अनुग्रहद्वारा तोरासिके सभैके हमे बिन्ती करैछियौ कि, कोय भी आदमी खुद जेरं छियै अपने आपके बडका नैसोचना चाही। मगर परमेश्वर तोरासिके देल विश्वासके नाप बमोजिम खुदके जाँच।


आदमीसब अपनासिके ख्रीष्टके सेवक आर परमेश्वरके खुश-खबरीके गुप्त सच्चाईसिके व्याख्या करेवाला आदमी कहिके समझना चाही।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब जानैछैं कि जब हमे यहूदी धरमके ही पालन कर्ते रहियै ते हमे केरंके जिते रहियै। हमर बहुते साथीसब जेसब हमर उमेरके रहै, ऊसब भी यहूदी धरमके पालन कर्ते रहै, मगर हमे ओकरसिसे बेसी कैलियै, कहिनेकी हमे आपन बाप-पुर्खाके रिती-रिवाजसिके पुरा दिलसे पालन कर्ते रहियै। उटा समय हमे मण्डलीके आदमीसिके जेसब परमेश्वरके आराधना कर्ते रहै, ओकरासिके सताबैके लिए निकल्ल रहियै, हमे ओकरासिके सभैके नाश करैके कोशिश कैलियै।


परमेश्वरके तय कैल समयमे, ऊ स्वर्ग आर धर्तीमे भेल सभे चीजसिके एक बनैतै आर ख्रीष्टके ओकरासिपर शासन करैके अधिकार देतै।


परमेश्वर हमरा मुफ्तमे आपन अनुग्रह देल्कै आर परमेश्वरके अनुग्रह आर शक्तिसे हमरा खुश-खबरी प्रचार करैके कामके द्वारा ओकर सेवा करैके अवसर देल्कै छे।


हमे परमेश्वरके सभे आदमीसिमेसे सभैसे कम महत्वपूर्ण छियै। मगर परमेश्वर हमरापर अनुग्रहकारी रहै कि हमे गैर-यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी सुनाबे सक्लियै कि ख्रीष्ट अपार आशिषके मूल छै, जे समझसे बाहार छै।


आर सभे आदमीके यी नुकैल योजनाके बारेमे सम्झाबैके लिए सभे चीजके सृष्टि करेवाला परमेश्वर यी बात शुरुसे ही नुक्याके राखल्कै छे।


हमरा निश्चय छै कि जब तुहेंसब येशूके विषयमे सुन्लहैं, तब तुहेंसब ओकरसे सच्चा शिक्षासब सिख्लहैं।


मगर ख्रीष्ट आपनसिमेसे हरेकके ओकर काम करैके लिए अलग-अलग विशेष योग्यतासब देल्कै छे।


कहिनेकी ख्रीष्ट येशूमे तोरसिके विश्वास आर सभे परमेश्वरके आदमीसिके प्रतिके तोरसिके प्रेमके विषयमे हमेसब सुन्लियै छे।


इहे खुश-खबरी जे तोरसिकेलगत ऐलौ पुरा संसारभर फैलैछै। आदमीसिके जीवन परिवर्तन करिके हरेक जगहमे फल फराबैछै, जेरंके तुहेंसब पहेला बेर सुन्ल आर परमेश्वरके अदभुद अनुग्रहके बारेमे सचके बुझैके समयसे तोरसिके जीवनमे परिवर्तन ऐल छौ।


यी सही शिक्षा आपनसिके अदभुद परमेश्वरके महिमाके विषयमे खुश-खबरीसे सहमत हैछै, जे हमरा प्रचार करैके जिम्मेदारी देल्कै छे।


एकर खातिर, परमेश्वर हमरा खुश-खबरीके प्रचारक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला नियुक्त कैल्कै। ऊ हमरा गैर-यहूदी आदमीसिके विश्वासके सच्चा शिक्षा सिखाबैके लिए चुन्लकै। हमे सच कहैछियौ, हमे झुठ नैबोलैछियौ।


यी खुश-खबरीके खातिर, परमेश्वर हमरा एकटा खुश-खबरीके प्रचारक, चुन्ल आर भेज्ल चेला, आर खुश-खबरीके शिक्षकके रुपमे नियुक्त कैल्कै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan