Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




एफिसी 2:4 - केवट नया कारार

4 मगर परमेश्वर जे बहुते दयालु छै, ऊ आपन अपार प्रेमसे अपनासिके प्रेम कैल्कै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




एफिसी 2:4
34 Iomraidhean Croise  

यी सभे इहे ल्याके हैतै कहिनेकी हमरसिके परमेश्वर बहुते दयालु छै। जेरंके सुरुज अपनासिके रोशनी दियैके लिए चम्कैछै, ओहिने करिके ख्रीष्ट भी आपनसिके लगत स्वर्गसे ऐतै।


यहूदी आदमी आर गैर-यहूदी आदमीसिमे कोनो फरक नैछै। इहे ल्याके कि परमेश्वर सभैके प्रभु छै, आर सहायताके लिए पुकारेवाला सभैके लिए ऊ उदार छै।


या तुहें परमेश्वरके भलाइ, सहनशीलता आर धीरजके तुच्छ सम्झैछैं? आर कि यी नैसम्झैछैं कि परमेश्वरके भलाइ तोरा पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके लिए सिखाबैछै?


मगर परमेश्वर आपनसिके लिए ओकर प्रेम एक्रहैमे देखाबैछै कि जब अपनासब पापी ही रहियै तखनिहैं येशू ख्रीष्ट आपनसिके लिए मर्लै।


ऊ एरं कैल्कै कहिनेकी ख्रीष्टके बलिदानवाला मौतके माध्यमसे ऊ देखाबैले चहते रहै कि ऊ कतनें महान छै, जब परमेश्वर ऊ आदमीसिपर दया कैल्कै जकरा परमेश्वर आपन भरपुर महिमामे सामिल हुऐके लिए चुनल्कै छे।


ख्रीष्टके खून बहैल जैके कारणसे आपनसिके छुटकारा भेलै छे। यानिकी, आपनसिके पाप माफ कैल गेलै छे। परमेश्वरके अनुग्रह बहुते ही महान छै जे ऊ अपनासिके प्रशस्त करिके देल्कै छे।


परमेश्वर एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी आबेवाला दिनमे ऊ संसारके आदमीसिके देखाबे सकै कि ओकर अनुग्रह कतनें महान छै। ऊ आपनसिके लिए जे कुछु कैल्कै छे ओकरामे अपनासब जे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे छियै, अपनासिमे ओकरद्वारा अनुग्रह देखैल छै।


हमे परमेश्वरके सभे आदमीसिमेसे सभैसे कम महत्वपूर्ण छियै। मगर परमेश्वर हमरापर अनुग्रहकारी रहै कि हमे गैर-यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी सुनाबे सक्लियै कि ख्रीष्ट अपार आशिषके मूल छै, जे समझसे बाहार छै।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एत्ते तोरसिके लिए परमेश्वरके समनामे हमरसिके सभे दिन धन्यवाद देना सही छै। तुहेंसब प्रभुके प्यारा छैं, कहिनेकी परमेश्वर संसारके सृष्टिके शुरुसे ही पवित्र आत्माद्वारा तोरासिके पापसे अलग करिके आर येशू ख्रीष्टके बारेमे सच्चा सन्देशमे विश्वास करैके कारण उद्धारके लिए चुनी लेल्कौ छे।


आपनसिके प्रभु हमरा ओकर अपार अनुग्रह निरन्तर देखैल्कै। ऊ हमरा विश्वास करैके क्षमता आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम देल्कै कहिनेकी हमे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे रहियै।


ऊ अपनासिके बचैल्कै आर अपनासिके एकटा पवित्र जीवन जियैके लिए बोलैल्कै छे, आर अपनासब बढियाँ काम करैके कारणसे ऊ अपनासिके नैचुनल्कै छे, मगर ओकर आपन योजना आर अनुग्रहके आधारमे छै। यी संसारके सृष्टि हुऐसे पहेला ही परमेश्वर येशू ख्रीष्टके आपनसिके लिए मरैके लिए भेजिके आपन अनुग्रह अपनासिपर देखाबैके योजना बन्या लेल्कै रहे।


आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके पिता आर परमेश्वरके धन्यवाद है। परमेश्वर आपनसिके प्रति आपन बडका दयासे अपनासिके एकटा नया जीवन देल्कै छे। कहिनेकी परमेश्वर येशू ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, ऊ अपनासिके बहुते आत्मविश्वासके साथ जियैके योग्य बनैल्कै छे, यानिकी अपनासब उटा चीजसिके प्राप्त करैके पुरा आशा करे सकैछियै जे ऊ अपनासिके दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan