एफिसी 2:2 - केवट नया कारार2 उटा समयमे तुहेंसब परमेश्वरके नैचिन्हेवाला यी संसारके आदमीसिके तौर-तरिकामे चल्लहैं। आर तुहेंसब शैतानके आज्ञापालन कर्ते रहैं, जे ब्रम्हाण्डमे भेल भूतसिपर शासन करैछै, जे एखन भी परमेश्वरके आज्ञापालन नैकरेवाला आदमीसिके नियन्त्रण करैके कोशिश करैछै। Faic an caibideil |
ऊसब हरेक जनानीके संगे व्यबिचार करैले चाहैछै, जकरा ऊसब देखैछै। ऊसब पाप करैके मौका खोजैसे कहियो पाछु नैहटैछै। ऊसब ऊ आदमीसिके धोखा दैछै जेसब ख्रीष्टमे मजगुतीसे विश्वास नैकरैछै, आर ऊसब ओकरासिके पापके तरफ ल्याजैछै। ओकरसिके बेसीसे बेसी चीजसिके पाबैके सभे दिन बढते रहेवाला इच्छाके कारण परमेश्वर ओकरासिके सजाय देतै।
ऊ उटा विशाल अजगर यानिकी पुरना साँपके जकरा शैतान भी कहेल जैछै, झपटीके पक्डल्कै। ऊ ओकरा बान्ही देल्कै आर अथाहा कुण्डमे फेकि देल्कै। ऊ केबाड बन्द करिके ताला लग्या देल्कै आर ओकरापर लाहा छाप लग्या देल्कै ताकी उटा अथाहा कुण्डके एक हजार सालतक खोल्ल नैजै। इहे ल्याके उटा समयके दौरान शैतान एक हजार सालतक जात-जातके आदमीसिके धोखा नै दिए सक्तै। एकरबाद, ओकरा फेरसे कुछु समयके लिए रिहा कैल जैतै।