1 पहेला, तोरसिकेलगत परमेश्वरके द्वारा देल नया जीवन नैरहौ। आर तोरसिके खराब कामसब आर पापसिके कारण तुहेंसब मर्ल आदमीसिके जुगुर रहैं।
मगर येशू ओकरा कहैल्कै, “हमर चेला बनैके लिए हमर पाछु या, जे आदमीसब आत्मिक रुपसे मर्ल छै, ओकरासिके आपन मुर्दाके आपनहैं गाडैले दहैं।”
कहिनेकी ‘यी हमर बेटा मर्ल जुगुर रहै, मगर आब ऊ जिन्दा भेल जुगुर छै। ऊ हेरैल रहै मगर आब ऊ फेर मिल्लै छे।’ तब खुशीयालीके साथ भोज शुरु भेलै।
मगर हमरासिके आनन्द मनाना आर खुशी होना उचित रहै, कहिनेकी यी तोर भ्या मर्ल जुगुर रहौ, मगर फेर जिन्दा जुगुर भेलै छे। ऊ हेरैल रहै मगर आब ऊ फेर मिल्लै छे।’ ”
चोर ते खाली भेंडासिके चोराबैके लिए, जान मारैके लिए आर नाश करैके मकसदसे ही आबैछै। मगर हमे इहे ल्याके ऐलियै कि ऊसब वास्तवमे जिन्दा रहै।
येशू ओकरा कहैल्कै, “रस्ता, सच, आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन हम्हीं छियै। हमर बिना कोय भी परमेश्वर पिताके लगत नै ज्या सक्तै।
कहिनेकी परमेश्वर पिता जेरंके मर्ल आदमीसिके फेर जिन्दा बनाबैछै, ओहिने करिके हमे, बेटा भी जकरा चाहैछियै ओकरा जीवन दैछियै।”
हमे तोरासिके सच कहैछियौ, उटा समय आबैछै, आर समय ऐल भी छै, जहिया मुर्दासब हमे, परमेश्वरके बेटाके आवाज सुन्तै, आर सुनेवाला सभेको सभे दिनके लिए जितै।
कहिनेकी पवित्र आत्मा जे येशू ख्रीष्टके तरफसे आबैछै, ऊ तोरा जीवन देतौ आर तोरा पाप आर मौतसे छुटकारा देतौ।
धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “पहेला आदमी आदम जिन्दा प्राणी भेलै।” आर अन्तिम आदम जे ख्रीष्ट छै ऊ कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै।
कहिनेकी ख्रीष्टके प्रेम हमरासिके मजबूर करैछै, सेल्याके हमेसब निश्चित छियै कि एकटा आदमी सभे आदमीसिके लिए मरि गेलै, इहे ल्याके सभे आदमीसब ख्रीष्टके संगे मरि गेलै।
कहिनेकी ऊसब सम्झैमे सक्षम नैछै आर ओकरासिमे भेल अज्ञानताके कारण आर ओकरसिके मानैले इन्कार करैके कारण ऊसब उटा नया जीवनसे दूर छै जे परमेश्वर दैछै।
सेल्याके आदमीसब कहैछै: “हे निनमे भेल आदमीसब जाग आर मुर्दासे उठ्, आर ख्रीष्ट आपन उजेत तोरासिमे चम्कैतौ।”
तुहेंसब पाप करैके कारण आर विधि-विधानके मुताबिक शारीरिक रुपमे खतना नैभेल आदमी हुऐके कारणसे एक समय तुहेंसब आत्मिक रुपसे मर्ल रहैं। मगर परमेश्वर तोरासिके ख्रीष्टके संगे जिन्दा बनैल्कौ आर आपनसिके सभे खराब कामसिके माफ कैल्कै।
ऊ मोसामातसब जेसब आपन सारा समय सुख-विलासमे मस्त रहैछै ते, ऊसब शरीरमे जिन्दा रहैछै मगर आत्मिक रुपमे मर्ल हैछै।
अपनासब जानैछियै, कि अपनासब मौतके शक्तिसे मुक्त भ्या गेलियै छे आर आब अपनासिमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै, कहिनेकी अपनासब आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिसे प्रेम करैछियै। आर प्रेम नैकरेवाला आदमी मौतके दशामे रहैछै।
सार्डिस सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे सातटा तारासिके आपन हातमे पक्डीके राखैछै आर जे परमेश्वरके सात आत्मासिके भेजैछै। हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें विश्वासयोग्य विश्वासीसिके जुगुर दिखाई दैछैं, मगर वास्तवमे तुहें आब हमर अनुसरण नैकरैछैं।