एफिसी 1:4 - केवट नया कारार4 यानिकी परमेश्वर संसार बनाबैसे पहेला ही अपनासिके ख्रीष्टके कारण आपन प्रजा हुऐके लिए चुनल्कै। ताकी अपनासब ओकर समनामे पवित्र आर दोषरहित हुए सकियै। Faic an caibideil |
ऊ अपनासिके बचैल्कै आर अपनासिके एकटा पवित्र जीवन जियैके लिए बोलैल्कै छे, आर अपनासब बढियाँ काम करैके कारणसे ऊ अपनासिके नैचुनल्कै छे, मगर ओकर आपन योजना आर अनुग्रहके आधारमे छै। यी संसारके सृष्टि हुऐसे पहेला ही परमेश्वर येशू ख्रीष्टके आपनसिके लिए मरैके लिए भेजिके आपन अनुग्रह अपनासिपर देखाबैके योजना बन्या लेल्कै रहे।
परमेश्वर पिता बहुते पहेला ही तोरासिके आपन आदमी बनाबैके लिए आर पवित्र आत्माके कामके द्वारा तोरासिके पवित्र बनाबैले चुनैके फैसला कैल्कै रहे। ऊ एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी तुहेंसब येशू ख्रीष्टके आज्ञापालन करहैं आर ओकर खूनके द्वारा शुद्ध हुए सक्हैं। हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वर तोरासिके बहुते अनुग्रह आर शान्ति दौ।
मगर तुहेंसब ओरं नैछैं, कहिनेकी तुहेंसब परमेश्वरके चुन्ल आदमीसब छैं, तुहेंसब परमेश्वरके पुजारीसब छैं, जे राजा छै। तुहेंसब परमेश्वरके सेवा करैले समर्पित भेल आदमीसब आर परमेश्वरके निजी प्रजा छैं। ऊ तोरासिके अनहारसे आपन अदभुद उजेतमे आन्लकौ छे, ताकी तुहेंसब परमेश्वरके आश्चर्यपूर्ण कामसिके घोषणा करे सक्हैं।
ऊ जंगली जानवर जकरा तुहें एखन देख्लहैं, एक समय जिन्दा रहै मगर आब जिन्दा नैछै। ऊ अथाहा कुण्डसे बाहार आबेवाला छै आर परमेश्वर ओकरा पुरा तरहसे नाश करि देतै। धर्तीमे रहेवाला आदमीसब जकरसिके नाम परमेश्वर संसारके सृष्टि करैसे पहेला उटा किताबमे नैलिखल्कै छे जकरामे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबेवाला आदमीसिके नाम लिख्ल छै, ऊसब सभेको आश्चर्यचकित भ्याजैतै जब यी जंगली जानवरके देख्तै। एक समय ऊ जिन्दा रहै, आब ऊ जिन्दा नैछै, मगर ऊ फेर वापस ऐतै।