Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




एफिसी 1:12 - केवट नया कारार

12 अपना यहूदी आदमीसब पहेला आदमीसब छियै जेसब ख्रीष्टमे आशा राख्लियै आर अपनासिके इहे ल्याके चुन्ल गेलै रहे ताकी अपनासब परमेश्वरके महिमाके प्रशंसा करे सकियै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




एफिसी 1:12
21 Iomraidhean Croise  

येशू चेलासिके कहैल्कै, “तोरसिके मन व्याकुल नैहौ। तुहेंसब परमेश्वरपर विश्वास राखैछैं, हम्रहौपर विश्वास राख।


यी कारणसे कि ओकर महिमामय अनुग्रहके प्रशंसा है, जे ऊ आपन प्रिय बेटाके कैल कामके कारण अपनासिके मुफ्तमे देल्कै छे।


परमेश्वर एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी आबेवाला दिनमे ऊ संसारके आदमीसिके देखाबे सकै कि ओकर अनुग्रह कतनें महान छै। ऊ आपनसिके लिए जे कुछु कैल्कै छे ओकरामे अपनासब जे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे छियै, अपनासिमे ओकरद्वारा अनुग्रह देखैल छै।


ओकरा मण्डलीमे आर ख्रीष्ट येशूमे सभे दिन महिमा है। आमेन।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एत्ते तोरसिके लिए परमेश्वरके समनामे हमरसिके सभे दिन धन्यवाद देना सही छै। तुहेंसब प्रभुके प्यारा छैं, कहिनेकी परमेश्वर संसारके सृष्टिके शुरुसे ही पवित्र आत्माद्वारा तोरासिके पापसे अलग करिके आर येशू ख्रीष्टके बारेमे सच्चा सन्देशमे विश्वास करैके कारण उद्धारके लिए चुनी लेल्कौ छे।


यी इहे कारण छै, कि हमे जेलमे भी दुःख भोगैछियै, मगर हमे लाज नैमानैछियै। कहिनेकी हमे ख्रीष्टके चिन्हैछियै, जकरापर हमे भरोसा कैलियै छे, आर हमरा निश्चय छै कि ख्रीष्ट फेर वापस नै आबैतक जे हमे ओकरा सौंप्लियै छे उटा बातके रक्षा ऊ करे सकैछै।


परमेश्वर आपने इच्छासे सच्चाईके वचनके द्वारा अपनासिके नया जीवन दियैके निर्णय कैल्कै छे, ताकी जेरंके फसलके पहेला अनाज सभैसे महत्वपूर्ण अंश हैछै ओहिने करिके अपनासब भी ओकर बनैल सभे चीजके महत्वपूर्ण भाग हुए सकियै।


ख्रीष्टके कैल कामद्वारा परमेश्वरपर तोरसिके भरोसा छौ, जे ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बन्याके महिमा देल्कै, ताकी तोरसिके आशा आर विश्वास परमेश्वरमे रहौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan