कहिनेकी जब परमेश्वर सभे चीज सृष्टि कैल्कै ऊ ख्रीष्टके द्वारा सृष्टि कैल्कै। ऊ चाहे आकाशके है या धर्तीपरके, दिखाई दिएवाला है या दिखाई नैदिएवाला, चाहे सिंहासनसब, चाहे प्रभुत्वसब, चाहे शासकसब, अधिकारसब है, सभे चीज ख्रीष्टके द्वारा आर ख्रीष्टके लिए ही बन्ल छै।
मगर यी अन्तके दिनसिमे ऊ आपन बेटाके द्वारा आपनसिसे बोल्लै छे। परमेश्वर आपन बेटाके द्वारा सारा संसारके रचना कैल्कै आर ओकरा सभे चीजसिके उत्तराधिकारी बनैल्कै।
कहिनेकी परमेश्वरके लगत खाली ओकरसिके लिए नै बल्की आपनसिके लिए भी एकटा उत्तम योजना छै। परमेश्वर ओकरासिके सिद्ध बनाबैले चाहैछै, मगर खाली आपनसिके संगे मिल्याके।
कहिनेकी उटा पुरना विधि-विधान खाली यी विषयसिपर आधारित छै यानिकी एकटा आदमीके कि खाना-पिना चाही आर दोसर शुद्धिकरणके विषयमे। यी विधिसब जकरा ककरो हृदयसे कुछु लेना-देना नैछै। एकरा तबतक अभ्यासमे राख्ल गेलै जबतक कि एकटा उत्तम नया करार स्थापित कैल गेलै।
यी संसारके सृष्टि कैल जैसे पहेला, परमेश्वर समयसे पहेला यी निर्धारित करि लेल्कै रहे कि येशू ख्रीष्ट उद्धारकर्ता हैतै। मगर ऊ तोरासिके सहायता करैके लिए यी अन्तिम दिनसिमे यी संसारमे प्रकट भेलै छे।
ऊसब यी नया गीत बलि-भेंडा यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयमे गाबैछै, “तोरलगत यी किताबके खोलैके लिए मोहरसिके लियैके आर तोडैके अधिकार छै, कहिनेकी तोर जान मारि देल गेल्हौं रहे आर आपन मौतके खूनसे तुहें हरेक कुलसब, हरेक भाषासब, आदमी आर हरेक जात-जातके आदमीसे, परमेश्वरके लिए आदमीसिके मोल चुक्याके किनि लेलह छे।