२ तिमोथी 4:8 - केवट नया कारार8 आब प्रभु हमर लिए स्वर्गमे धार्मिकताके मकुट राखल्कै छे, कहिनेकी हमे ओकरा पसन्द हुएवाला जीवन जिलियै छे। ऊ प्रभु जे सहीसे फैसला करैछै, हमरा उटा मकुट तब देतै जब ऊ फेर वापस ऐतै। ऊ खाली हमरा नै मगर ओकरा सभैके देतै जेसब ओकर वापस आबैके बहुते इच्छा करैछै। Faic an caibideil |
एक दिन हरेक आदमी आपन कैल काम केरंको छै से देख्तै। कहिनेकी जब येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, ऊ यी सभे बातसब खुल्लम खुल्ला प्रकट कर्तै। ऊ हरेक सेवकके कैल काम देख्तै आर ऊ यी काम बढियाँ छै या खराब छै कहिके कहतै, ठीक ओहिने करिके जेरंके एकटा आदमी धातुसिके जाँच करैके लिए आगिनके प्रयोग करैछै, यी देखैके लिए कि उटा धातुसब लम्बा समयतक रहैछै कि जल्दी जरि जैछै।
दौडमे हिस्सा लिए चाहेवाला आदमीसब पहेला अभ्यास करैछै आर खुदके अनुशासनमे राखैछै। ऊसब एरं इहे ल्याके करैछै ताकी ऊसब जिते सकै आर आदर पाबे सकै। ओकरासिके आदर करैके लिए ओकरासिके फूलके मल्ला लग्या दैछै जे बहुते समयतक नैरहैछै। मगर येशू ख्रीष्टमे विश्वास राखेवाला सभेको आदर पैतै आर अपनासिके देल आशिष सभे दिन रहतै। सेल्याके अपनासिके खुदके अनुशासनमे राखना चाही।
उटा तकलीफसिसे नैडर जे तोरा मिल्तौ। शैतान तोरासिमेसे कुछु आदमीसिके गिरफ्तार करवैतौ आर तोरासिके कैद करि देल जैतौ ताकी ऊ तोरसिके परीक्षा करे सकौ। तुहें दश दिनतक बडका कष्टके अनुभव कर्भैं। मगर हमरापर विश्वास करैले कहियो नैछोडिहैं, चाहे तोर जान भी मारि देल जौ, कहिनेकी हमे तोरा जितके पुरस्कारके रुपमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देबौ।