Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 4:5 - केवट नया कारार

5 मगर जे कुछु भेलपर भी तोरा अपने आपके वशमे राखे पडैछै, आर जेरं कष्ट भेलपर भी तोरा भोगे पडैछै। तोरा खुश-खबरी प्रचार करे पडैछै, आर परमेश्वरके सेवकके रुपमे तोरा करे पडेवाला सभे कामसब करे पडैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 4:5
28 Iomraidhean Croise  

तब पाँचटा सोनाके सिक्काके झोला पाबेवाला नोकर तुरन्ते जैके उटा सिक्का व्यापारमे लग्याके आरहौ पाँचटा सोनाके सिक्काके झोला कमैल्कै।


यी बात यी उदाहरणसे बुझैल ज्या सकैछै: एकटा आदमी दूरके यात्रा पर जैके लिए आपन घर छोडी दैछै। जैसे पहेला ऊ आपन सेवकसिके उटा काम बताबैछै जेटा ओकरासिके करना चाही, आर ऊ चौकीदारके बताबैछै ऊ ओकर लौटिके आबैके लिए तैय्यार रहै।”


जे हमे तोरासिके कहैछियौ ऊ हमे सभैके कहैछियै, हमर आगमनके लिए हरदम तैय्यार र।”


ऊ नोकरसब धन्यके छै, जकर मालिक घर ऐलके बाद ओकर वापस आबैके इन्तजार कर्ते देखैछै आर मालिक ओकरासिके देखिके खुशी हैछै। हमे तोरासिके सच कहैछियौ कि मालिक एकटा नोकरके जुगुर कपडा लग्याके ओकरासिके भोजन करैले बैठैतै।


दोसर दिन हमेसब ओत्तेसे बिदा भ्याके कैसरिया सहरमे ऐलियै आर खुश-खबरी प्रचार करेवाला फिलिपके घरमे जैके रहलियै। ऊ चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके द्वारा मोसामातसिके देखभाल करैले चुन्ल गेल सातटा आदमीसिमेसे एकझन रहै।


पवित्र आत्माद्वारा हमरा देल शक्तिसे हमे अदभुत काम आर चमत्कार करैछियै। सेल्याके जते भी हमे यरूशलेम सहरसे ल्याके इल्लुरिकन प्रदेशतक गेलियै छे, हमे ओत्ते भी सभे आदमीसिके येशू ख्रीष्टके बारेमे खुश-खबरी सुनैलियै छे।


यी दान ख्रीष्ट ही मण्डलीके देल्कै: ऊ कुछु आदमीसिके चुन्ल आर भेज्ल चेला बनैके लिए, कुछु आदमीसिके परमेश्वरके वक्ता बनैके लिए, कुछु आदमीसिके खुश-खबरी सुनाबेवाला बनैके लिए, कुछु आदमीसिके मण्डलीके रेख-देख करेवाला बनैके लिए आर कुछु आदमीसिके शिक्षक बनैके लिए चुनल्कै।


ओकरसिके जिम्मेदारी यी छै कि ऊसब विश्वासीसिके परमेश्वरके काम करैके लिए तैय्यार करै आर ख्रीष्टके शरीर यानिकी मण्डलीके निर्माण करै।


परमेश्वर हमरा ओकर वचन पुरा तरिकासे तोरासिके बुझाबैके लिए चुनल्कै आर एकरे खातिर हमे मण्डलीके सेवक भेलियै छे।


अर्खिप्पससे कहिहैं कि प्रभुमे जे सेवाके काम ओकरा सौंप्ल गेलै छे, ऊ उटा जरुर पुरा करै।


सेल्याके अपनासब प्रभु येशूके फेर वापस आबेवाला दिनके तैय्यारी नैकरेवाला आदमीसिके जुगुर नैसुत। मगर सचेत र आर होशियार र।


एरंको व्यवहार कर कि कोय भी तोरासिके अनादर नैकरौ कहिनेकी तुहेंसब जवान छैं, मगर तोरसिके बोल्ल वचनद्वारा, तोरसिके व्यवहारद्वारा, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमद्वारा, ख्रीष्टमे तोरसिके भरोसाद्वारा आर तोरसिके पापरहित जीवनद्वारा विश्वासीसिके लिए तोरासिके एकटा उदाहरण बने पड्तौ।


यी बातसिके ध्यानसे अभ्यास कर आर अपने आपके ओकरसिके प्रति पुरा समर्पित कर, ताकी तुहेंसब आपन विश्वासमे बढैछैं कहेल बात सभेको देखे सकै।


सेल्याके दोसर आदमीसिके आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके विषयमे बताबैमे लज्जित नैहु, आर तोरा यी बातसे भी लाज नै होना चाही कि हमे ख्रीष्टके सेवा करैके कारणसे जेलमे छियै। मगर तोरा उटा सामर्थ्यके प्रयोग करना चाही जे परमेश्वर तोरा दैछौ आर खुश-खबरीके लिए तुहें हमर दुःखमे साथ दे।


सेल्याके परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके फैदाके लिए हमे सभे दुःख सहैछियै, ताकी उहोसब भी येशू ख्रीष्टमे विश्वास करे सकै आर बचे सकै, आर सभे दिन रहेवाला आदर ऊसब पाबे सकै।


येशू ख्रीष्टके एकटा बढियाँ सिपाहीके जुगुर हमरसंगे दुःख भोगैमे सामिल हु।


मगर प्रभु हमरसंगे खडा भेलै आर ऊ हमरा शक्ति देल्कै, आर हमे येशू ख्रीष्टके बारेमे साफसे खुश-खबरी प्रचार कैलियै ताकी अदालतमे भेल सभे गैर-यहूदी आदमीसब सुने सकै, आर भुख्ल शेरसे बचैल जुगुर परमेश्वर हमरा मौतसे बचैल्कै।


आपन अगुवासिके आज्ञापालन कर, ओकरसिके अधिनमे र। तोरसिके आत्मासिके रखवाली करना ओकरसिके काम छै। ओकरासिके तोरसिके विषयमे परमेश्वरके लेखा दिए पड्तै। यी काम ऊसब आनन्दके साथ करक आर उदासीके साथ नै, नैते एकरासे तोरासिके कोनो भी फैदा नैहैतौ।


सेल्याके सचेत र कि तुहेंसब कि करेवाला छैं आर होशियार र। उद्धार पाबैके आशा कर, जे अनुग्रहसे आबैछै, जे तोरासिके येशू ख्रीष्ट यी संसारमे फेर वापस आबैके दिनमे देल जैतौ।


हमे पैलियौ छे कि विश्वासीसिके रुपमे तोरसिके जीवन उटा स्तरसे मेल नैखैछौ जे हमर परमेश्वर निर्धारित कैल्कै छे। सेल्याके आपन आत्मिक निनसे जाग आर जे ख्रीष्टियन गुण तोरामे आब भी बच्ल छौ ओकरासिके नया बना एकरासे पहेला कि ऊ पुरा तरहसे गायब भ्याजौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan