4 ऊसब सच्चा बातसब नैसुन्तै मगर झुट्ठा आर बनौटी खिसासब सुन्तै।
कहिनेकी यी आदमीसिके हृदय भोथैल छै, आर ओकरसिके कान बहिर भेल छै आर ऊसब आपन आँख बन्द करि लेल्कै छे, नैते ऊसब आँखीसे देख्तियै, कानसे सुन्तियै, हृदयसे बुझ्तियै, आर हमरलगत ऐतियै आर हमे ओकरासिके ठीक कर्तियै।’
यी बात पर ऊसब बडका जोरसे चिकर्ते आपन-आपन कान बन्द कैल्कै। आर ऊसब एक साथ स्तिफनसके झम्टल्कै।
सेल्याके परमेश्वर ओकरासिके धोखा देतै ताकी ऊसब झुट्ठा बात पर विश्वास करै।
परमेश्वरके अनादर करेवाला बनौटी आर मूर्ख खिसासिसे पुरा रुपसे अलग र, आर ईश्वरीय जीवन बिताबैके लिए अपने आपके निरन्तर तालिम दहैं।
तिमोथी परमेश्वरके देल काम करैके लिए सुनिश्चित कर। ईश्वरहीन आर बेकारके बातसब आर परमेश्वरके सच्चा शिक्षाके विरोध करेवाला शिक्षासिसे दूर र, जकरा ऊसब गलत तरिकासे “ज्ञान” कहैछै।
तोरासिके मालुम छौ कि एशिया प्रदेशमे रहेवाला विश्वासीसब हमरा अस्वीकार कैल्कै छे, जकरामे फुगेलस आर हर्मोगेनस भी छै।
यहूदी आदमीसिके झुट्ठा खिसासब आर सचसे भट्कल ऊ आदमीसिके आज्ञासिके नैसुन।
तोरसिके सभैके संगे परमेश्वरके अनुग्रह रहौ। आमेन।
जब हमे चुन्ल आर भेज्ल चेलासब तोरासिके आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके शक्ति आर फेर वापस आबैके विषयमे प्रचार कैलियौ ते, हमेसब तोरासिके चलाकीसे कुछु बन्ल बनैल कहानी नैबतैते रहियौ। बल्की हमेसब ख्रीष्टके महिमा आपन आँखीसे देख्लियै रहे।