21 जाड शुरु हुऐसे पहलहै आबैके कोशिश कर। युबुलस तोरा नमस्कार भेजल्कौ छे आर पुडेस, लिनस, क्लौडिया आर सभे विश्वासी भ्यासब तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे।
यदि कोय विरोधी आदमी तोरापर मुकदमा करिके अदालतमे ल्याजैछौ ते, रस्तहैमे ओकरसंगे मेल-मिलाप करैके कोशिश कर, ताकी तुहें छुटी जहैं। नैते ऊ तोरा न्यायधीशके समनामे खडा करैतौ आर ऊ तोरा सिपाहीके हातमे सौंपी देतौ आर सिपाही तोरा लज्याके जेलमे कैदी बन्याके राख्तौ।
एत्करो सभे विश्वासी भ्या-बहिनसब तोरासिके नमस्कार कहैछौ। तोरासिके एक दोसरके नमस्कार करना चाही यी चिन्हके रुपमे कि तुहेंसब एक दोसरसे प्रेम करैछैं।
सभे विश्वासीसब तोरासिके नमस्कार कहैछौ।
सभे परमेश्वरके आदमीसब, विशेष करिके रोमी महाराजाके घरानाके विश्वासीसब तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छौ।
हमरा याद छै कि हमे तोरा छोडिके जैके समयमे तुहें बहुते कान्लहैं रहे। हमे तोर भेट करैले चाहैछियै ताकी हमे आनन्दित हुए सकियै।
त्रोआस सहरमे कार्पस कते छोड्ल हमर जाडमे पिन्हेवाला कपडा तुहें आबैबेरियाँ आपन संगमे आन। हमर किताबसब भी आनिहैं विशेष करिके, उटा किताबसब जे भेंडाके चमडासे बन्ल छै।
तिमोथी तुहें हमरलगत जल्दी आबैके कोशिश कर।
हमे आर्तिमास आर तुखिकसके तोरलगत क्रेट टापुमे भेज्बौ, आर जब ऊसब ओत्ते पहुँचतै तब तुहें निकोपोलिस सहरमे हमरलगत आबैले पुरा कोशिश कर। कहिनेकी हमे जाडके महिना कटाबैके लिए निकोपोलिस सहरमे ही रहैके निर्णय कैलियै छे।
परमेश्वरसे चुन्ल तोरे बहिनके बेटा-बेटीसब तोरा नमस्कार भेजल्कौ छे।
मगर हमे तोरसिकते आबिके आमने-सामने बात करैके आशा करैछियै।