पिता परमेश्वरके समनामे धर्मी ठहरैल ज्यावाला आदमीसब पिता परमेश्वरके राज्यमे सुरुज जुगुर चमकते रहतै। जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक।”
हमे यी कहैछियै कहिनेकी परमेश्वर बुद्धिमानीसाथ फैसला कैल्कै कि यी संसारके आदमीसब ओकरा आपन बुद्धिके माध्यमसे नैचिन्हे सक्तै। सेल्याके विश्वास नैकरेवाला आदमीसब हमरसिके खुश-खबरीके मूर्खता कहेल पर भी आपनसिके प्रचार कैल खुश-खबरीमे विश्वास करेवालासिके बचाबैके परमेश्वरके योजना रहै।
शान्ति दिएवाला परमेश्वर आपनहैं पुरा रुपसे तोरासिके पवित्र बनाबौ आर तोरसिके सारा आत्मा, प्राण आर शरीर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके फेर वापस आबैके दिनतक निर्दोष रहौ।
ऊ राजा जे सभे दिनके लिए राज्य करैछै, जे सभे दिनके लिए जिन्दा छै, जकरा कोय नैदेखे सकैछै आर उहे खाली एक्केटा आर सच्चा परमेश्वरके आदर आर महिमा सभे दिन मिल्ते रहै। आमेन।
यी इहे कारण छै, कि हमे जेलमे भी दुःख भोगैछियै, मगर हमे लाज नैमानैछियै। कहिनेकी हमे ख्रीष्टके चिन्हैछियै, जकरापर हमे भरोसा कैलियै छे, आर हमरा निश्चय छै कि ख्रीष्ट फेर वापस नै आबैतक जे हमे ओकरा सौंप्लियै छे उटा बातके रक्षा ऊ करे सकैछै।
आर तोर विश्वासके द्वारा, परमेश्वर आपन शक्तिसे तोरसिके रक्षा करैछौ जबतक कि तुहें शैतानके शक्तिसे पुरा उद्धार पाबि नैलैछहैं जे कि ख्रीष्टके वापस आबैके दिनमे देखैल जैके लिए तैय्यार छै।