Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 4:17 - केवट नया कारार

17 मगर प्रभु हमरसंगे खडा भेलै आर ऊ हमरा शक्ति देल्कै, आर हमे येशू ख्रीष्टके बारेमे साफसे खुश-खबरी प्रचार कैलियै ताकी अदालतमे भेल सभे गैर-यहूदी आदमीसब सुने सकै, आर भुख्ल शेरसे बचैल जुगुर परमेश्वर हमरा मौतसे बचैल्कै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 4:17
35 Iomraidhean Croise  

जब तोरासिके गिरफ्तार करिके अदालत लजैल जैछौ तब कि बोल्बै कहिके पहलहैसे चिन्ता नैकर। कहिनेकी तोरासिके कि बोले पड्तौ, उहे समय परमेश्वर तोरासिके बतैतौ।


अति माननीय थियोफिलसके लिए, बहुते आदमीसब आपनसिके बीचमे घटिके पुरा भेल घटनासिके विवरण लिखैके कोशिश कैल्कै।


कहिनेकी हमे तोरासिके एरंको वचन आर बुद्धि देबौ, कि तोरसिके विरोधीसब तोरसिके कहेल बातसिके जबाब दिए नैसक्तौ।


उहे रात प्रभु येशू पावलके नज्दिक खडा भ्याके कहैल्कै, “हे पावल साहास कर, कहिनेकी जेरंके तुहें यरूशलेम सहरमे हमर गवाही देल्हैं छे, ओहिने करिके तोरा रोम सहरमे भी गवाही दिए पड्तौ।”


मगर प्रभु येशू ओकरा कहैल्कै “तुहें जो! हमे ओकरा हमर सेवा करैके लिए चुन्लियै छे, जे गैर-यहूदी आदमीसब, राजासब आर इस्राएलीसिके बीचमे हमर बारेमे प्रचार कर्तै।


आर प्रार्थना कर कि हमे यहूदिया प्रदेशके अविश्वासी आदमीसिसे सुरक्षित रहियै, आर ताकी यरूशलेम सहरमे रहेवाला विश्वासीसब हमर पहुँचैल आर्थिक सहायतासे खुश भ्याजै,


मगर ऊ हमरा कहैल्कै, “हमर अनुग्रह तोर लिए काफी छौ, कहिनेकी हमर शक्ति कमजोरीमे ही सिद्ध हैछै।” इहे ल्याके हमे आनन्दसे आपन कमजोरीपर गर्व कर्बै, ताकी ऊ कमजोरीसिके द्वारा हमरामे ख्रीष्टके शक्ति काम कर्ते रहै।


हमे परमेश्वरके सभे आदमीसिमेसे सभैसे कम महत्वपूर्ण छियै। मगर परमेश्वर हमरापर अनुग्रहकारी रहै कि हमे गैर-यहूदी आदमीसिके खुश-खबरी सुनाबे सक्लियै कि ख्रीष्ट अपार आशिषके मूल छै, जे समझसे बाहार छै।


हमरा शक्ति दिएवाला आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके हमे धन्यवाद दैछियै, कि ऊ हमरा विश्वासयोग्य सम्झिके आपन सेवामे नियुक्त कैल्कै।


सेल्याके तिमोथी, तुहें जे हमर बेटाके जुगुर छैं, येशू ख्रीष्टमे परमेश्वर तोरा देल अनुग्रहके द्वारा अपने आपके निरन्तर मजगुत बना।


हमे खुश-खबरीके प्रचार करैके कारणसे एकटा अपराधीके जुगुर जेलमे दुःख भोगैछियै। मगर कोनो भी चीज आदमीसिके परमेश्वरके खुश-खबरी फैलाबैसे रोके नैसकैछै।


आदमीसब हमरा सतैल्कै आर हमरा बहुते कष्ट देल्कै। तोरासिके मालुम छौ पिसिदिया प्रदेशके एन्टीओखिया सहरमे, आइकोनियन सहरमे आर लुस्त्रा सहरमे आदमीसब हमर विरुद्धमे कैल भयानक कामसिके बारेमे आर ओत्ते हमे केरं सतावटसब सहलियै ओकर बारेमे तोरासिके मालुम छौ। तैय्योपर प्रभु हमरा ऊ सभैसे बचैल्कै।


मगर जे कुछु भेलपर भी तोरा अपने आपके वशमे राखे पडैछै, आर जेरं कष्ट भेलपर भी तोरा भोगे पडैछै। तोरा खुश-खबरी प्रचार करे पडैछै, आर परमेश्वरके सेवकके रुपमे तोरा करे पडेवाला सभे कामसब करे पडैछै।


आर आब सही समयमे, परमेश्वर यी खुश-खबरी प्रकट कैल्कै आर हमेसब सभे आदमीसिके यी बातके प्रचार करैछियै। आपनसिके उद्धारकर्ता परमेश्वर हमर प्रचारके कामद्वारा यी आज्ञा देते हमरा जिम्मेदारी देल्कै कि हमे ओकर खातिर यी काम करियै।


यीसब विश्वासेद्वारा राज्यसब जितल्कै, धार्मिकताके काम कैल्कै, प्रतिज्ञा कैल चीजसब प्राप्त कैल्कै, शेरसब ओकरासिके नैखैल्कै,


सचेत र आर होशियार र, कहिनेकी शैतान, तोर दुश्मन तोरापर हमला करैले चाहैछौ ताकी तुहें परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर। ऊ गर्जेवाला शेरके जुगुर छै जे खोजैछै कि ऊ ककरा ख्या सकैछै।


यी सभे काम जे परमेश्वर पहेला कैल्कै, उटा कामसब अपनासिके यी देखाबैछै कि जे आदमीसब ईश्वरीय जीवन जियैछै, जब ऊसब मुसीबतमे हैछै ते परमेश्वर जरुर ओकरासिके सुरक्षित राख्तै। आर अपनासब यी भी निश्चित करे सकैछियै कि ऊ दुष्ट आदमीसिके उटा दिनतक निरन्तर सजाय देतै जबतक कि ऊ सभे आदमीसिके न्याय नैकर्तै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan