13 त्रोआस सहरमे कार्पस कते छोड्ल हमर जाडमे पिन्हेवाला कपडा तुहें आबैबेरियाँ आपन संगमे आन। हमर किताबसब भी आनिहैं विशेष करिके, उटा किताबसब जे भेंडाके चमडासे बन्ल छै।
अगर कोय आदमी तोर कमिज लियैले तोरापर मुकदमा चलाबैछौ ते, ओकरा तुहें आपन कोट भी खोलीके द्या दहैं।
सेल्याके हमेसब त्रोआस सहरसे पानी जहाजमे चढिके सोझे सामोथ्राके टापु महर गेलियै, आर एक दिनके बाद नियापोलिस सहरमे पहुँचलियै।
सेल्याके ऊसब माइसिया प्रदेश भ्याके त्रोआसके बन्दरगाहवाला सहरमे गेलै।
ऊसब विशेष करिके यी बातके शोक कर्ते रहै, जे बात ऊ कहैल्कै रहे, “तोरसिके संगे फेर हमर भेट कहियो भी नैहैतै।” आर ऊसब ओकरा अरियातीके पानी जहाजतक पहुँचैल्कै।
ऐजके दिनतक हमेसब भुख्ल आर प्यास्ल छियै, भंगा कपडा पिन्हैछियै, आर मार खैछियै, आर हमरसिके लगत घर-द्वार भी नैछै।
हमे अनेक रात जागिके, भुख्ल-प्यास्ल रहिके, अक्सर भुख्ल रहिके, जाड आर कपडाके अभावमे रहिके कठिन मेहनत कैलियै आर अनेक कष्ट भोग्लियै छे।