तिमोथी, तोरा मालुम छौ कि एफिसस सहरमे गलत बात सिखाबेवाला कुछु आदमीसब छै। ऊसब निरन्तर झुट्ठा शिक्षासब आर बाप-पुर्खासिके लम्बा सूचीसब सिखाबैछै। जब हमे एफिसस सहरसे माकेडोनिया प्रदेशमे जैके लिए तैय्यार रहियै, हमे तोरासिके एफिसस सहरमे रहैके लिए आर ओकरासिके ओरं शिक्षा नैदियैके लिए बताबैके लिए बिन्ती कैलियौ। जब ऊसब ओरंको बातसब सिखाबैछै, नतिजा यी छै कि आदमीसब उटा बातके विषयमे बहस करैछै। ऊ शिक्षकसब परमेश्वरके देल काम नैकरैछै, जे काम ऊसब परमेश्वरमे भरोसा राखिके खाली करे सकैछै।