Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 4:1 - केवट नया कारार

1 जब येशू ख्रीष्ट राजाके रुपमे राज्य करैके लिए ऐतै, ऊ दोनो जिन्दा आदमीसब आर मर्ल आदमीसिके न्याय कर्तै। सेल्याके परमेश्वर आर ख्रीष्टसंगे गवाहीके रुपमे हमे तोरा आग्रह करैछियौ,

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 4:1
35 Iomraidhean Croise  

कहिनेकी हमे, आदमीके बेटा आपन पिताके महिमामे आपन स्वर्गदूतसिके संगे ऐबौ आर उटा समयमे ऊ सभे आदमीके ओकर काम मुताबिकके इनाम देबौ।”


येशू कहैल्कै, “एकटा खानदानी आदमी बहुते दूर देशमे जैके आपन देशके राजा बनिके घुमिके वापस आबैके विचार कैल्कै।


तब राजा अधिकार पाबिके घुम्लके बाद, आपन पैसा देल नोकरसिके आपन लगत बोलाबैके हुकुम देल्कै, आर व्यापारसे ऊसब कतनें नफा कमैल्कै कहिके जानैले चाहैल्कै।


तकरबाद ऊ येशूके कहैल्कै, “हे येशू, तुहें राजाके जुगुर आपन राज्यमे आबै बख्तियाँ हमरा याद करिह!”


आर ऊ हमरासिके आज्ञा देल्कै कि सभे आदमीसिके प्रचार कर आर गवाही दहैं, कि येशू उहे छै जकरा परमेश्वर जिन्दा आर मर्ल आदमीसिके फैसला करेवाला नियुक्त कैल्कै छे।


कहिनेकी ऊ एक दिन तय करिदेल्कै छे, जे दिन ऊ आपन चुन्ल एकटा आदमीके द्वारा धार्मिकतासे संसारके आदमीसिके फैसला कर्तै। ओकरा मुर्दासे जिन्दा बन्याके ऊ यी बातके सबूत सभे आदमीसिके देल्कै छे।”


यी सभे उटा दिन हैतै जब परमेश्वर हमर प्रचार कैल खुश-खबरीके मुताबिक येशू ख्रीष्टद्वारा आदमीसिके गुप्त कामके इन्साफ कर्तै।


जब ख्रीष्ट, जे तोरासिके सच्चा जीवन दैछै, ऊ जब यी संसारमे फेर वापस ऐतै तब तहुँसब ओकरेसंगे दिखाई देभैं आर ओकर आदरमे सामिल हैभैं।


सेल्याके, जब ख्रीष्ट विरोधीके रोकेवाला चीजके हटैल जैतै तब येशू ख्रीष्ट दिखाई पड्तै। तब उटा ख्रीष्ट विरोधीके प्रभु येशू नाश करैके आदेश द्याके आर ओकर फेर वापस आबैके महिमा देख्याके शक्तिहीन बनैतै।


परमेश्वर आर येशू ख्रीष्टके समनामे आर चुन्ल स्वर्गदूतसिके समनामे हमे तोरा कडा आज्ञा दैछियौ कि कोनो भेदभाव आर पक्षपात नैकरिके यी नियमसब तुहें पालन कर।


परमेश्वर आपन बेटा उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा आपन अनुग्रह देखैल्कै छे। ऊ मौतके शक्तिके नाश करिदेल्कै छे, आर खुश-खबरीके द्वारा कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके रस्ता छै कहिके देखैल्कै छे।


जे बात हमे तोरा सिखैलियौ छे ऊ बात विश्वासीसिके घुरी-घुरी सिखा। आर प्रभुके समनामे कडा आज्ञा दहैं कि ऊसब बेकारके शब्दसिके विषयमे बहस नैकरै, जे भलाइ नैकरैछै, मगर यी सुनेवाला आदमीसिके हानी पहुँचाबैछै।


प्रभु हमरा सभे हानीसे बचैतै आर ऊ हमरा ओकर स्वर्गीय राज्यमे ल्याजैतै जते ऊ राजाके रुपमे शासन करैछै। ओकरा सभे दिन महिमा मिल्ते रहै। आमेन।


आब प्रभु हमर लिए स्वर्गमे धार्मिकताके मकुट राखल्कै छे, कहिनेकी हमे ओकरा पसन्द हुएवाला जीवन जिलियै छे। ऊ प्रभु जे सहीसे फैसला करैछै, हमरा उटा मकुट तब देतै जब ऊ फेर वापस ऐतै। ऊ खाली हमरा नै मगर ओकरा सभैके देतै जेसब ओकर वापस आबैके बहुते इच्छा करैछै।


हमेसब एरंके व्यवहार करैछियै जब आपनसिके आशा कैल उटा सुन्दर दिनके लिए हमेसब उम्मीदके साथ इन्तजार करैछियै: उटा दिन जब आपनसिके महान परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट आपन सारा महिमाके साथ धर्तीपर फेर वापस ऐतै।


यी तकलीफसिके मकसद यी देखाबैके लिए छै कि तुहेंसब सचमे परमेश्वरमे भरोसा राखैछैं या नैराखैछैं। येशू ख्रीष्टमे भेल तोरसिके विश्वास सोनासे भी मूल्यवान छौ। जेरंके नाश हुएवाला सोनाके आगिनसे जाँच्ल जैछै आर शुद्ध बनैल जैछै, ओहिने करिके यदि तोरसिके विश्वास अग्निमय परीक्षासिके द्वारा जाँच्ल गेलके बाद भी मजगुत रहैछौ ते, यी येशू ख्रीष्ट फेर वापस आबैके दिनमे तोरासिके बहुते प्रशंसा, महिमा आर सम्मान दिलैतौ।


मगर एक दिन ऊसब जरुर परमेश्वरके समनामे फैसलाके लिए खडा हैतै आर परमेश्वर ओकरासिमेसे हरेकसे ओकरसिके द्वारा धर्तीपर कैल गेल कामसिके विषयमे पुछतै। परमेश्वर जिन्दा आर मुर्दा आदमीसिके न्याय कर्तै।


जब येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, जे आपनसिके प्रमुख चरवाहा छै, तब तोरासिके एकटा सुन्दर मकुट देतौ, जकर चमक कहियो कम नैहैतै।


आर साथे-साथ परमेश्वर तोरासिके उटा राज्यमे भव्य स्वागत कर्तौ जते येशू ख्रीष्ट छै, जे आपनसिके प्रभु आर आपनसिके उद्धारकर्ता छै, जे सभे दिनके लिए राजाके रुपमे राज्य कर्तै।


हमेसब ओकरसंगे उटा पवित्र पहाडमे रहियै जब ओकरा परमेश्वर पिताके द्वारा सम्मान आर महिमा देल गेलै। उटा समयमे ओकरलगत सर्वोच्च महिमा यानिकी परमधन्य परमेश्वरके तरफसे एरं कहते आवाज ऐलै, “यी हमर आपन प्यारा बेटा छै, जकरासे हमे खुश छियै!” हमेसब खुद स्वर्गसे ऐल उटा आवाजके सुन्लियै।


तुहेंसब जे हमर प्यारा बच्चासिके जुगुर छैं, निरन्तर ख्रीष्टमे एक भ्याके र। ताकी जब ऊ फेर यी संसारमे वापस ऐतै, अपनासिके साहास है आर ओकर फेर वापस आबैके समयमे अपनासिके ओकर आगुमे शर्माबे नैपडै।


देख, ऊ बादलके सवारीमे आबैछै, आर हरेक आदमी ओकरा देख्तै। जे आदमीसब ओकर मौतके लिए जिम्मेदार रहै, ऊसब भी ओकरा ऐते देख्तै आर धर्तीके सभे आदमीसब जोर-जोरसे कान्तै जब ऊसब ओकरा देख्तै। हौं, अहिने हैतै। आमेन।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan