२ तिमोथी 3:8 - केवट नया कारार8 यी झुट्ठा शिक्षकसब ख्रीष्टके सच्चा सन्देशके प्रचार करैसे रोकैके कोशिश करैछै, जेरं यान्नेस आर याम्ब्रेस मूसाके विरोध कैल्कै रहे। ओकरसिके दिमाग भ्रष्ट छै आर ऊसब आपन विश्वासके अनुसरण करैमे असफल भेल छै। Faic an caibideil |
हमे एरं इहे ल्याके कहैछियौ कहिनेकी बहुते आदमीसब सही शिक्षाके विरुद्धमे विद्रोह कर्तै, यानिकी ऊसब जे बकवास बातसब सिखाबैछै आर जेसब दोसर आदमीसिके धोखा दैछै। यी बात खास करिके कुछु यहूदी आदमीसिके विषयमे सच छै, जेसब विश्वासी बनी गेलै छे। खास करिके ऊ आदमीसब एरंको समूहके छै जेसब खतनाके नियमके मुताबिक सभे विश्वासीसिके खतना हुए पडैछै कहिके कहैछै।
ऊसब हरेक जनानीके संगे व्यबिचार करैले चाहैछै, जकरा ऊसब देखैछै। ऊसब पाप करैके मौका खोजैसे कहियो पाछु नैहटैछै। ऊसब ऊ आदमीसिके धोखा दैछै जेसब ख्रीष्टमे मजगुतीसे विश्वास नैकरैछै, आर ऊसब ओकरासिके पापके तरफ ल्याजैछै। ओकरसिके बेसीसे बेसी चीजसिके पाबैके सभे दिन बढते रहेवाला इच्छाके कारण परमेश्वर ओकरासिके सजाय देतै।