२ तिमोथी 3:6 - केवट नया कारार6 एकरासिमेसे कुछु आदमीसब आदमीसिके घरमे जैछै आर मूर्ख जनानीसिके पूर्ण रुपसे काबु करैछै, जकर हृदय ओकरसिके पापके दोषसे लादल हैछै आर सभे प्रकारके इच्छासे चलैल हैछै। Faic an caibideil |
हे यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर फरिसी समूहके आदमीसब, तोरसिके लिए यी बहुते भयानक हैतौ! तुहेंसब ढोंगी छैं! कहिनेकी तुहेंसब धोखा करिके मोसामातसिके सम्पति हडपी लैछैं, मगर तुहेंसब सामूहिक रुपसे लम्बा समयतक प्रार्थना करैछै ताकी आदमीसब यी सोचै कि तुहेंसब बढियाँ छैं। एरंको आदमीसिके परमेश्वर निश्चित रुपसे आरहौ बेसी कडा सजाय देतै।”
कहिनेकी अपनासब भी विश्वासी हुऐसे पहेला मूर्ख रहियै, परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर्ते रहियै आर आदमीसब अपनासिके धोखा देल्कै रहे। अपनासब दासके जुगुर रहियै जे सभे प्रकारके खराब कामसब करैके इच्छासे नियन्त्रित रहै जकरासे अपनासिके आनन्द मिल्ते रहै। अपनासब आपन समयके खराब तरिकासे व्यवहार करैमे आर दोसर आदमीसिसे ईर्ष्या करैमे बितैते रहियै। अपनासब घृणित आदमीसब रहियै; सभेको अपनासिके घृणा कैल्कै आर अपनासब भी ओकरासिके घृणा कैलियै।
हमे तोरासिके लिखैछियौ कहिनेकी कुछु आदमीसब जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैके दिखावा करैछै, ऊसब तोरसिके मण्डलीमे सामिल भ्या गेलौ छे। ऊसब परमेश्वरके सम्मान नैकरैछै आर ऊसब एरं कहिके गलत शिक्षा दैछै, कहिनेकी परमेश्वर आपन अनुग्रहसे आपनसिके पापसिके माफ करि दैछै, इहे ल्याके अपनासब अनैतिक जीवन जिये सकैछियै। ऊसब येशू ख्रीष्टके अस्वीकार करैछै, जे आपनसिके एक्केटा मालिक आर आपनसिके प्रभु छै। बहुते समय पहेला धरमशास्त्र कहैछै कि परमेश्वर एरं आदमीसिके सजाय देतै।