Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 3:4 - केवट नया कारार

4 ऊसब आपन साथीसिके संगे विश्वासघात कर्तै, ऊसब बिना सोची विचारीके काम कर्तै, ऊसब अपने आपके दोसर आदमीसिसे बेसी महत्वपूर्ण सोच्तै आर ओहिने व्यवहार कर्तै आर परमेश्वरसे बेसी सुख विलासके प्रेम कर्तै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 3:4
12 Iomraidhean Croise  

तुहेंसब जानैछ कि यी बात अकाट्य छै, सेल्याके तुहेंसब शान्त रह आर बिना सोची-विचारीके कुछु नैकर।


तोर बाप-पुर्खासब ऊ सभे परमेश्वरके वक्तासिके जान मारल्कै, जेसब ख्रीष्टके आबैके भविष्यवाणी कैल्कै रहे। जब ख्रीष्ट ऐलै ते, तुहेंसब ओकरा धोखा देल्ह आर ओकर जान मार्लह।


यी बात सच छै, कि ओकरसिके अविश्वासके कारणसे ऊसब गाछसे काट्ल गेलै। मगर तुहेंसब ते तोरसिके विश्वाससे टिक्ल छैं। सेल्याके घमण्डी नैहु, मगर श्रद्धापूर्ण भय राख।


कहिनेकी एरंको आदमीसब आपनसिके प्रभु ख्रीष्टके नै, मगर आपन पेटके लिए सेवा करैछै, आर ओकरसिके मिठ्ठ-मिठ्ठ बोली आर चापलुसीवाला बातसे सिधा-साधा आदमीसिके धोखा दैछै।


ऊसब नया विश्वासी नै होना चाही, नैते ऊसब घमण्ड कर्तै आर शैतानके पैल जुगुर सजाय पैतै।


ऊ मोसामातसब जेसब आपन सारा समय सुख-विलासमे मस्त रहैछै ते, ऊसब शरीरमे जिन्दा रहैछै मगर आत्मिक रुपमे मर्ल हैछै।


यी संसारके मातबर आदमीसिके आदेश दहैं कि ऊसब घमण्डी नैबनै आर अस्थाई धन-दौलतमे ऊसब आपन आशा नैराखै, मगर उदारताके साथ अपनासिके सभे चीज दिएवाला परमेश्वरमे भरोसा राखक ताकी हमेसब आनन्दित हुए सकियै।


इहे ऊ आदमीसब छै जे तोरासिके अलग-अलग दलमे बाँटैके कारण बनैछै। ऊसब आपन खुदके इच्छाके मुताबिक व्यवहार करैछै आर ओकरासिमे पवित्र आत्मा नैछै।


हमे तोरासिके लिखैछियौ कहिनेकी कुछु आदमीसब जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैके दिखावा करैछै, ऊसब तोरसिके मण्डलीमे सामिल भ्या गेलौ छे। ऊसब परमेश्वरके सम्मान नैकरैछै आर ऊसब एरं कहिके गलत शिक्षा दैछै, कहिनेकी परमेश्वर आपन अनुग्रहसे आपनसिके पापसिके माफ करि दैछै, इहे ल्याके अपनासब अनैतिक जीवन जिये सकैछियै। ऊसब येशू ख्रीष्टके अस्वीकार करैछै, जे आपनसिके एक्केटा मालिक आर आपनसिके प्रभु छै। बहुते समय पहेला धरमशास्त्र कहैछै कि परमेश्वर एरं आदमीसिके सजाय देतै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan