Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 3:3 - केवट नया कारार

3 ऊसब दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमके बिना हैतै, ऊसब दोसर आदमीसिके माफ नैकर्तै, दोसर आदमीसिके दोष लगैतै, ऊसब आपन इच्छासिके काबुमे राखे नैसक्तै, ऊसब क्रूर हैतै, ऊसब बढियाँ चीजके घृणा कर्तै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 3:3
31 Iomraidhean Croise  

“जे आदमीसब हमरापर विश्वास नैकरैछै, ऊसब आपन भ्याके गिरफ्तार करि लेतै, जे हमरापर विश्वास करैछै ऊसब मार्ल जैतै, बाबु आपन बालबच्चाके संगमे भी अहिने कर्तै आर बालबच्चासब आपन मयाँ-बाबुके खिलाफ विद्रोह कर्तै आर ओकरसिके जान मारैले लगैतै।


तब शैतान येशूके परीक्षा करै कहिके पवित्र आत्मा येशूके सुनसान जगहमे ल्यागेलै।


येशू चेलासिके कहैल्कै, “जे तोरसिके बात सुनैछै, ऊ हमर बात सुनैछै। जे तोरासिके अस्वीकार करैछै, ऊ हमरा अस्वीकार करैछै, आर जे हमरा अस्वीकार करैछै, ऊ हमरा भेजेवाला परमेश्वरके अस्वीकार करैछै।”


धनके लोभी फरिसी समूहके आदमीसब यीसब बात सुनिके ओकर मजाक उडाबे लाग्लै।


येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “कि हमे आपनहैं तोरा बारहो झनके नैचुन्लियौ? तैय्योपर तोरासिमेसे एकझन शैतानके कब्जामे छैं।”


ऊसब सभे किसिमके पापसे भर्ल छै। ऊसब लोभ आर घृणा करैछै, दोसरके डाहा करैछै आर दोसर आदमीसिके हत्या करैछै। ऊसब झर-झगडा करैछै, छल-कपट करैछै आर झुठ बोलैछै, एक दोसरके चुगलखोरी करैछै,


ऊसब मूर्ख छै आर आपन कहेल बात पुरा नैकरैछै आर ऊसब दोसरके कोनो दया-माया नैदेखाबैछै।


तुहेंसब एक दोसरसे अलग नै र, मगर एक दोसरके सहमतिसे कुछु समय प्रार्थनामे बिताबैके लिए अलग रहे सकैछैं; आर फेर पति पतनीके जुगुर तुहेंसब एक साथ र। ताकी शैतान अनैतिक जीवन जियैके लिए तोरसिके परीक्षा नैकरौ नैते तुहेंसब आपन इच्छासिके काबुमे नैकरे सक्भैं।


मगर ऊसब आपन इच्छाके काबुमे नैराखे सकैछै ते ऊसब बिहा करक, कहिनेकी बिहा करना असन्तुष्ट इच्छा आर चाहनाके राखैसे बढियाँ छै।


सेल्याके जे यी आदेशसिके इन्कार करैछै, ऊ आदमीके नै मगर परमेश्वरके इन्कार करैछै, जे परमेश्वर तोरासिके आपन पवित्र आत्मा दैछौ।


इहे प्रकारसे मण्डलीके सेवकके पतनीसब सभैसे आदर पाबैके योग्यके हुए पडैछै, दोसरके बारेमे खराब बात बोलेवाली नै होना चाही, मगर संयमी आर ऊसब सभे परिस्थितिमे भरोसा करैके योग्यके होना चाही।


मगर अतिथि सत्कार करेवाला, दोसर आदमीसिके लिए भलाइ करैले पसन्द करेवाला, आपन इच्छाके काबुमे राखेवाला, सही तरिकासे व्यवहार करेवाला, परमेश्वरमे समर्पित जीवन जिएवाला आर अनुशासित जीवन जिएवाला आदमी होना चाही।


अहिने करिके बुढ जनानीसब सभे बातमे एरं व्यवहार करै जे हरेक बातमे जे ऊ करैछै परमेश्वरके सम्मान दैछै, दोसर आदमीके बारेमे खराब बात नैबोलेवाली, आर बेसी नशा करेवाली नैहै, मगर ऊसब दोसर जनानीसिके बढियाँ जीवन जियैके तरिका सिखाबे पडैछै।


मगर तुहेंसब ते गरिब आदमीसिके अपमान कैल्हैं छे। तोरासिके मालुम छौ कि मातबर आदमीसब ही तोरासिके अत्याचार करैछौ। ऊसब ऊ छै जे तोरासिके अदालतमे जबरजस्ती ल्याजैछौ।


ऊसब हरेक जनानीके संगे व्यबिचार करैले चाहैछै, जकरा ऊसब देखैछै। ऊसब पाप करैके मौका खोजैसे कहियो पाछु नैहटैछै। ऊसब ऊ आदमीसिके धोखा दैछै जेसब ख्रीष्टमे मजगुतीसे विश्वास नैकरैछै, आर ऊसब ओकरासिके पापके तरफ ल्याजैछै। ओकरसिके बेसीसे बेसी चीजसिके पाबैके सभे दिन बढते रहेवाला इच्छाके कारण परमेश्वर ओकरासिके सजाय देतै।


झुट्ठा शिक्षकसब आदमीसिके बताबैछै कि ऊसब जे कुछु भी करैले चाहैछै उटा करैके लिए आजाद छै जब कि ऊसब खुद ही दाससिके जुगुर छै, कहिनेकी ओकरसिके आपन पापमय स्वभाव ओकरासिके पाप पूर्ण काम करैके लिए मजबूर करैछै। अपनासिके मालुम छै जे कुछु भी तोरासिके नियन्त्रित करैछौ, तुहें ओकर दास बनी जैछैं।


सबसे महत्वपूर्ण बात तोरासिके पता होना चाही कि ख्रीष्टके फेर वापस आबैसे पहेला अन्तिम दिनसिमे एरं आदमीसब हैतै जे तोरसिके मजाक उडैतौ कहिनेकी तुहेंसब विश्वास करैछैं कि ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै। ऊसब आपन आदतके कारणसे खराब काम कर्तै जे ओकरासिके खुश करैछै।


यी आदमीसब सभे दिन परमेश्वरके विरुद्धमे बोलैछै आर दोसर आदमीसिमे गल्ती खोजैछै। ऊसब लगातार उटा खराब कामसिके करैछै जे ओकरसिके दिल करैले चाहैछै। ऊसब आपन विषयमे घमण्डसे दावा करैछै आर खुदके लिए फैदा लियैके खातिर दोसर आदमीसिके चापलुसी करैछै।


ऊसब तोरासिके कहैल्कौ रहे, “आपनसिके प्रभु येशू फेर वापस आबैसे पहेला एरंको आदमीसब हैतै जे प्रभु आर ओकर आदमीसिके मजाक उडैतै। इहे ऊ आदमीसब छै जकरसिके जीवनपर ओकरसिके आपन खराब इच्छाके नियन्त्रण छै।”


आर दोसर जंगली जानवरके परमेश्वरके द्वारा पहेलावाला जंगली जानवरके मूर्ति बन्याके ओकरा जिन्दा बनाबैके अनुमति देल गेलै रहे, ताकी जंगली जानवरके मूर्ति बोले भी सकै आर ऊ आदमीसिके जान मरव्या दै जेसब ऊ जंगली जानवरके मूर्तिके पूजा नैकरैछै।


खाली उहे जकरापर यी छाप रहै कुछु किने या बेचे सक्ते रहै। उटा छाप पहेलावाला जंगली जानवरके नाम रहै या ओकर नामके देखाबेवाला एकटा संख्या रहै।


कहिनेकी ऊसब तोर आदमीसिके आर तोर वक्तासिके जान मारल्कै आर ओकरसिके खून बहैल्कै। इहे ल्याके आब तुहें ओकरासिके खून पियैके लिए देलह छे। इहे ओकरसिके लिए सही इनाम छै।”


आर हमे देख्लियै कि ऊ जनानी सन्तसिके खून पिबिके मत्ल रहै, यानिकी ऊ आदमीसिके जकरा आदमीसब जान मारि देल्कै रहे, कहिनेकी ऊसब विश्वासयोग्यताके साथ येशूके अनुसरण कर्ते रहै। जब हमे ओकरा देख्लियै ते, हमे बहुते आश्चर्यचकित भेलियै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan