२ तिमोथी 3:2 - केवट नया कारार2 कहिनेकी आदमीसब खाली अपने आपके प्रेम कर्तै, रुपिया पैसाके मोह कर्तै, घमण्डी हैतै, ऊसब दोसर आदमीसिके निन्दा कर्तै, मयाँ-बाबुके आज्ञापालन नैकर्तै, धन्यवादी नैहैतै आर परमेश्वरके सम्मान नैकरिके दुष्ट बन्तै। Faic an caibideil |
हमरासिके यी भी मालुम छै कि मूसाके विधि-विधान परमेश्वरके नजरमे सही भेल आदमीसिके लिए नैछै मगर परमेश्वरके विधि-विधानके बेवास्ता करिके जानी-जानीके आज्ञा नैमानेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके आराधना नैकरेवाला आर निरन्तर पाप करेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके सम्मान नैकरेवाला दुष्ट आदमीसिके लिए, आर आपन मयाँ-बाबुके आर दोसर आदमीसिके जान मारेवाला आदमीसिके लिए छै।
मगर यी शिक्षकसब बेअकल जानवरसिके जुगुर काम करैछै जेसब ओरं करैछै जेरं ओकरसिके शरीर चाहैछै आर जेसब इहे ल्याके जनम हैछै ताकी आदमीसब ओकरासिके फस्याके मारे सकै। कहिनेकी ऊसब यी जानवरसिके जुगुर छै, यी शिक्षकसब उटा चीजसिके अपमान करैछै, जकर विषयमे ऊसब वास्तवमे कुछु भी नैजानैछै। परमेश्वर ओकरासिके ओहिने करिके नाश करि देतै जेरंके आदमीसब जानवरसिके मारैछै।