२ तिमोथी 3:15 - केवट नया कारार15 बचपनसे ही, तुहें धरमशास्त्रसे परिचित छैं, जे तोरासिके येशू ख्रीष्टमे विश्वास कैलके बाद परमेश्वर तोरासिके बचाबैछै कहिके बुझैले सहायता करैछै। Faic an caibideil |
आपन सभे चिट्ठीसिमे जे ऊ विश्वासीसिके लिखल्कै छे, ऊ इहे तरिकासे लिखैछै जे ऊ तोरासिके लिखल्कौ छे। मगर कुछु बातसब जे ऊ आपन चिट्ठीसिमे लिखल्कै छे, ओकरा समझना कठिन छै। जे आदमीसब बढियाँ शिक्षा नैपैल्कै छे आर जकरासिके निश्चय नैछै कि ऊसब कि विश्वास करैछै, ऊसब यी कठिन बातके मतलबके गलत तरिकासे व्याख्या करैछै, ओहिने ही जेरंके ऊसब धरमशास्त्रके दोसर भागसिके गलत व्याख्या करैछै। एरं करिके ऊसब खुद ही परमेश्वरके द्वारा आपन नाश हुऐके कारण बनैछै।
जब हमे यी बात सुन्लियै ते हमे ओकर समनामे झुकी गेलियै जे हमरसंगे बात कर्ते रहै, कहिनेकी हमे ओकर आराधना करैले जैते रहियै। मगर ऊ हमरा कहैल्कै, “तुहें हमरा गोड नैलाग। हमे खाली परमेश्वरके एकटा सेवक छियै जेरं तुहें छैं आर तोर भ्यासिके जुगुर जे येशूके द्वारा प्रकट कैल गेल सच्चा शिक्षापर विश्वास करैछै आर मानैछै। खाली परमेश्वर ही छै जकर तोरा आराधना करना चाही। कहिनेकी यी आत्मा छै जे परमेश्वरके आदमीसिके येशूके द्वारा बतैल गेल सचके घोषणा करैके योग्य बनाबैछै।”