Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 3:13 - केवट नया कारार

13 मगर दुष्ट आर धोखेबाज आदमीसब आरहौ बेसी दुष्ट कामसब कर्तै। ऊसब आदमीसिके धोखा देतै आर ऊसब खुद भी दोसर आदमीसिसे धोखा पैतै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 3:13
15 Iomraidhean Croise  

जब आदमीसब हमरसिके प्रशंसा करैछै या जब ऊसब हमरासिके तुच्छ सम्झैछै, जब आदमीसब दोसर आदमीसिके बताबैछै कि हमेसब खराब आदमी छियै या बढियाँ आदमी छियै, हमेसब इमानदार छियै, मगर ऊसब कहैछै कि हमेसब झुट्ठा छियै।


पवित्र आत्मा साफसे कहैछै, कि अन्तके समयमे कुछु आदमीसब ख्रीष्टके शिक्षासिके विश्वास करैले छोड्तै। ओकरासिके बहकाबेवाला भूतप्रेतके शिक्षाके ऊसब स्वीकार कर्तै, आर ओकरसिके झुट्ठा शिक्षाके विश्वास कर्तै।


यी झुट्ठा शिक्षकसब ख्रीष्टके सच्चा सन्देशके प्रचार करैसे रोकैके कोशिश करैछै, जेरं यान्नेस आर याम्ब्रेस मूसाके विरोध कैल्कै रहे। ओकरसिके दिमाग भ्रष्ट छै आर ऊसब आपन विश्वासके अनुसरण करैमे असफल भेल छै।


कहिनेकी अपनासब भी विश्वासी हुऐसे पहेला मूर्ख रहियै, परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर्ते रहियै आर आदमीसब अपनासिके धोखा देल्कै रहे। अपनासब दासके जुगुर रहियै जे सभे प्रकारके खराब कामसब करैके इच्छासे नियन्त्रित रहै जकरासे अपनासिके आनन्द मिल्ते रहै। अपनासब आपन समयके खराब तरिकासे व्यवहार करैमे आर दोसर आदमीसिसे ईर्ष्या करैमे बितैते रहियै। अपनासब घृणित आदमीसब रहियै; सभेको अपनासिके घृणा कैल्कै आर अपनासब भी ओकरासिके घृणा कैलियै।


जब आदमीसब येशू ख्रीष्टके आपन प्रभु आर उद्धारकर्ता कहिके स्वीकार करैछै, तब ऊसब संसारके दुष्टतासे भागैछै। मगर आब एकबेर फेर ऊसब खराब काम करैमे लिप्त भ्यागेलै छे आर उटा खराब कामसब ओकरासिके नियन्त्रित करैछै, सेल्याके आब ख्रीष्टके अस्वीकार करि देलके बाद ओकरसिके अन्तिम दशा ओकरसिके विश्वासी बनैसे पहेलाके स्थितिसे भी खराब भ्यागेलै छे।


सबसे महत्वपूर्ण बात तोरासिके पता होना चाही कि ख्रीष्टके फेर वापस आबैसे पहेला अन्तिम दिनसिमे एरं आदमीसब हैतै जे तोरसिके मजाक उडैतौ कहिनेकी तुहेंसब विश्वास करैछैं कि ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै। ऊसब आपन आदतके कारणसे खराब काम कर्तै जे ओकरासिके खुश करैछै।


इहे ल्याके ऊ विशाल अजगर आर ओकर दूतसिके धर्तीमे फेकि देल गेलै। यी विशाल अजगर उहे छै जे बहुते समय पहेला साँपके रुपमे दिखाई देल्कै रहे, जकरा शैतान या दोष लगाबेवाला भी कहेल जैछै। यी उहे छै जे यी संसारके आदमीसिके धोखा देते ऐलै छे।


बहुते आदमीसब दोसर जंगली जानवरके झुट्ठा चमत्कारसिसे प्रभावित भ्याके धोखा खैल्कै जे उटा पहेलावाला जंगली जानवरके शक्तिसे कैल्कै रहे। दोसर जंगली जानवरके द्वारा आदमीसिके कहेल गेलै कि ऊसब पहेलावाला जंगली जानवरके पूजा करैके लिए एकटा मूर्ति बनाबै, जे हतियारसे घायल भ्यागेलै रहे, मगर फेरसे ठीक भ्यागेलै रहे।


ओकर रातसब अनहार हैतै, एत्तेतक कि एकटा चिराग भी नैबर्तै। ओत्ते कनियाँ आर दुलहाके खुशीके आवाजसब नैहैतै। एरं इहे ल्याके हैतै कहिनेकी ओकर व्यापारीसब जेसब संसारभरमे सबसे बडका रहै, आपन जादु-मन्तरसे जात-जातके आदमीसिके धोखा देल्कै छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan