Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 3:12 - केवट नया कारार

12 परमेश्वरके खुश बनाबैले चाहेवाला आर येशू ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला सभे आदमीके अविश्वासी आदमीसब सतैतै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 3:12
32 Iomraidhean Croise  

तब येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “अगर कोय हमर चेला बनैले चाहैछैं ते तोरासिके आपन योजना आर हितके छोडे पड्तौ। ओकरा हमर लिए मरैके लिए भी तैय्यार रहे पड्तै। अन्तमे, ओकरा हमर चेलाके रुपमे हमर अनुसरण करे पड्तै।


सेल्याके हमे तोरसिकेलगत परमेश्वरके वक्तासब, बुद्धिमान आदमीसब आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके पठैबौ। ओकरासिमे कतनें झनके तुहेंसब जान मार्भैं आर कतनें झनके क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार्भैं, आर कतनें झनके आपन यहूदी आदमीसिके सभाघरसिमे कोडा लगैभैं आर सहर सहरसिमे खेदाडभैं।


ऊ निश्चित रुपसे सतावटके साथ-साथ जे चीज ऊ त्यागल्कै छे उटा सभे चीज वापस पैतै, आर आबेवाला समयमे तोरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिल्तौ।


ऊसब तोरासिके यहूदी आदमीसिके सभाघरसे निकाली देतौ। एतनें ही नै, वास्तवमे एरंको समय आबैछै कि जे कोय तोरासिके जानसे मारि देतौ, ऊ अपने आपके सोच्तै कि एरं करिके हमे परमेश्वरके सम्मान करैछियै।


हमे यी सभे बात तोरासिके यी कारणसे कहैलियौ छे, कि हमरामे तोरासिके शान्ति हौ कहिनेकी तुहें हमरसंगे रहैछैं। संसारमे तोरासिके संकट हैतौ, मगर हिम्मत कर, हमे यी संसारके शासक यानी शैतानके पराजित करि देलियै छे।”


हमे ओकरासिके तोर सन्देश देलियै, मगर संसारके आदमीसब ओकरासिके घृणा कैल्कै, कहिनेकी जेरंके हमे संसारसे सम्बन्धित नैछियै, ऊसब भी संसारसे सम्बन्धित नैछै।


ऊसब सभे सहरमे चेलासिके मनके मजगुत बनैते रहलै आर यी उपदेश दै कि आपन विश्वासमे स्थिर र, आर यी कहै, “अपनासिके बहुते कष्ट सहिके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करे पड्तै।”


यदि ख्रीष्टमे आपनसिके आशा खाली इहे जीवनके लिए छै ते, दोसर आदमीसिके तुलनामे सबसे बेसी खतम हालत आपनसिके छै।


हमेसब गर्व करैछियै कि हमरसिके विवेक साफ छै। संसारमे आर खास करिके तोरसिके संगे हमरसिके सम्बन्धमे हमेसब परमेश्वरसे ऐल पवित्रता आर सच्चाईमे चल्लियै छे, यी आदमीके बुद्धिसे नै मगर परमेश्वरके अनुग्रहसे छै।


हमेसब सतैल ते जैछियै मगर त्यागल नैजैछियै। प्रहार करिके गिरैल ते जैछियै मगर नाश नै हैछियै।


राजासब आर अधिकार भेल आदमी सभैके लिए प्रार्थना कर ताकी ऊसब अपनासिके शान्ति आर सुरक्षामे रहैके लिए सहायता करै आर अपनासब आजादीसे परमेश्वरके आराधना करे सकियै आर परमेश्वरके इच्छा मुताबिकके काम करे सकियै।


बिना कोनो शंकाके, हमेसब कहे सकैछियै कि परमेश्वरद्वारा प्रकट कैल शिक्षासब पुरा रुपसे सच्चा छै, यानिकी येशू ख्रीष्ट आदमीके रुपमे ऐलै, ऊ पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके बेटा साबित भेलै, स्वर्गदूतसब ओकरा देखल्कै, ऊ स्वर्गके महिमामे लजैल गेलै, आदमीसब ओकर बारेमे जात-जातके आदमीसिमे प्रचार कैल्कै, आर संसारके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै।


अगर कोय झुट्ठा शिक्षा सिखाबैछै आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके देल सही शिक्षा आर परमेश्वरके आदर हुएवाला निर्देशनसंगे सहमत नैहैछै ते,


हमे, पावल, यी चिट्ठी तोरा लिखैछियौ। हमे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरा परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके विश्वासके मजगुत बनाबैके लिए आर ओकरासिके येशू ख्रीष्टके सच्चाई बुझाबैले सहायता करैके लिए हमरा नियुक्त कैल छै ताकी ऊसब परमेश्वरके खुश बनाबेवाला जीवन जिये सकै।


यी अनुग्रहके द्वारा परमेश्वर अपनासिके सिखाबैछै कि ओकरा पसन्द नैहुएवाला व्यवहार करैले बन्द कर, आर संसारके अविश्वासी आदमीसब जे चीजके इच्छा राखैछै ऊसब चीजके ललसा करैले बन्द कर। यी धर्तीमे जिन्दा रहैतक समझदारी आर परमेश्वरके खुश करैके व्यवहार कर, जे बात परमेश्वरके आदर कैल देखाबैछै।


मगर यदि जे सही छै उटा करैके कारणसे तुहेंसब दुःख सहबो करैछैं ते परमेश्वर तोरासिके आशिष देतौ। ओहिने कर जेरं यशैया परमेश्वरके वक्ता लिखल्कै रहे, “तोरासिके धम्की दिएवाला आदमीसिसे नैडर, आर आदमीसब कुछु कर्तै कहिके चिन्ता नैकर।”


जब कि परमेश्वर जरुर यी सभे चीजसिके नाश करि देतै, जेरं कि हमे एखन कहैलियौ छे, सेल्याके तोरासिके निश्चित रुपसे पवित्र आर ईश्वरीय तरिकासे व्यवहार करना चाही।


ऊ आपन नाङरसे आकाशसे एक तिहाइ तारासिके समेटीके धर्तीमे फेकि देल्कै आर ऊ विशाल अजगर जनानीके बच्चाके जनम हैते ही बच्चाके खैके लिए ओकर समनामे खडा भेलै।


तब हमे ओकरा कहैलियै, “हे हौ सरकार, हमे नैजानैछियै मगर तुहें जानैछ।” ऊ हमरा कहैल्कै, “यीसब ऊ आदमीसब छै जेसब महाकष्टके अनुभव कैल्कै छे। यीसब आपन कपडाके बलि-भेंडाके खूनसे धोय लेल्कै छे आर आब ऊसब उजरा भ्यागेलै छे, एकर मतलब यी छै कि ओकरसिके पापसिके मेट्या देल गेलै छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan