Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 3:10 - केवट नया कारार

10 मगर तिमोथी, तोरा बढियाँसे मालुम छौ कि हमे कि सिखाबैछियै आर केरंके जियैछियै, हमर जीवनके मकसद कि छै आर हमे कि विश्वास करैछियै। तोरा मालुम छौ कि हमे धीरज धारण करैछियै आर सभे प्रकारके आदमीसिके प्रेम करैछियै, हमे कठिनाईसब सहलियै छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 3:10
27 Iomraidhean Croise  

हमे भी शुरुहैसे सावधानीके साथ सभे बातके जाँच कैलियै छे आर तोर खातिर एकटा क्रम मुताबिकके विवरण लिखैले हमरा बढियाँ लाग्लै।


ऊ ओत्ते आबिके परमेश्वरके अनुग्रहके देखिके बहुते आनन्दित भेलै, आर ऊ सभैके तन मनसे प्रभुके बतैल रस्तामे चलैके लिए उपदेश देल्कै।


ऊसब चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके शिक्षामे आर संगतिमे लाग्ल रहै, आर प्रभु-भोजमे सहभागी हैते रहै आर विश्वासीसब एक्केसंगे भोजन कर्ते रहै, आर लगातार प्रार्थनामे लाग्ल रहते रहै।


जब ऊसब ओकरसिके लगत ऐलै ते, ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “एशिया प्रदेशमे पैर राख्ल पहेला दिनसे एखनतक हमे सभे समय तोरसिके बीचमे केरंके बितैलियै से तुहेंसब जानैछ।


हमे आपन देशमे आर यरूशलेम सहरमे यहूदी आदमीसिके बीचमे आपन जीवन बचपनसे केरंके बितैलियै, यी बात सभे यहूदी अगुवासब जानैछै।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ, कि ऊ आदमीसब जे तोरसिके बीचमे फुट पैदा करैछै आर जे आदमीसिके गलत बातसिपर विश्वास करैके लिए लगाबैछै, ओकरसिसे होशियार र आर ओकरासिसे दूर र।


सेल्याके यी करैले चाहै बेरियाँ हमे अस्थिरता देखैलियौ से? कि हमे आपन योजना बनाबै बेरियाँ संसारिक आदमीके जुगुर एक्केटा मुखसे हँ आर नै भी कहेवाला छियै से?


सेल्याके, आब अपनासिके बच्चासिके जुगुर नै होना चाही। आब अपनासब उटा नावके जुगुर नैहु जकरा लहर आगु पाछु धक्लैछै आर हावा इन्हर-उन्हर घुमाबैछै। एकर मतलब छै कि चलाक आर ठग आदमीसब आब आपन झुट्ठा शिक्षासे अपनासिके धोखा नै दिए सकैछै।


कहिनेकी हमरलगत तिमोथीके जुगुर स्वभावके दोसर कोय नैछै, जे शुद्ध मनसे तोरसिके चिन्ता करै।


मगर तोरासिके मालुम छौ कि केरंके तिमोथी अपने आपके विश्वासयोग्य देखैल्कै छे। जेरंके बेटा बाबुके सेवा करैछै ओहिने करिके ऊ हमरसंगे खुश-खबरी फैलाबैमे हमरसंगे मेहनत कैल्कै छे।


कहिनेकी येशू ख्रीष्टके बारेमे हमरसिके खुश-खबरी तोरसिकेलगत खाली बोलीमे नैऐलौ, मगर पवित्र आत्माके शक्तिमे आर ऊ सच छै कहिके पुरा निश्चयताके साथ ऐलौ छे। तुहेंसब जानैछैं कि तोरसिके कल्याणके लिए तोरसिके बीचमे रहै बेरियाँ हमरसिके चालचलन केरं रहै।


तिमोथी, तोरा मालुम छौ कि एफिसस सहरमे गलत बात सिखाबेवाला कुछु आदमीसब छै। ऊसब निरन्तर झुट्ठा शिक्षासब आर बाप-पुर्खासिके लम्बा सूचीसब सिखाबैछै। जब हमे एफिसस सहरसे माकेडोनिया प्रदेशमे जैके लिए तैय्यार रहियै, हमे तोरासिके एफिसस सहरमे रहैके लिए आर ओकरासिके ओरं शिक्षा नैदियैके लिए बताबैके लिए बिन्ती कैलियौ। जब ऊसब ओरंको बातसब सिखाबैछै, नतिजा यी छै कि आदमीसब उटा बातके विषयमे बहस करैछै। ऊ शिक्षकसब परमेश्वरके देल काम नैकरैछै, जे काम ऊसब परमेश्वरमे भरोसा राखिके खाली करे सकैछै।


यदि तुहें विश्वासी भ्या-बहिनसिके हमर सिखैल बातसिके निरन्तर सिखैभैं, जकर बारेमे हमे तोरा एखन निर्देशन देलियौ छे आर तुहें विश्वासके सन्देशद्वारा मजगुत कैल गेल्हैं छे आर बढियाँ शिक्षाके अनुसरण कैल्हैं छे ते, तुहें येशू ख्रीष्टके एकटा बढियाँ सेवक हैभैं।


मगर तिमोथी, तुहें परमेश्वरके सेवा करेवाला आदमी छैं, तोरा यी सभे चीजसिके करैसे दूर रहना चाही, जे सही छै खाली ओकरा करैके लिए हर सम्भव कोशिश कर। परमेश्वरके आदर दिएवाला जीवन जी। ख्रीष्टमे भरोसा राख। दोसर आदमीसिके प्रेम कर। परमेश्वरके आज्ञापालन करैके लिए कठिन परिस्थितीसिमे स्थिर र। दोसर आदमीसिके संगे भला आदमी बन।


सेल्याके तिमोथी तुहें जवान आदमीसिके आकर्षित करेवाला पापी इच्छासिसे बच। शुद्ध ह्रदयसे परमेश्वरके पुकारा करेवालासिके संगे परमेश्वरके समनामे सही हु, विश्वासमे लाग्ल र, दोसरके प्रेम कर आर शान्तिमे र।


कि परमेश्वरके वचनके प्रचार कर, परिस्थिती बढियाँ है या खराब है परमेश्वरके वचन प्रचार करैले तैय्यार र। तुहें आदमीसिके ओकरसिके कैल खराब कामके देखाबे पडैछै, आर ओकरसिके पापके खातिर ओकरासिके धोपे पडैछै। मगर ओकरासिके हौसला दहैं। धीरजके साथ यी सभे काम कर आर ध्यानसे सिखा।


कहिनेकी एरं समय आबैछै, जब आदमीसब सच्चा शिक्षाके स्वीकार करैले नैचहतै, मगर अपने आपके पसन्द हुएवाला बात खाली सुने चाहैछै आर ऊसब झुट्ठा शिक्षकसब खोज्तै जेसब ओकरासिके आपन मन-पसन्दके बात सिखैतै।


जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, हमे भी ख्रीष्टके लिए कडा मेहनत करैले कहियो भी नैछोडलियै छे। हमे येशू ख्रीष्टके द्वारा हमरा देल काम पुरा कैलियै छे। हमे अन्ततक ख्रीष्टके प्रति विश्वासयोग्य भेल छियै।


सभे बातमे तोरा उदाहरणके रुपमे बढियाँ काम करना चाही, जकरा दोसर आदमीसब सभे दिन पालन करे सकै। जब तुहें विश्वासीसिके परमेश्वरके बारेमे सिखाबैछैं, तुहें बढियाँ विचारसे आर आदरयोग्य तरिकासे सिखाबे पडैछै।


सेल्याके तोरासिके यी सभे नया आर अलग-अलग शिक्षासिके अनुसरण नैकरना चाही जे तोरासिके गलत रस्तामे ल्याजैछौ। तोरसिके हृदय परमेश्वरके अनुग्रहसे मजगुत होना चाही मगर खानाके बारेमे नियमसिके पालन करिके नै। कहिनेकी उटा नियमके पालन करेवालासिके कोनो भलाइ नैभेलै छे।


जब कि परमेश्वर जरुर यी सभे चीजसिके नाश करि देतै, जेरं कि हमे एखन कहैलियौ छे, सेल्याके तोरासिके निश्चित रुपसे पवित्र आर ईश्वरीय तरिकासे व्यवहार करना चाही।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan