Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 2:9 - केवट नया कारार

9 हमे खुश-खबरीके प्रचार करैके कारणसे एकटा अपराधीके जुगुर जेलमे दुःख भोगैछियै। मगर कोनो भी चीज आदमीसिके परमेश्वरके खुश-खबरी फैलाबैसे रोके नैसकैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 2:9
22 Iomraidhean Croise  

तब ऊसब दीटा अपराधी आदमीसिके भी येशूके संगे सिपाहीसिके द्वारा मृत्युदण्ड दियैले ल्यागेलै।


तब सेना-दलके सेनापति पावलके नज्दिक आबिके ओकरा पक्डल्कै आर दीटा सिक्कड ल्याके ओकरा बान्हैके हुकुम द्याके पुछे लाग्लै, “यी के छै आर यी कि कैल्कै छे?”


ऊ साहास आर बिना कोनो बाधाके परमेश्वरके राज्यके प्रचार कर्ते रहै, आर प्रभु येशू ख्रीष्टके बारेमे सिखैते रहलै।


हमे ओकरा देखैबै कि आदमीसिके हमर बारेमे बताबैके कारण कतनें दुःख उठाबे पड्तै।”


परमेश्वर तुहेंसब गैर-यहूदी आदमीसिके लिए यी सभे कैल्कै छे, सेल्याके हमे पावल, तोरसिके लिए प्रार्थना करैछियौ। हमे जेलमे छियै कहिनेकी हमे तोरसिके लिए ख्रीष्ट येशूके सेवा करैछियौ।


मगर खराब विचारसे प्रचार करेवाला आदमीसब ख्रीष्टके बारेमे स्वार्थी कारणसे प्रचार करैछै, यी सोचिके कि हमे जेलमे भेल बखत हमरा आरहौ बेसी कष्ट दियै।


तोरसिके सभैके लिए एरं सोचना हमर लिए सही छै, कहिनेकी तोरसिके लिए हमर मनमे विशेष जगह छै। चाहे हमे कैदमे छियै या खुश-खबरीके सच्चाईके साबित आर रक्षा करैछियै, हरेक समयमे तुहेंसब परमेश्वरके अनुग्रहमे हमरसंगे सामिल भेल छैं।


हमे, पावल, चिट्ठीके यी भाग तोरासिके नमस्कार करैके लिए हमे आपने हातसे लिखैछियौ। याद कर कि हमे जेलमे छियै आर हमर लिए प्रार्थना कर। तोरसिके संगे परमेश्वरके अनुग्रह रहौ। आमेन।


आर एकर साथे-साथ हमरसिके लिए भी प्रार्थना कर कि परमेश्वर हमरासिके ख्रीष्टके सन्देश सुनाबैके लिए एकटा मौका दै कि हमे ख्रीष्टके उटा रहस्यके वर्णन करे सकियै जकर खातिर हमे एखन जेलमे पडल छियै।


कहिनेकी तोरसिकेद्वारा परमेश्वरके वचन खाली माकेडोनिया प्रदेश आर अखैया प्रदेशमे प्रचार कैल नैगेलै, मगर हमेसब जते जैछियै परमेश्वरमे तोरसिके विश्वासके बारेमे हमरासिके बताबेवाला आदमीसिसे भेट भेलै। सेल्याके हमरासिके तोरसिके बारेमे दोसर आदमीसिके बताना जरुरी नैछै।


अन्तमे, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमरसिके लिए प्रार्थना कर कि हमेसब प्रभु येशू ख्रीष्टके विषयमे खुश-खबरी सभे जगहमे जल्दीसे फैलाबैले सकियै आर आदमीसब तोरसिके आदर कैल जुगुर आदर करे सकै।


यी इहे कारण छै, कि हमे जेलमे भी दुःख भोगैछियै, मगर हमे लाज नैमानैछियै। कहिनेकी हमे ख्रीष्टके चिन्हैछियै, जकरापर हमे भरोसा कैलियै छे, आर हमरा निश्चय छै कि ख्रीष्ट फेर वापस नै आबैतक जे हमे ओकरा सौंप्लियै छे उटा बातके रक्षा ऊ करे सकैछै।


प्रभु ओनिसिफरसके घरानापर दया करै, कहिनेकी ऊ बहुतेबेर हमर भेट कैल्कै आर हौसला भी देल्कै आर एत्ते जेलमे हमर भेट करैले आबैके लिए भी लाज नैमानल्कै।


सेल्याके दोसर आदमीसिके आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके विषयमे बताबैमे लज्जित नैहु, आर तोरा यी बातसे भी लाज नै होना चाही कि हमे ख्रीष्टके सेवा करैके कारणसे जेलमे छियै। मगर तोरा उटा सामर्थ्यके प्रयोग करना चाही जे परमेश्वर तोरा दैछौ आर खुश-खबरीके लिए तुहें हमर दुःखमे साथ दे।


येशू ख्रीष्टके एकटा बढियाँ सिपाहीके जुगुर हमरसंगे दुःख भोगैमे सामिल हु।


मगर प्रभु हमरसंगे खडा भेलै आर ऊ हमरा शक्ति देल्कै, आर हमे येशू ख्रीष्टके बारेमे साफसे खुश-खबरी प्रचार कैलियै ताकी अदालतमे भेल सभे गैर-यहूदी आदमीसब सुने सकै, आर भुख्ल शेरसे बचैल जुगुर परमेश्वर हमरा मौतसे बचैल्कै।


कतनें बेर एरं आदमीसब हैछै जेसब प्रभुके नैजानैछै आर ऊसब तोरासिपर यी कहिके गलत आरोप लगाबे सकैछौ कि तोरसिके काम खराब छौ। इहे ल्याके तोरासिके आपन व्यवहारके विषयमे होशियार रहना चाही, ताकी ऊसब तोरसिके बढियाँ व्यवहार देखे सकौ। अन्तमे ऊसब स्वीकार कर्तै कि तोरसिके व्यवहार बढियाँ छै आर जे दिन परमेश्वर संसारके न्याय करैके लिए फेर यी संसारमे वापस ऐतै उटा दिन ऊसब परमेश्वरके महिमा कर्तै।


आर राज्यपालके भी अधिनमे र, कहिनेकी उहे ही छै जकर उपयोग राजा ऊ आदमीसिके सजाय दियैके लिए करैछै जकर काम खराब छै आर ऊ आदमीसिके प्रशंसा करैके लिए जकर काम बढियाँ छै।


मगर यी विनम्र आर आदरपूर्ण तरिकासे कर। सभे दिन जे बढियाँ छै उहे कर। तब यदि आदमीसब तोरसिके विरुद्धमे खराब बात बोलैछै ते ऊसब लाजमे पड्तै जब ऊसब तोरसिके ख्रीष्ट संगके सम्बन्धके कारण तोरसिके बढियाँ व्यवहार देखैछै।


तोरसिमेसे कोय भी आदमी हत्यारा या चोर या अपराधी या दोसरके काममे हात डालैके कारण दुःख नैपाबक।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan