Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 2:24 - केवट नया कारार

24 प्रभुके सेवक झगडा करेवाला नै होना चाही, मगर ओकरा सभैके प्रति दयालु होना चाही, परमेश्वरके वचन साफसे सिखाबैके लिए सक्षम होना चाही आर खुदके विरोध करेवाला आदमीसिके संगे धीरज राखना चाही।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 2:24
31 Iomraidhean Croise  

ऊ नैते झगडा कर्तै नैते बेसी चिकर्तै, ऊ आदमीसिके बीचमे कोनो जोडदार घमण्डसे भर्ल भाषण नैदेतै।


यी बातके कारणसे यहूदी आदमीसिके अगुवासिके बीचमे तर्क-वितर्क भेलै। ऊसब कहैल्कै, “यी आदमी हमरासिके केरंके आपन शरीर खुवाबे सकैछै?”


जब पावल आर बरनाबासके ओकरसिके संगे बहुते मतभेत आर वाद-विवाद भेलके बाद यी निर्णय भेलै, कि पावल आर बरनाबास आर ओकरसिमे कुछु आदमी यी बातके विषयमे छलफल करैले चुन्ल आर भेज्ल चेलासब आर मण्डलीके अगुवासिके लगत यरूशलेम सहरमे जैले तय कैल्कै।


ओत्ते बडका होहल्ला मच्लै आर कुछु यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब जेसब फरिसी समूहके आदमीसब रहै खडा भेलै आर कडा प्रतिवाद करे लाग्लै, “हमेसब यी आदमीमे कोनो दोष नैदेखैछियै। हुए सकैछै यी आदमीके संगे कोनो आत्मा या स्वर्गदूत बोले पाबै!”


दोसर दिन जब इस्राएलीसब आपसमे लड्ते रहै ते, ऊ ओत्ते पहुँचलै। आर ऊ यी कहिके मेल-मिलाप करैके लिए सम्झैल्कै कि, ‘तुहेंसब भ्या-भ्या छैं, एक दोसरपर कथिले अन्याय करैछैं।’


हमे पावल जे तोरसिके समनामे कायर छियै, मगर तोरसिसे दूर रहेला पर साहास देखाबैछियै, तोरासिके ख्रीष्टके नम्रता आर कोमलताके कारण आग्रह करैछियौ।


कहिनेकी जे हतियारसे हमेसब लडैछियै ऊ मानवीय हतियार नैछै। मगर गढसिके ढाहीके गिर्या दियैके लिए परमेश्वरके शक्तिशाली हतियारसब छै।


मगर हर तरहसे हमेसब देखाबैछियै कि हमेसब परमेश्वरके सच्चा सेवकसब छियै। हमेसब धीरजसे समस्यासिके, कठिनाईसिके आर सभे प्रकारके विपत्तिसिके सहन करैछियै।


पवित्र आत्माद्वारा उत्पन्न हुएवाला चरित्रसब यी छियै: प्रेम, आनन्द, शान्ति, धीरज, दया, भलाइ, विश्वस्तता,


सभे दिन नम्र आर कोमल बन। एक दोसरके संगे धीरज राख, प्रेमके कारण एक दोसरके व्यवहारके सहन कर।


तुहेंसब बिना कुड-कुडैले आर बिना वाद-विवाद सभे काम कैले जो।


स्वार्थ या अहंकारमे कुछु नैकर मगर नम्रतामे दोसरके आपनसे बेसी महत्व दहैं।


यदि कक्रहौ कोनो आदमीपर दोष दियैके कोनो कारण छौ ते, एक दोसरके सहन कर, आर एक दोसरके अपराध माफ कर। जेरंके प्रभु तोरसिके अपराध माफ कैल्कौ छे, ओहिने ही तहुँसब कर।


मगर जेरंके मयाँ आपन बाल-बच्चाके पालन-पोषण करैछै, ओहिने करिके हमेसब भी तोरसिके संगे कोमल भेलियौ छे।


मगर तिमोथी, तुहें परमेश्वरके सेवा करेवाला आदमी छैं, तोरा यी सभे चीजसिके करैसे दूर रहना चाही, जे सही छै खाली ओकरा करैके लिए हर सम्भव कोशिश कर। परमेश्वरके आदर दिएवाला जीवन जी। ख्रीष्टमे भरोसा राख। दोसर आदमीसिके प्रेम कर। परमेश्वरके आज्ञापालन करैके लिए कठिन परिस्थितीसिमे स्थिर र। दोसर आदमीसिके संगे भला आदमी बन।


हमे, पावल, यी चिट्ठी तोरा लिखैछियौ। हमे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमरा परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके विश्वासके मजगुत बनाबैके लिए आर ओकरासिके येशू ख्रीष्टके सच्चाई बुझाबैले सहायता करैके लिए हमरा नियुक्त कैल छै ताकी ऊसब परमेश्वरके खुश बनाबेवाला जीवन जिये सकै।


कहिनेकी मण्डलीके देख-रेख करेवाला आदमी परमेश्वरके काम करे पडैके कारणसे दोषरहित होना चाही। ऊ आपन चहेल बात पुरा हुऐके चाहना करेवाला या तुरन्ते रिसाबेवाला या मतवाला या झग्डौहा या धन-दौलतके लिए ठगेवाला नै होना चाही।


ओकरा येशू ख्रीष्टके विषयमे विश्वासयोग्य सन्देशपर मजगुतीसे विश्वास करना चाही जे हमेसब ओकरा सिखैलियै छे। ताकी ऊ दोसर आदमीसिके सही शिक्षाके अनुसरण करैके लिए उत्साह दिए सकै आर संगहै संग सही शिक्षाके विरुद्धमे बहस करेवाला आदमीसिके यकीन दिलाबे सकै कि ऊसब गलत छै।


ऊसब ककरो बारेमे खराब बात नैबोलै, झगडा नैकरै, मगर दोसर आदमीसिके दया देखाबै, आर आदमीसिके संगे बहुते नम्रताके साथ व्यवहार करै।


हमे, याकूब यी चिट्ठी लिखैछियै। हमे परमेश्वर आर प्रभु येशू ख्रीष्टके सेवक छियै आर सभे देशसिमे छिरियाके रहेल यहूदी विश्वासीसिके जे बारह कुलसिके छै, तोरासिके हमर नमस्कार!


मगर जे बुद्धि स्वर्गसे आबैछै ऊ ते पहेला शुद्ध हैछै, तकरबाद ऊ मिलनसार, नम्र, दोसरके बारेमे सोचेवाला, आर दयासे भर्ल हैछै आर बढियाँ कामद्वारा प्रकट हैछै। ऊ भेद-भाव रहित आर इमानदार हैछै।


तुहेंसब इच्छा ते करैछैं, मगर जे चाहैछैं से तुहेंसब नैपाबैछैं। सेल्याके तुहेंसब हत्या करैले भी तैय्यार रहैछैं, आर दोसरके संगे भेल चीजके लिए बहुते इच्छा करैछैं, मगर कुछु पाबे नैसकैछैं। सेल्याके तुहेंसब झगडा आर लडाई करैछैं। तुहेंसब परमेश्वरसे नैमाँगैछैं सेल्याके तुहेंसब जे चीजसब चाहैछैं से नैपाबैछैं।


अन्तमे, हमे तोरासिके यी कहैले चाहैछियौ कि एकतामे र, एक दोसरके लिए वास्ता कर, एक्के परिवारके सदस्यसिके जुगुर एक दोसरके प्रेम कर। एक दोसरके प्रति दयालु बन आर एक दोसरसे नम्र बन।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके ऊ उद्धारके विषयमे लिखैके लिए सकभर कोशिश कर्ते रहियै जे येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके तरफसे आबैछै आर जकरामे अपनासब सभेको सहभागी छियै। मगर आब हमे यी चिट्ठीके द्वारा तोरासिके उत्साहित करैके दबाब महसुस करैछियै ताकी तुहेंसब ख्रीष्टियन विश्वासके पक्डीके राखैके लिए आरहौ भी कडा प्रयास कर्भैं। परमेश्वर आपन आदमीसिके लिए यी विश्वास एक्केबेर सभे दिनके लिए द्या देल्कै छे, आर एकरा बदल्ल नै ज्या सकैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan