Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 2:22 - केवट नया कारार

22 सेल्याके तिमोथी तुहें जवान आदमीसिके आकर्षित करेवाला पापी इच्छासिसे बच। शुद्ध ह्रदयसे परमेश्वरके पुकारा करेवालासिके संगे परमेश्वरके समनामे सही हु, विश्वासमे लाग्ल र, दोसरके प्रेम कर आर शान्तिमे र।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 2:22
28 Iomraidhean Croise  

जखनी ऊसब स्तिफनसके पत्थल मार्ते रहै, स्तिफनस प्रार्थना कैल्कै, “हे प्रभु येशू, हमर आत्माके ग्रहण कर।”


आर एत्ते भी प्रमुख पुजारीसिसे यी आज्ञा-पत्र ल्याके ऐलै छे कि ओकरा सभैके, जेसब तोरापर विश्वास करैछै, ओकरासिके बन्दी बन्याके यरूशलेम सहरमे ल्याजै।”


कहिनेकी आपनसिके जीवनमे परमेश्वरके राज्य ख्या-पियेवाला बातसे सम्बन्धित नैछै, मगर धार्मिकता, शान्ति आर आनन्दसे सम्बन्धित छै जे पवित्र आत्मा दैछै।


सेल्याके अपनासिके उहे करैके कोशिश करना चाही जे शान्तिके आर एक दोसरके विश्वासके मजगुत बनाबैके कारण बनैछै।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके देल अधिकारसे हमे तोरासिके अनुरोध करैछियौ कि तुहेंसब एक-दोसरसे सहमत हु ताकी तोरसिके बीचमे कोनो फुट नैहौ, बरु एक दोसरसे समान विचार राखिके आर समान मकसद राखिके मेल-मिलापमे र।


हमे यी चिट्ठी कोरन्थी सहरमे भेल परमेश्वरके मण्डलीके लिखैछियै जकरा ख्रीष्ट येशूमे एक बन्याके आपन आदमी हुऐके लिए परमेश्वर अलग कैल्कौ छे आर ऊ तोरासिके आपन पवित्र आदमी हुऐके लिए बोलैल्कौ छे। आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके प्रार्थना करैके लिए सभे आदमीसिके पवित्र बनैल जुगुर ऊ तोरासिके भी पवित्र बनैल्कौ छे, कहिनेकी ऊ आपनसिके सभैके प्रभु छै।


सेल्याके, हमर प्यारा विश्वासी भ्या-बहिनसब, मूर्ति-पूजासे कोनो लेना-देना नैराख।


एक-दोसरसे प्रेम करैके हर सम्भव कोशिश कर आर आत्मिक वरदानसब पाबैके लिए इमानदारीसे इच्छा कर, खास करिके परमेश्वरके सन्देश घोषणा करैके लिए।


व्यबिचारसे पुरा तरहसे दूर र, यी बात साफ जाहीर छै कि दोसर पाप शरीरके एतनें प्रभावित नैकरैछै जतनें यी पाप प्रभावित करैछै। व्यबिचार करेवाला आदमी आपन शरीरके विरुद्धमे पाप करैछै।


आपनसिके प्रभु हमरा ओकर अपार अनुग्रह निरन्तर देखैल्कै। ऊ हमरा विश्वास करैके क्षमता आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम देल्कै कहिनेकी हमे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे रहियै।


यी आदेश दियैके मकसद यी छै कि तुहेंसब एक दोसरके साफ मन, बढियाँ विवेक आर सच्चा विश्वाससे प्रेम करे सक्हैं।


हमे चाहैछियै कि जब भी तुहेंसब परमेश्वरके आराधना करैके लिए जमा हैछैं, ऊ पुरुषसब जे पवित्र जीवन जियैछै परमेश्वरके आपन समर्पित हातके उप्पर उठ्याके प्रार्थना करै आर बिना गोस्सा आर बिना वाद-विवादके साथ प्रार्थना करै।


एरंको व्यवहार कर कि कोय भी तोरासिके अनादर नैकरौ कहिनेकी तुहेंसब जवान छैं, मगर तोरसिके बोल्ल वचनद्वारा, तोरसिके व्यवहारद्वारा, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमद्वारा, ख्रीष्टमे तोरसिके भरोसाद्वारा आर तोरसिके पापरहित जीवनद्वारा विश्वासीसिके लिए तोरासिके एकटा उदाहरण बने पड्तौ।


मगर तिमोथी, तुहें परमेश्वरके सेवा करेवाला आदमी छैं, तोरा यी सभे चीजसिके करैसे दूर रहना चाही, जे सही छै खाली ओकरा करैके लिए हर सम्भव कोशिश कर। परमेश्वरके आदर दिएवाला जीवन जी। ख्रीष्टमे भरोसा राख। दोसर आदमीसिके प्रेम कर। परमेश्वरके आज्ञापालन करैके लिए कठिन परिस्थितीसिमे स्थिर र। दोसर आदमीसिके संगे भला आदमी बन।


सभे आदमीसिके संगे शान्तिमे रहैके आर एकटा पवित्र जीवन जियैके कोशिश कर। कहिनेकी पवित्रता बिना कोय भी प्रभुके देखे नैसक्तै।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब तुहेंसब यी संसारमे परदेशीसब आर यात्रीसिके जुगुर रहैछैं। हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि ऊ सभे पापमय इच्छासिसे दूर र, कहिनेकी एरंको इच्छासब आत्माके विरोधमे हमेशा लडैछै।


ओकरा निश्चय ही खराब काम करैले बन्द करि देना चाही, एकर बदलामे ओकरा उहे करना चाही जे बढियाँ छै, दोसर आदमीसिके संगे शान्तिमे रहैके लिए कडा मेहनत करना चाही।


हे प्रिय दोस्त, खराब काम करेवाला आदमीके देख-सिख्खा नैकर, मगर भलाइके काम करेवाला आदमीके अनुसरण कर। जे कोय बढियाँ काम करैछै, यी बात यी देखाबैछै कि ऊ परमेश्वरके बेटा-बेटी छै। जे कोय खराब काम करैछै, यी बात देखाबैछै कि ऊ परमेश्वरके नैचिन्हैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan