Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




२ तिमोथी 2:21 - केवट नया कारार

21 अहिने करिके जे विश्वासी खुदके उटा सभे खराब कामसे अलग करि लेतै, ते ओकर जीवन पवित्र हैतै। ऊ आपन मालिकके लिए उपयोगी हैतै आर कोनो भी किसिमके बढियाँ काम करैके लिए ऊ तैय्यार रहैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




२ तिमोथी 2:21
21 Iomraidhean Croise  

मगर प्रभु येशू ओकरा कहैल्कै “तुहें जो! हमे ओकरा हमर सेवा करैके लिए चुन्लियै छे, जे गैर-यहूदी आदमीसब, राजासब आर इस्राएलीसिके बीचमे हमर बारेमे प्रचार कर्तै।


जेरंके निस्तार पावन मनाबैसे पहेला यहूदी आदमीसब आपन घरसे सभेटा खमीरके निकालैछै, ओहिने करिके तोरासिके यी अनैतिक काम करेवाला आदमीके भी आपन मण्डलीसे बाहार निकाली देना चाही। फेर तुहेंसब उटा रोटीके जुगुर भ्या जैभैं जकरामे कोनो खमीर नैहैछै। जकर मतलब छै कि तुहेंसब एकटा विश्वासीके समूह हैभैं जे समूहमे एरंको कोय आदमी नैहैतै जे जानी-जानीके पाप करैछै कहिनेकी जब तुहेंसब ख्रीष्टमे विश्वास कैल्हैं, तब परमेश्वर तोरासिके भितरसे शुद्ध बनैल्कौ। कहिनेकी ख्रीष्ट अपनासिके आपनसिके पापसे छुटकारा देल्कै छे आर ऊ एकटा भेंडाके जुगुर छै जकरा यहूदी आदमीसब निस्तार पावनके समयमे बलिदान कैल्कै।


कहिनेकी हे प्रियसब, परमेश्वर अपनासिके आपन बेटा-बेटीसिके जुगुर स्वीकार करैके लिए एरं प्रतिज्ञा कैल्कै छे, इहे ल्याके अपनासब उटा सभे खराब काम बन्द कर जे तोरसिके शरीर आर आत्माके अशुद्ध बनाबैछै। परमेश्वरके भय मान आर आदर कर। या अपनासब पुरा तरहसे पवित्र हुऐके लिए काम करैछियै।


परमेश्वर सभे प्रकारके अनुग्रह तोरसिके जरुरतसे बेसी दिए सकैछै। जकरासे हरेक बातमे आर हरेक समय, सभे कुछु, जे तोरासिके जरुरत हौ तोरसिकेलगत रहौ आर ताकी तोरसिकेलगत सभे कुछु सभे दिन बहुते हौ आर हरेक भला कामके लिए बहुतायतसे उपलब्ध करवाबे सक्हैं।


कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके सृष्टि छियै, ख्रीष्ट येशूमे बढियाँ काम करैके लिए अपनासिके नया आदमीके रुपमे सृष्टि कैल गेलै जकरा परमेश्वर पहलहैसे अपनासब करियै कहिके तैय्यार कैल्कै रहे।


मगर तिमोथी, तुहें परमेश्वरके सेवा करेवाला आदमी छैं, तोरा यी सभे चीजसिके करैसे दूर रहना चाही, जे सही छै खाली ओकरा करैके लिए हर सम्भव कोशिश कर। परमेश्वरके आदर दिएवाला जीवन जी। ख्रीष्टमे भरोसा राख। दोसर आदमीसिके प्रेम कर। परमेश्वरके आज्ञापालन करैके लिए कठिन परिस्थितीसिमे स्थिर र। दोसर आदमीसिके संगे भला आदमी बन।


परमेश्वरके आराधना नैहुएवाला चीजसे आर बेकारके छलफल करैसे बच। कहिनेकी एरंको आदमीसब जे परमेश्वरके आराधना नैहुएवाला चीजमे भाग लैछै ऊसब आरहौ बेसी ईश्वरहीन भ्याजैछै।


मातबर आदमीसिके घरमे कुछु बर्तनसब सोना आर चानीके हैछै आर कुछु बर्तनसब लकडी आर माटीसे बन्ल हैछै। किमती बर्तनसब विशेष कामके लिए प्रयोग कैल जैछै आर सस्ता बर्तनसब दैनिक कामके लिए प्रयोग कैल जैछै।


ताकी परमेश्वरके आदमीसब सभे प्रकारके बढियाँ कामसब करैके लिए तैय्यार आर सुसज्जित हुए सकै।


खाली लूका हमरसंगे छै। जब तुहें ऐभैं, मर्कूसके भी आपनसंगे आन, कहिनेकी ऊ एत्ते हमर काममे सहायता कर्तै।


विश्वासीसिके याद दिला कि ऊसब शासकसिके आर अधिकारीसिके आदर करै, आर ओकरसिके आज्ञाकारी बनै, आर दोसर आदमीसिके लिए बढियाँ काम करै।


खाली ओतनें ही नै, तुहेंसब विश्वासीसिके बढियाँ कामसब करैमे निरन्तर कडा मेहनत करैके लिए सिखाबे पडैछै ताकी ऊसब आदमीसिके जे जरुरी छै से दिए सक्हैं। एकरासे विश्वासीसिके सहायता हैतै कि ऊसब बेकार जीवन नैजियै आर एकटा मकसदके साथ जीवन जिये सकै।


हमरद्वारा उप्परमे लिख्ल यी बात सही छै आर एकरापर भरोसा कैल ज्या सकैछै, आर हमे चाहैछियै कि जब तुहें विश्वासीसिके यी बातसब सिखाबैछैं यी बातसिके निरन्तर जोड दहैं। ताकी जेसब परमेश्वरपर विश्वास कैल्कै छे, ऊसब बढियाँ कामसब करैके लिए आपन समय दियैके लिए मन लगाबै। यी शिक्षासब सभैके लिए बढियाँ आर फैदाके छै।


कहिनेकी तुहेंसब सचके पालन करिके शुद्ध भेल छैं, आब तोरासिके आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके निष्कपट प्रेम करे पडैछै। तुहेंसब एक दोसरके पुरा हृदयसे बहुते गहरा प्रेम कर।


यी तकलीफसिके मकसद यी देखाबैके लिए छै कि तुहेंसब सचमे परमेश्वरमे भरोसा राखैछैं या नैराखैछैं। येशू ख्रीष्टमे भेल तोरसिके विश्वास सोनासे भी मूल्यवान छौ। जेरंके नाश हुएवाला सोनाके आगिनसे जाँच्ल जैछै आर शुद्ध बनैल जैछै, ओहिने करिके यदि तोरसिके विश्वास अग्निमय परीक्षासिके द्वारा जाँच्ल गेलके बाद भी मजगुत रहैछौ ते, यी येशू ख्रीष्ट फेर वापस आबैके दिनमे तोरासिके बहुते प्रशंसा, महिमा आर सम्मान दिलैतौ।


हरेक आदमी जे यी आशा करैछै कि ऊ ख्रीष्टके जुगुर हैतै, ऊसब खुदके हरेक पापसे दूर राखे पडैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan